अहाॅं बाजू नै बाजू पैर बजै पेजनियाॅं
हे माता जखनहि एलियै, गहबर पैसि अंगना,
अहाॅं बाजू नै बाजू ,पैर बजै पेजनियाॅं,
अहाॅं छी योगमाया,
गुरु के ग्रंथ बताबे,
अहाॅं छी जग माता हे
ब्रह्मा गावि सुनाबे,
अहाॅं के नाम जपैते माँ,
प्राण बांचल अहिना,
अहाॅं बाजू नै बाजू पैर बजै पेजनियाॅं।
अहाॅं छी शिखर निवासिनी,
गंगा नाम कहाबे,
शिव के जटा बैसह छी,
भागिरथ राज बताबे
अहाॅं के धार आनै में माँ,
बीत गलै कत महीना,
अहाॅं बाजू नै बाजू पैर बजै पेजनियाॅं।
अहाॅं छी ज्ञानक सागर,
विद्या भरने गागर,
सबकें बांटि रहल छी,
जे कियो आयल आंगन,
अहाॅं के ज्ञान बटै में माँ,
हाथ निकलै दहिना
अहाॅं बाजू नै बाजू पैर बजै पेजनियाॅं।
अहाॅं छी दिव्य प्रभा हे,
प्रभाकर सेहो माने,
अहाॅं छी निर्मल शीतल,
शीश पर शशि विराजय
अहाॅं ज्योत, पबैते माँ,
गम- गम करै अंगना,
अहाॅं बाजू नै बाजू पैर बजै पेजनियाॅं
अहाॅं के पूजि माता,
कालिदास कहाबे,
अहि माँ आश परल छी,
हे माँ प्यास बुझा दे,
अहाॅं के नेह पबैते माँ
धन्य हेतै उमाक नैयना,
अहाॅं बाजू नै बाजू पैर बजै पेजनियाॅं।
हे माता जखनहि एलियै गहबर पैसि अंगना,
अहाॅं बाजू नै बाजू पैर बजै पेजनियाॅं
उमा झा🙏💕