Sahityapedia
Sign in
Home
Your Posts
QuoteWriter
Account
28 Sep 2021 · 1 min read

शैर

-;——

1. चलैत अछि हमरा देख क, सुरत बदैल-बदैल क ।
हमरा सँ जे सिखलक, चलनांय सम्हैर-सम्हैर क ।।

2. काँच कली सँ अहाँ के सेबलौंह, आई फूल बनि इतराई छी ।
मोन देलौंह अहाँ दोसर के, प्रदीप के कियेक ठकैत छी ।।

3. चान सनक सुरत पर गोरी पहिले मोरलौंह हम ।
छोड़ि देलौंह मझधार में नैया, द क गेलौंह गम ।।

4. एक ताल पर गोरी नाचय, दु ताल पर हम ।
ठुमुक-ठुमुक क प्रियतम चलय, पैजब छमाछम ।।

5. सपन देखल, राधा नाचय आंगन, पहिर प्रीत रंग साड़ी ।
हँस बनल अछि जोगी जग में, हँसनी रहल कुमारी ।।

Loading...