Sahityapedia
Sign in
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
25 Apr 2024 · 3 min read

“गर्व करू, घमंड नहि”

डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
==================
हम गर्व करैत छी कि हम भारतीय छी आ मिथिला क मैथिल छी ! हमर अपन लिपि अछि ,भाषा अछि आ सुंदर संस्कृति ! अनेक भाषा ,विभिन्य संस्कृति ,वेशभूषा आ खान -पान रहैत भारत मे एकता अछि तकर हमरा एहि पर गर्व अछि ! भारतीय सैन्य बल पर हमरा गर्व अछि ! देशक सुरक्षा मे लागल सिपाही पर हमरा गर्व अछि ! साधारणतया गर्व सकारात्मक शब्दक श्रेणीक द्वेतक अछि ! मुदा घमंड शब्द सुनैत हृदय विचलित भ जाइत अछि ! घमंड शब्द नकारात्मक शब्दक द्वेतक अछि ! गर्व केनाई सशक्त व्यक्तित्व क परिभाषा थीक ! मुदा घमंड शब्दक प्रयोग मूढ़ लोकनि करैत छथि ! ओना अनुपयुक्त आचरण , अकुशल व्यवहार ,कर्कश बोल ,अशिष्टता ,अमानवीय आ असामाजिक भंगिमा घमंड व्यक्ति क निशानी थीक ! घमंड व्यक्तिक विशेषता थीक जकर दूषित बसात सामाजिक प्रदूषण केँ बड़बैत अछि !
गर्व कयल जाइत अछि आ घमंडक आभास स्वतः भ जाइत अछि ! एहन व्यक्ति समाज ,ग्राम ,शहर ,देश सब ठाम प्रचुर संख्या मे उपलब्ध छथि ! इ घमंडक संक्रामक रोग फेसबूक क रंगमंच पर सहो सनिहा गेल अछि ! महान सँ महान व्यक्ति ,लेखक ,कवि ,साहित्यकार ,संगीतज्ञ ,कलाकार ,गायक ,चिकित्सक ,अभियंता ,नौकरशाह ,अधिवक्ता ,खेलाड़ी ,प्रवक्ता ,अभिनेता ,दिग्दर्शक इत्यादि एहि रंगमंचक शोभा बड़बैत छथि ! सामान्य लोक केँ इ गर्व क गप्प थीक जे हमरा रंगमंच में एते महान- महान लोक जुड़ाल छथि ! जुडय काल त सामान्य लोक सँ इ सब जुड़ि त गेलाह मुदा तकरा लेल दू शब्द नहि लिखि सकलाह आ नहि कहियो गप्प क सकलाह ! किछु एहि मे अपवादो छथि ! सम्पूर्ण जीवन इ महान आत्मा अपन उपलब्धि क प्रचार -प्रसार मे लागल रहलाह ! अपना सँ साधारण व्यक्ति केँ सदैव दलित बुझि तिरस्कार केलनि ! हमरा बुझने इ स्पष्टतः हिनका लोकनि केँ घमंडी कहब कोनो अतिशयोक्ति नहि भ सकैत अछि !
गर्व त हमरा हुनका पर होइत अछि जे सब चीज मे पूर्ण रहैत अपना सँ श्रेष्ठ केँ ,समतुल्य केँ आ अनुज केँ यथायोग्य सम्मान आ स्नेह दैत रहैत छथि ! समयानुकूल जिज्ञासा करबाक प्रयास सबकेँ करैत रहैत छथि! हुनका पर सब गर्व किया नहि करतनि ? तें त हुनका “ महानायक ” कहि सम्बोधन दसों दिशा मे गुंजित होइत रहैत अछि ! संयानुसारें अपन सुझाब ,प्रेरणा ,ढाढ़स,प्रोत्साहन आ अश्वासन दैत रहैत छथि ! ओ सभक जीवन मे प्रवेश करि कुशल क्षेम पूछइत रहैत छथि ! कहू एहन महान व्यक्ति पर के गर्व नहि करत ?
घमंडी व्यक्ति क आभास भेनाइ कोनो असहज नहि अछि ! व्यावहारिक जीवन में अपन आस -पड़ोस देखि केँ अनुमान सहजहि लागि जाइत अछि ! मुदा फेसबूक पर हुनक गतिविधि सँ अनुमान लगैत अछि जे अपना स्थान मे वो भने श्रेष्ठ छथि मुदा व्याहवारिकता मे वो नगण्य ! आहाँ न्यूज रीडर छी ,अभिनेता छी ,नेता छी ,कवि छी आ जीवनक श्रेष्ठ पद पर अवस्थित छी ,मुदा घमंड किया ? आहाँक मौनता ,निरुत्तरता ,अनदेखी ,अमान्यता क संक्रामकता देखि कियो जे मनोविज्ञानिक चिकित्सक नहियो छथि ओ आहाँ क नकारात्मक भंगिमा केँ देखि आ परखि केँ घमंडी रोग क निदान( Diagnosis ) क सकैत छथि ! कखनो – कखनो घमंडी व्यक्ति केँ दौरा सहो पड़ैत छनि ! मित्रता सूची मे त वो वरखो सँ संमलित छथि ! मुदा कहियो संवाद नहि भेल ! कखनो -कखनो एहन आगि उगलि देताह कि तकर उपचार ICU मे भेटनाई असंभव अछि ! अंततः हुनका सँ विदा लेमय पड़ैया ! बेमतलब क उतरा -चौरी मे किया लागल रहू ?
कर्तव्य एहन हेबाक चाहि जे हमरा पर लोक गर्व करए ! बहिर बनि जे अपने ताले नाचब त लोक घमंडी कहत ! अप्पन गप्प करू ,अप्पन प्रतिभा क प्रदर्शन करू ,समाज ,राज्य ,देश आ विदेश मे अप्पन परचम फहराऊ मुदा मित्र बनल छी त आर किछु नहि संवाद ,स्नेह ,शुभकामना ,बधाई आ सकारात्मक प्रोत्साहन देबा सँ अपना केँ बँचित नहि करू ! कनिष्ठ लोकनि सँ आग्रह अछि जे श्रेष्ठ लोकनि जखन प्रोत्साहन ,ढाढ़स ,स्नेह ,बधाई ,शुभकामना इत्यादि दैत छथि त हुनका THANKS मात्र कहि नेपथ्य मे विलीन नहि भ जेबाक चाहि ! हुनका आभार आ प्रणाम करबाक चाहि ! नहि त घमंड क उपाधि सँ आहूँ अलंकृत भ जायब !
===========================
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
एस ० पी ० कॉलेज रोड
दुमका,
झारखण्ड,
भारत

