Sahityapedia
Sign in
Home
Your Posts
QuoteWriter
Account
29 Sep 2024 · 1 min read

काली एली अंगना

चलु चलु बहिना, काली एली अंगना,
काली माता बनिकऽ एली सुन्दर सुन्दर सपना,

बांझी ठारे, द्वारऽ माता,
पुत्र दियऽ माँ हे जगदम्बा,
पूजब बारहो महीना,
चलु चलु बहिना—–।

अन्हरा ठारे द्वारऽ माता,
ज्योति दियऽ माँ हे जगदम्बा,
जुड़ाएत दुनु नयना,
चलु चलु बहिना——-।

निर्धन ठारे द्वारऽ माता,
धोऽन दियऽ माँ हे जगदम्बा,
गढादेब देहक गहना,
चलु चलु बहिना——–।

कुमारी ठारे द्वारऽ माता,
कि-कि माँगु हे जगदम्बा,
किछ नै फुराइयै बहिना,
चलु चलु बहिना ——–।

सेवक ठारे द्वारऽ माता,
सहाये रहु माँ जगदम्बा,
जहिना छी तहिना,
चलु चलु बहिना, काली एली अंगना,
काली माता बनिकऽ एली सुन्दर सुन्दर सपना।

उमा झा🙏💕

Loading...