Sahityapedia
Sign in
Home
Your Posts
QuoteWriter
Account
11 Oct 2021 · 1 min read

जिनगी पथ

सन्न बैसू हम
केहन जिनगी छै
के अप्पन के पराया छै
काँट भरल अतह सगरे पथ
रोड़ा बनिकेँ ठारह अपनेक देखू
केओ नै अप्पन एहि ठाम सब पराया छै

पैघ मनुख्ख के पूजि रहल छै
आगू बढैत के केओ रोकि रहल छै
हिय कहै नै हारि अहिना जिनगी पथ मे
पाग चाहे गमछा राखि आगू बढि अहिना
झूका दैब एक दिन दूनिया के अप्पन आगु
कियो नै रहतै अपन आन सब अप्पन हेतयै अतय
हिय कहैय इ दैखि उपरसँ भगवन हाँसि रहल छै

मौलिक एवं स्वरचित
© श्रीहर्ष आचार्य

Loading...