Language: Maithili
Tag: लेख
1 Like · 192 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.

You may also like these posts

.
.
*प्रणय प्रभात*
बच्चे ही अच्छे हैं
बच्चे ही अच्छे हैं
Diwakar Mahto
*धक्का-मुक्की हो रही, संसद का यों चित्र (कुंडलिया)*
*धक्का-मुक्की हो रही, संसद का यों चित्र (कुंडलिया)*
Ravi Prakash
सरसी छंद
सरसी छंद
seema sharma
द्वार पर
द्वार पर
Dr. Bharati Varma Bourai
✍️ शेखर सिंह
✍️ शेखर सिंह
शेखर सिंह
दिल पर ठेस लगती है तो आवाज नही होती।
दिल पर ठेस लगती है तो आवाज नही होती।
Rj Anand Prajapati
ये दुनिया
ये दुनिया
इंजी. संजय श्रीवास्तव
पल में सब  कुछ खो गया
पल में सब कुछ खो गया
सुखविंद्र सिंह मनसीरत
वैदेही का महाप्रयाण
वैदेही का महाप्रयाण
मनोज कर्ण
मां
मां
Uttirna Dhar
क्षणिकाएं
क्षणिकाएं
Suryakant Dwivedi
ਮੁੜ ਗਏ ਸੀ ਸੱਜਣ
ਮੁੜ ਗਏ ਸੀ ਸੱਜਣ
Surinder blackpen
मैने
मैने
हिमांशु Kulshrestha
आध्यात्मिक दृष्टिकोण से मन की शांति के उपाय। मिथक बातें का खण्डन। ~ रविकेश झा
आध्यात्मिक दृष्टिकोण से मन की शांति के उपाय। मिथक बातें का खण्डन। ~ रविकेश झा
Ravikesh Jha
अपनी नज़र में
अपनी नज़र में
Dr fauzia Naseem shad
"सुब्ह-ए-नज़र में वो ताज़गी सी आई,
Dheerendra Panchal
जीवन से  प्यार करो।
जीवन से प्यार करो।
रामनाथ साहू 'ननकी' (छ.ग.)
तुम्हारी उपस्थिति में,
तुम्हारी उपस्थिति में,
पूर्वार्थ
ईश्वर
ईश्वर
dr rajmati Surana
दिल की प्यारी
दिल की प्यारी
जय लगन कुमार हैप्पी
तेरा प्यार भुला न सके
तेरा प्यार भुला न सके
Jyoti Roshni
"देखो तो"
Dr. Kishan tandon kranti
संवेदना का प्रवाह
संवेदना का प्रवाह
Mrs PUSHPA SHARMA {पुष्पा शर्मा अपराजिता}
काश जाने वालों के पास भी मोबाइल होता...
काश जाने वालों के पास भी मोबाइल होता...
MEENU SHARMA
यक्षिणी-5
यक्षिणी-5
Dr MusafiR BaithA
गांव
गांव
Shriyansh Gupta
राम रूणिचा वाळा
राम रूणिचा वाळा
जितेन्द्र गहलोत धुम्बड़िया
कह दूँ मन की बात या,
कह दूँ मन की बात या,
sushil sarna
ध्यान कर हरी नाम का
ध्यान कर हरी नाम का
Buddha Prakash
Loading...