Sahityapedia
Sign in
Home
Your Posts
QuoteWriter
Account
18 Apr 2025 · 1 min read

उपराग

नै छेलौ परकार गै मौगो
किये बजेलें‌ घोरऽ गै,
हम नै कहबौ,हम नै कहबौ,
कहतौ टोल-पड़ोस गै।
नीक- नीक साड़ी पेटी में रखलें,
हमरा देलें अंगोर गै,
मौर- मिठाई कोठी में रखलें,
हमरा देलें अंगोर गै,
हम नै कहबौ, हम नै कहबौ,
कहतौ टोल पड़ोस गै।
भाय हमर छल आंऐंखें फांसलें,
सास- ससुर हरकैलें गै,
भाय हमर भोऽ किछ नै बाजै,
माय हमर भोऽ किछ नै बाजै,
बजतौ टोल- पड़ोस गै,
हम नै कहबौ, हम नै कहबौ,
कहतौ टोल- पड़ोस गै।
आन तऽ देखलौ,
वांग तऽ सुनलौ,
देखलौ मौगीकऽ शान गै,
सांझ सकाले माय बजेलकऽ
संग बहीन भौजाई गै,
भौजाय- बिहिनियां,
बड़ नटिनियां,
नटुआ नाच देखाबै गै,
हम नै कहबौ, हम नै कहबौ,
कहतौ टोल पड़ोस गै
नै छेलौ परकार गे मौगो
किये बजेलें‌ घोरऽ गै
उमा झा🙏💕

Loading...