लोंगी डैंस (हास्य कटाक्ष)
बाबा बड़बड़ाइत बजैत रहै जे एहनो कहू डैंस भेलैए? कहअ त जेकरा देखियौ सैह कहैयै जे यौ बाबा लोंगी डैंस लोंगी डैंस. आइ भिंसरे स बसहो बरद ताल मात्रा खेलाइए? कहै छियै जे चल बाध बोन दिस चैर लिहें बलू हमहूँ खेत पथार देखने आएब. बसहा बरद पर बैस बिदा हैब की काबे इहो रमैक जाइए लोंगी डैंस. छौंड़ा मारेर सब भींसरे स लाउडिस्पीकर पर घनघनौने छै आ इ बसहो बरद नचैए त एकरो दू सटकन दै छियै एकरो मन सौझ भऽ जेतै की.
ताबे हम बाबा लक पहुँचली हिनका स पुछली जे बाबा की समाचार है क? बाबा बजलै हौ कारीगर समाचार की कहियै देखै छहक ने बसहा बरद पर स धरफरा के खैस परलहुँ? हम पुछली जे बाबा से केना हो गेल? बाबा बोललकै एह की कहियअ बसहा बरद पर बैसल बिदा होइत रही की ताबे लाउडिस्पीकर पर अवाज एलै जे लोंगी डैंस लोंगी डैंस की बसहो बरद रमैक रमैक डांस करअ लगलै आ हम धरफरा के धांई भटका खसलौं की. भागेसरो पंडा के हल्ला केलियै जे दौगअ हौ त उहो भगेसरा बाजल यौ बाबा लोंगी डांस? कहअ तऽ हमर जान अवग्रह भेल रहै आ तोरा सब के अलगे ताल छह. अच्छा पहिने एक जूम तमाकुल खुआबह त फेर कनि गप सप करै छी.
ताबे बाबा के हम खैनी चुना के देली बाबा खैनी खाइत देरी बोललकै जे अंई हौ कारीगर इ कहअ तऽ जे पमरीया नाच, घोरा नाच, नटुआ नाच, अल्ला रूदल नाच से सब त सुनबो देखबो केलियै? आ ई लोंगी डैंस से केहेन होइ छै? हमरा त कोनो भांजे नै लगैए? हौ कारीगर तोरा कोनो भांज बूझहल छह? हम बोललियै जे हमरा कहां इ डांस फांस बूझहल यै क? बाबा हां हां क हँसैत बोललकै हौ कारीगर तोरा मीडिया वला सब के तऽ सबटा बूझहल रहै छह की जे फलां हिरोईन के बेबी बंप दिखा, त फलां हहीरो किसींग सीन केना किया त चिलां हीरो के बेटा ड्रगस कांड मे जेल स रीहा त फलां हीरोइन के बिकनी ड्रेस पर फैंस फिदा. आ लोंगी डैंस दिया नै बूझहल छह? कनि हमरो जल्दी कहअ?
बाबा के बुझबत हम गाबे लगली मोछ के मधमनी दिस घुमा देब? लहान मे आँखि के अपरेशन करा देब? पामर बला चशमा पहिरा देब? यौ बाबा हम छी अहाँ के फैंस मिस ने करू डिल्ली बम्बई कमाई के चैंस? लोंगी डैंस लोंगी डैंस. बाबा गीत सुन झूमे लगलै आ बजलै सबटा गप त बुझबा मे आएल आ इ मोछ के मधमनी दीस किए घूमा देबहक. हम कहलियै यौ बाबा मैथिली पुरस्कार जेंका मनमाना वला गप छै. बाबा बोललकै हं हौ कारीगर हमरो भांज लागल जे सबटा मैथिली पुरस्कार मनमाने पर सर कुटमारे के दरभंगे मधमनी वला के दै छै? कोसिकन्हा बला के सब आवेदक के सब ज्यूरी आ के सब पुरूस्कृत आ किएक? सै केकरो कोनो भांज नै लागअ दै जाइ छै? आ लाथ केहेन करतह जे मैथिली मे एहिना होइत एलैए? एहेन साहित्यिक दलाली स नीक त लोंगी डैंस जे लोक सब स्पष्ट रूपे कारणो बुझहै छै की. त आई सब मिल करह लोंगी डैंस लोंगी डैंस.
लेखक:- डाॅ. किशन कारीगर
(©काॅपीराईट)