Sahityapedia
Sign in
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
16 Sep 2021 · 2 min read

“ सभा गाछी “

डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल
=====================
सौराठ सभा मे झगड़ा बाझल ! एक दिश सौराठ आ दोसर दिश पिलखवाड़ ! विजय झा सौराठक दवंग छलाह ! ओ अपना सँगे किछु उत्पाती युवक केँ सहो नेने आयल छलाह ! अपन कॉलर ऊपर केने पिलखवाड़क कम्बल लग आबि ललकारय लगलाह –
“ के माय क लाल अछि जे इ बर केँ सौराठ सभा सँ ल जायत ? एहि बरक विवाह एहि गाम सौराठ मे हैत !”
पिलखवाड़ ग्रामक विभिन्य बेसारी सँ लोग सब एकत्रित होमय लगलाह !
“ की भेलय ,की भेलय यो “ सब पुछ’ लगलाह !
पिलखवाड़ क पहलवान राम चंद्र ठाकुर सहो आयल छलाह ! हुनको संगे हुनकर चेला चपाटी रहैनि ! रणभूमि सभा गाछी बनल जा रहल छल ! राम चंद्र बाबू सहो कूदि पड़लाह !
संबंध क लत्ती मिथिला मे एहन पसरल अछि जे सब गाँव सब गाँव सँ जुड़ल अछि ! मामला शांत भेल ! सूर्यास्त क बाद सब अपन अपन गाम विदा भेलाह ! काल्हि पुनः सभा लागत !
आइ सौराठ सभा क प्रथम दिन छल ! आर महाभारतक शंखनाद ओहो तेहन बर ला जे दुमका मे रहैत छथि ! लक्ष्मणक जन्म दुमका मे भेल रहनि ! शिक्षा -दीक्षा ओहिठाम भेल छलनि ! अपने मैथिली बाजय मे परिपक्व नहि छलाह ! ग्राम गनौली आ मातृक पिलखवाड़ होइतो सब हिनका “दछीनाहा “ कहैत छलनि ! लक्ष्मण क इच्छा रहनि वियाह मैथिल कन्या सँ करि ! पिलखवाड़ मातृक छलनि ,छोट बहिन क सासुर आ जेष्ठ भ्राता क सासुर सहो पिलखवाड़े छलनि !
ओ त संयोगवश सभा गाछी मे सौराठ क श्री उदित नारायण झा सँ बरक पिता पंडित दशरथ झा सँ भेंट भ गेलनि ! वो दूनू स्वतंत्रता संग्राम क्षण क मित्र रहैथि ! सभा गाछी सँ सटले उदित बाबूक पूवारि टोल मे घर छलनि ! हुनक आग्रह पर बर लक्ष्मण ,भ्राता आ हुनक पिता ओहिठाम गेलाह ! उदित बाबू अपन दौहित्री क लेल प्रस्ताव रखलनि ! बाद मे लक्ष्मण केँ पता लगलनि इ कन्या त मुंगेर क छथि !
लक्ष्मण त सोचने रहैथ वियाह करब त मिथिला मे ! ओ अपन संकोच तोड़ि अपन पिताजी केँ कहलनि –
“ बाबू जी ! हम मुंगेर मे वियाह नहि करब ! सभा गाछी एलहूँ त वियाह मैथिल कन्या सँ हेबाक चाहि ! “
लक्ष्मण क तर्क सुनि हुनक पिता आनंदित भेलाह आ कहलनि —-
“ चलू ,आब पिलखवाड़ चलू ओहि ठाम गप्प हैत !”

ओना कथा पहिने शिविपट्टी सँ आयल छल ! हरि झा ओहिठामक प्रतिष्ठित लोक रहैथ ! हुनके कन्या पर समस्त लक्ष्मण क मातृक लोक आ ओझा सब लागल छलाह ! इ सभा गाछी क महाभारत देखि दलान पर निर्णय भेल कि आब ओ सब कियो नहि पुनः सभा गाछी फटकताह ! सब गोटे सोचलनि वियाह करब की महाभारत ?

