#धोती (मैथिली हाइकु)
१.
जिंस छै निचा
उपर धोती लगा
नाटक करै !
२.
मुद्दा कोनो नै
अदाकारिता खुब
स्टन्डबाज ओ !
३.
सुटबुटमे
सदखैन रमैए
धोतीके धौंस !
४.
गिदह करै
मुद्दा जकर शून्य
छै बिजलौका !
५.
कानून तोडै
निषेधित क्षेत्रमें
‘विधि निर्माता’ !
@दिनेश_यादव
काठमाण्डू (नेपाल)
२ जनवरी २०२४, मंगलबार !