कोकिल गान सन
रण -वन लगैयै किछ शोर,
नाचै पंख पसारने मोर,
बाजै माँ के नूपुर, कोकिल गाने सन ।
खन-खन खन-खन चूड़ी खनकै,
कुंडल कंठा हार,
शिखर हिमालय, भूषित लागै,
माँ के रूप अनुप, उगल चांन सन ।
रण-वन लागैयै किछ शोर ,
बाजै माँ के नूपुर,कोकिल गान सन ।
नहूँ -नहूँ नहूँ-नहूँ चलु हे माता,
लागत रौद-वसात,
काली माता बड़ सुकुमारी,
बाजैयै सब भूप, नवका पान सन ,
रण-वन लागैयै किछ शोर,
बाजै माँ के नूपुर, कोकिल गान सन ,
मधु-मधु मधु-मधु पान करै माँ,
शुंभ-निशुंभक प्राण,
देख असुर सब दूर परायल,
जहिना भागल चोर,
बाजै माँ के नूपुर, कोकिल गान सन
रण-वन लागैयै किछ शोर,
बाजै माँ के नूपुर, कोकिल गान सन ।
रण में बैन एली माँ दुर्गा,
जहिना जाड़क भोर,
जन-जन लगैयै विहोर, फूटल धान सन,
रण-वन लागैयै किछ शोर,
बाजै माँ के नूपुर कोकिल गान सन ।
रण वन लगैयै किछ शोर,
नाचै पंख पसारने मोर,
बाजै माँ के नूपुर, कोकिल गान सन ।
उमा झा