Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
24 Nov 2021 · 1 min read

” हमहूँ अकर्मण्यता सीख गेलहुं “

डॉ लक्ष्मण झा”परिमल ”
( मैथिली भाषा )
==================
कखनो -कखनो हमहूँ सोचैत छी जे अप्पन अकर्मण्यताक प्रदर्शन करि…!… सब दिनक वैह काज ? भोरे उठू… बी बी सी सुनू ..व्यायाम करू ..क्लिनिक जाऊ ..इन्टरनेट सं कुश्ती करू ..पुनः बी बी सी संध्या काल सुनू…फेर लागि जाऊ देश -विदेशक समाचारक आलोचना आ समीक्षा मे !……आब हमहूँ शतरंजक चालि सीख गेल छी !….बैसल ..बैसल ..सिपाही ,हाथी,घोडा .ऊंट ,मंत्री आ राजा कें डोलबैत रहब ..पानक गिलोरी गा्ल तर रखने रहब …फेसबुकक त गप्प आब जुड़ -शीतलक बसिया भात भ’ गेल ! एक्के बेर मे लाखों मित्र बना लेलहुं ! ..तकैत रहथ हमर प्रोफाइल कें…कतो नहि भेटबनि !
साल भरि त दर्शन देबनि नहि ….आ जे प्रकट भेलहुँ त बुझि लिय हमर “जन्म दिन” थीक !..अपना दूनू प्राणीक फोटो स्कैनिंग बला प्रोफाइल मे साटि देबनि आ लिखि देबनि ” आइ हमर विवाहक २५ सम सालगिरह अछि ..आहां लोकनिक शुभकामनाक अपेक्षा !” ..अकर्मण्यता बहत्तर हाथक अतडी बना देत …किनको पता -ठेकान देबनि नहि..रहब सासुर..त मातृकक पता हुनका देबनि ! ..कतो जे अनचौके जे धरा गेलहुं इंटरनेटक परिधि मे ..त तपाक सं कहि देबनि……हम किछु मोबाइल पर लिखिए नहि सकैत छी….पुरनका लोक भेलहुँ ..नवतुरिया सजग छथि..सचेष्ट छथि ..हुनका लेखें दही -चुडा -चीनी ! ….हम व्यंजन केना रानभ ? …आ ..केना परोसब ?…सब पाठ मे निपूर्ण त पहिने भ गेल छलहूँ ….अकर्मण्यता क पाठ छुटल छल …आहां लोकनि अपना कें परीक्षक बुझि हमरा यथोचित अंक दय कृतार्थ करू !–सस्नेह !
==============
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका
झारखण्ड
भारत

Language: Maithili
Tag: लेख
353 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
Shayari
Shayari
Sahil Ahmad
संतोष
संतोष
Manju Singh
बो रही हूं खाब
बो रही हूं खाब
Surinder blackpen
गुरुकुल भारत
गुरुकुल भारत
Sanjay ' शून्य'
काव्य का आस्वादन
काव्य का आस्वादन
कवि रमेशराज
*झूला सावन मस्तियॉं, काले मेघ फुहार (कुंडलिया)*
*झूला सावन मस्तियॉं, काले मेघ फुहार (कुंडलिया)*
Ravi Prakash
मोहब्बत आज भी अधूरी है….!!!!
मोहब्बत आज भी अधूरी है….!!!!
Jyoti Khari
ताउम्र लाल रंग से वास्ता रहा मेरा
ताउम्र लाल रंग से वास्ता रहा मेरा
ठाकुर प्रतापसिंह "राणाजी"
शर्तों पे कोई रिश्ता
शर्तों पे कोई रिश्ता
Dr fauzia Naseem shad
"Radiance of Purity"
Manisha Manjari
जिंदगी में संतुलन खुद की कमियों को समझने से बना रहता है,
जिंदगी में संतुलन खुद की कमियों को समझने से बना रहता है,
Seema gupta,Alwar
Thought
Thought
अनिल कुमार गुप्ता 'अंजुम'
स्वयं की खोज कैसे करें
स्वयं की खोज कैसे करें
Yogi Yogendra Sharma : Motivational Speaker
होने नहीं दूंगा साथी
होने नहीं दूंगा साथी
gurudeenverma198
सावन‌ आया
सावन‌ आया
Neeraj Agarwal
जब सांझ ढले तुम आती हो
जब सांझ ढले तुम आती हो
Dilip Kumar
दवा के ठाँव में
दवा के ठाँव में
Dr. Sunita Singh
"आवारा-मिजाजी"
Dr. Kishan tandon kranti
बिछड़ कर तू भी जिंदा है
बिछड़ कर तू भी जिंदा है
डॉ. दीपक मेवाती
चालवाजी से तो अच्छा है
चालवाजी से तो अच्छा है
Satish Srijan
सविधान दिवस
सविधान दिवस
Ranjeet kumar patre
मौन पर एक नजरिया / MUSAFIR BAITHA
मौन पर एक नजरिया / MUSAFIR BAITHA
Dr MusafiR BaithA
रंजीत शुक्ल
रंजीत शुक्ल
Ranjeet Kumar Shukla
नए साल के ज़श्न को हुए सभी तैयार
नए साल के ज़श्न को हुए सभी तैयार
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
खुला आसमान
खुला आसमान
विनोद वर्मा ‘दुर्गेश’
जो हैं आज अपनें..
जो हैं आज अपनें..
Srishty Bansal
■ एक सलाह...
■ एक सलाह...
*Author प्रणय प्रभात*
अनंत की ओर _ 1 of 25
अनंत की ओर _ 1 of 25
Kshma Urmila
जो बनना चाहते हो
जो बनना चाहते हो
dks.lhp
2962.*पूर्णिका*
2962.*पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
Loading...