Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
3 Oct 2021 · 2 min read

” हमरा आंखि सं नोर झहरैत अछि”

डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
==========================
अद्भुत वरदान हमरा प्राप्त भऽ गेल ! संभवतः हम अपूर्ण रहितहूँ ! गूगल क अविष्कार हमरा सम्पूर्ण बना देलक !
पहिने हम एकरा लोलना कहैत रहि मुदा हमर पुत्र ,पौत्री ,पौत्र आ दोहित्र क शिक्षण कला सं हमरा एकटा सुयोग्य विद्यार्थी बना देलनि ! आइ एहि यंत्र क माध्यमे प्राय -प्राय सब गोटे सफलता क उंच्च शिखर पर पहुँचय चाहैत छथि ! हमहूँ क्रमशः लिखबाक कला सं अवगत भेलहूँ ! मैथिली,हिंदी आ अंग्रेजी सं परिचित रहि ! कागद ,कलम आ दबात धरि सीमित छल ! आब गूगल क सानिध्य हमर रूप रंग बदलि देलक !
ओना तऽ 99 % मैथिल लोकनिक सानिध्य हमरा फेसबुक मे भेटल अछि ! किछु लेखक ,कवि,कथाकार ,रंगमंच कर्मी ,गायक ,समालोचक क कृति क दर्शन आ मनन क उपरांत बहुत किछु सीखलहूँ ! “ज्ञान क अंत नहि छैक आ सीखबा क कोनो उम्र नहि !”
मुदा कखनो -कखनो नाटकीय अंदाज हमरा ह्रदय कें जीर्ण -जीर्ण कऽ देत अछि ! .हमरे पड़ोसिये छथि श्री डॉ कमला कान्त झा ( नाम बदलल ) ! 2016 मे एहि कॉलेज मे प्राचार्य सं सेवानिवृत भेलाह ! कॉलेज मे हिनकर नियुक्ति मैथिली प्राध्यापक क रूप मे भेल छलनि ! हमरा अवसर भेटल हुनका डेरा जेबाक ! कुशल क्षेम पुछलियनि आ पुछलियनि -” बच्चा सब मैथिली बजैत अछि ? “वो कहला ..” हाँ ..हाँ ..सब बजैत अछि “!
संयोगवश हुनकर पुत्र आ पौत्र बहार निकलि स्कूल जाइत छलाह ! हम किछु मैथिली मे पुछलियनि मुदा किछु नहि जवाब भेटल !…….
इ नाटकीय अंदाज देखि हम विक्षुब्द भऽ जाइत छी !निरंतर हमर प्रयास रहित अछि जे किछु न किछु नवीन चीज सीखू ! हम मिथिलाक्षर सीख रहल छी ! आ यदा -कदा फेसबुक क मध्यमे लोकक समक्ष समर्पित सेहो कऽ रहल छी ! मुदा जखन हमर मैथिलीआखरक अवहेलना होइत अछि आ तिरस्कार क अग्नि मे झुलसैत अछि त हमरा आंखि सं नोर झहरैत अछि !
====================
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
एस ० पी ० कॉलेज रोड
दुमका

Language: Maithili
Tag: लेख
238 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
डॉ अरुण कुमार शास्त्री - एक अबोध बालक
डॉ अरुण कुमार शास्त्री - एक अबोध बालक
DR ARUN KUMAR SHASTRI
इक शे'र
इक शे'र
डॉक्टर वासिफ़ काज़ी
वह नारी है
वह नारी है
रोहताश वर्मा 'मुसाफिर'
जब बहुत कुछ होता है कहने को
जब बहुत कुछ होता है कहने को
पूर्वार्थ
***
***
sushil sarna
*अमर रहेंगे वीर लाजपत राय श्रेष्ठ बलिदानी (गीत)*
*अमर रहेंगे वीर लाजपत राय श्रेष्ठ बलिदानी (गीत)*
Ravi Prakash
ఇదే నా భారత దేశం.
ఇదే నా భారత దేశం.
डॉ गुंडाल विजय कुमार 'विजय'
रूठी बीवी को मनाने चले हो
रूठी बीवी को मनाने चले हो
Prem Farrukhabadi
आप जिंदगी का वो पल हो,
आप जिंदगी का वो पल हो,
Kanchan Alok Malu
"राखी"
Dr. Kishan tandon kranti
संकट..
संकट..
Sushmita Singh
रूबरू।
रूबरू।
Taj Mohammad
दिल -ए- ज़िंदा
दिल -ए- ज़िंदा
Shyam Sundar Subramanian
अहसान का दे रहा हूं सिला
अहसान का दे रहा हूं सिला
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
बरपा बारिश का कहर, फसल खड़ी तैयार।
बरपा बारिश का कहर, फसल खड़ी तैयार।
डॉ.सीमा अग्रवाल
हब्स के बढ़ते हीं बारिश की दुआ माँगते हैं
हब्स के बढ़ते हीं बारिश की दुआ माँगते हैं
Shweta Soni
बंधन में रहेंगे तो संवर जायेंगे
बंधन में रहेंगे तो संवर जायेंगे
Dheerja Sharma
जागो जागो तुम,अपने अधिकारों के लिए
जागो जागो तुम,अपने अधिकारों के लिए
gurudeenverma198
जीना सीख लिया
जीना सीख लिया
Anju ( Ojhal )
■ मुक्तक-
■ मुक्तक-
*Author प्रणय प्रभात*
कदम रोक लो, लड़खड़ाने लगे यदि।
कदम रोक लो, लड़खड़ाने लगे यदि।
Sanjay ' शून्य'
जब सहने की लत लग जाए,
जब सहने की लत लग जाए,
शेखर सिंह
दस लक्षण पर्व
दस लक्षण पर्व
Seema gupta,Alwar
इमोशनल पोस्ट
इमोशनल पोस्ट
Dr. Pradeep Kumar Sharma
💐प्रेम कौतुक-212💐
💐प्रेम कौतुक-212💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
मंद मंद बहती हवा
मंद मंद बहती हवा
Soni Gupta
शांतिवार्ता
शांतिवार्ता
Prakash Chandra
अलग सी सोच है उनकी, अलग अंदाज है उनका।
अलग सी सोच है उनकी, अलग अंदाज है उनका।
निरंजन कुमार तिलक 'अंकुर'
जलाओ प्यार के दीपक खिलाओ फूल चाहत के
जलाओ प्यार के दीपक खिलाओ फूल चाहत के
आर.एस. 'प्रीतम'
क्या पता...... ?
क्या पता...... ?
Dr. Akhilesh Baghel "Akhil"
Loading...