रतिए उग्रमोहन बाबू साइकिल लेलनि आ बिदा भेलाह शिविपट्टी ! ओहि घर मे हुनकर छोट बहिन क वियाह भेल छलनि ! तें लक्ष्मण क वियाह क गप्प चलि रहल छल ! ओ त सभा गाछी मे उदित बाबू क प्रस्ताव पर कनि गरमा – गर्मी भ गेल छल ! एकर जड़ि मे बात इ छल जे शिविपट्टी क हरि बाबू आ सौराठक उदित बाबू दूनू समधि रहैथ !

प्रातः उग्रमोहन बाबू कन्यागत ल केँ आबि गेलाह ! सिद्धांत पंजीकार सँ लिखायल गेल ! आ दोसर दिन वियाह भ गेल !
=====================
डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
साउन्ड हेल्थ क्लिनिक
एस 0 पी 0 कॉलेज रोड
दुमका ,
झारखंड

Language: Maithili
477 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.

You may also like these posts

शुभांगी छंद
शुभांगी छंद
Rambali Mishra
कमाई
कमाई
शिव प्रताप लोधी
आंसू
आंसू
sheema anmol
अस्तित्व
अस्तित्व
Shyam Sundar Subramanian
हम भी खिलेंगे कभी
हम भी खिलेंगे कभी
ब्रजनंदन कुमार 'विमल'
जाने कब पहुंचे तरक्की अब हमारे गांव में
जाने कब पहुंचे तरक्की अब हमारे गांव में
डॉ सगीर अहमद सिद्दीकी Dr SAGHEER AHMAD
पानी जैसा बनो रे मानव
पानी जैसा बनो रे मानव
Neelam Sharma
"कोयल की कूक"
राकेश चौरसिया
यदि होना होगा, तो तूझे मेरा होना होगा
यदि होना होगा, तो तूझे मेरा होना होगा
Keshav kishor Kumar
कुछ किताबें और
कुछ किताबें और
Shweta Soni
The Breath
The Breath
Otteri Selvakumar
हवस में डूबा हुआ इस सृष्टि का कोई भी जीव सबसे पहले अपने अंदर
हवस में डूबा हुआ इस सृष्टि का कोई भी जीव सबसे पहले अपने अंदर
Rj Anand Prajapati
AMC (आर्मी) का PAY PARADE 1972 -2002” {संस्मरण -फौजी दर्शन}
AMC (आर्मी) का PAY PARADE 1972 -2002” {संस्मरण -फौजी दर्शन}
DrLakshman Jha Parimal
अर्थी पे मेरे तिरंगा कफ़न हो
अर्थी पे मेरे तिरंगा कफ़न हो
Er.Navaneet R Shandily
आँखों में नींदें थी, ज़हन में ख़्वाब था,
आँखों में नींदें थी, ज़हन में ख़्वाब था,
डॉ. शशांक शर्मा "रईस"
चलो ऐसा करते हैं....
चलो ऐसा करते हैं....
Meera Thakur
एहसान
एहसान
Kshma Urmila
सोच का अंतर
सोच का अंतर
मधुसूदन गौतम
An old man !
An old man !
Buddha Prakash
जन्मदिन
जन्मदिन
Sanjay ' शून्य'
देखों, हम दलितों का, ऐसा यह मोहल्ला है
देखों, हम दलितों का, ऐसा यह मोहल्ला है
gurudeenverma198
कुछ ना पा सकोगे तुम इस झूठे अभिमान से,
कुछ ना पा सकोगे तुम इस झूठे अभिमान से,
Ranjeet kumar patre
मुझे भी लगा था कभी, मर्ज ऐ इश्क़,
मुझे भी लगा था कभी, मर्ज ऐ इश्क़,
डी. के. निवातिया
😢महामूर्खता😢
😢महामूर्खता😢
*प्रणय प्रभात*
" गूंगापन "
Dr. Kishan tandon kranti
जीवन (एक पथ)
जीवन (एक पथ)
Vivek saswat Shukla
वो दिन भी क्या दिन थे
वो दिन भी क्या दिन थे
ठाकुर प्रतापसिंह "राणाजी "
पहली दस्तक
पहली दस्तक
हिमांशु बडोनी (दयानिधि)
3269.*पूर्णिका*
3269.*पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
छुपे राज( ग़ज़ल)
छुपे राज( ग़ज़ल)
shaguphtarehman70
Loading...