” भोलनीं महिस आ गोल्लु कुक्कुर क जन्म दिनक सालगिरह ” ( व्यंग )
” MANY MANY HAPPY RETURNS OF THE DAY ”
================================
हमरो मित्रता आजुके दिन चारि बरख भ गेल ! हमारा लग्ग नहि मोबाइल अछि नहि इंटरनेट ! हम दुनु सदैत संग रहित छी ! …..नहि विचार मे भेद अछि …..नहि कोनो इगो ! ……हम जखन थाकि हारि जाइत छी .. हिनके सानिध्य मे सुसताइत रहित छी ! …….कोनो विभेद नहि ! …..मित्रता आगाध रहितो हमारा लोकनि कें कियो शुभकामना नहि .. नहि कमेंट … नहि आशीषे दैत छथि ! मेनका गाँधी आब कहने छथि ..हमरा लोकनि कें इंटरनेटक सुविधा देतीह .. !वो त बाद्क गप्प भेल .. अपने लोकनिक आशीर्वादक अपेक्षा करैत छीं ! …ओना कनि हम अपना विषय मे बता दी ..हम दुनु गामक कान्वेंट स्कूल मे संगें-संगें पढैत रहि ..कखनो भोलनीं क्लास मे टॉप करैत छल ..आ कखनो गोल्लु कुक्कुर ! रेवती बाबू गामक मुखिया हमरा दुनु कें काज देलनि ! हम भोलनीं महिस हिनका दूध दय छियनि आ गोल्लु कुक्कुर रेवती बाबू क सम्पतिक रक्षा !……आब कहू ..आहां लोकनि सब …..बच्चा -बुच्ची …..कनियाँ ……पौत्र -पौत्री ……..सार -सारि ……..बहनोई ……..मौसा -मौसी …..सब कें जन्म दिन ,सालगिरह खूब मनबैत छी आ भांति भांति भंगिमा वला फोटो फेसबुक क पन्ना पर प्रकाशित करि समस्त लोकनि सं आशीष ,शुभकामना आ बधाई क अपेक्षा राखैत छी……..तखन हमर लोकनिक जन्म दिनक सालगिरह मे मौन किया छी ?
आहाँक
भोलनीं महिस
आगोल्लु कुक्कुर