नैन मिलायब गिरिधर स'

नैन मिलायब गिरिधर स’
( मैथिली भजन )
नैन मिलायब गिरिधर स’
हम करब हुनक मनुहार ,
कान्हा कान्हा पुकारब दिल स’
मांगब भक्ति क ‘ उपहार…
नैन मिलायब गिरिधर स…
दिल स’ हुनकर महिमा गाएब
मनबुद्धि स सीखब गीता विस्तार,
पूछब अर्जुनक कोना मोहभंग भेल
मांगब ओहने हमहुं ग्यान अपार..
नैन मिलायब गिरिधर स…
क्रोध,भय,चिंता जुनि दूर करु
फसत जिनगी जे बीच मझधार,
अनुनय विनय करब कान्हा स’
पकरु हाथ,जीवन नैया पतवार…
नैन मिलायब गिरिधर स…
ई जग फुसियो लोभ द्वेष करु
चिंता स घटत जेहो आयु दिन चारि,
हरि नाम क’ लेओने मनका माला
रटब कृष्ण कृष्ण,बस एतबे पुकार…
नैन मिलायब गिरिधर स…
“मौलिक आ स्वरचित”
सर्वाधिकार सुरक्षित
© ® मनोज कर्ण
कटिहार ( बिहार )
तिथि –१०/०६/२०२५
ज्येष्ठ,शुक्ल पक्ष,चतुर्दशी तिथि ,मंगलवार
विक्रम संवत २०८२
मोबाइल न.– 8757227201
ईमेल पता – mk65ktr@gmail.com