Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
16 Sep 2021 · 2 min read

“ लूकिंग टू लंदन एण्ड टाकिंग टू टोकियो “

डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
======================
ओना फेसबूक क रंगमंच पर एक सं एक दिगज अभिनेता ,चरित्र अभिनेता ,हास्य अभिनेता ,अभिनेत्री ,श्रेष्ठ कलाकार ,दिग्दर्शक ,कैमरमैन ,संगीतज्ञ ,गायक ,नृत्य निर्देशक ,गीतकार इत्यादि सब सफल प्रस्तुति सं सफल बॉक्स ऑफिस हिट चलचित्रक निर्माण करैत छथि ! हिनका लोकनिक साक्षात योगदान आ अथक परिश्रम सं फेसबूकक रंगमंच चमकैत रहित अछि !
इ त सत्य अछि कि बहुतो लोकनि क उत्कंठा फेसबूकक रंगमंच पर आनि ठाढ़ क देलनि मुदा हुनक उत्कंठा नामांकन धरि सीमित रहल ! नहि धनुर्धर बनलहूँ नहि सिखबाक प्रयास केलनि ! बनि गेलाह सूत्रधार , मेकप मेन ,स्टन्ट मेन इत्यादि ! नेपथ्य मे रहितो हिनकर योगदान क महत्व कम नहि छनि ! यदा -कदा हिनकर उपस्थिति फेसबूक क पृष्ठ केँ नव परिधान आ शृंगार सं सुसज्जित करैत रहित छथि ! मुदा अधिकाशतः लोक अपन नामांकन करा ,मित्र बनि पाताल- लोक मे विलीन भ जाइत छथि !
कुंभकरण छः मास सुतैत छल आ जगे छल छः मास ! रावण अपन विवेक सं कुम्भकर्णक उपयोग करैत छल ! अधिकाशतः फेसबूक क मित्र लोकनि एक बरख सुतल रहित छथि ! अप्पन -अप्पन जन्म -दिन ,विवाहक बर्षगाँठ ,मुड़न ,उपनयन ,गृह प्रवेश ,पुस्तक विमोचन ,पुरस्कार वितरण ,विध्यापति समारोह इत्यादि मे एहन लोक सब फुरफुरा केँ उठि जेताह आ पुनः विलीन भ जेताह ! अपन रक्षा हेतु एहन लोकनि सब कर्णक कबच कुंडल सहो पहिरने रहित छथि ! वो कहता , “ हम व्यस्त रहित छी …..हम कोनो अकाजक ( नल्ला ) छी ? नौकरी अछि ,बच्चा -बूचि अछि ,कनियाँ छथि इत्यादि -इत्यादि ! “कियो आर कहता , “ आहाँ की बुझब ? हमरा इ विचित्र यंत्र चलबय नहि अबया ! …..मोबाईल खराब भ गेल ….कंप्युटर हैक भ गेल ,इत्यादि -इत्यादि !”
आब फेसबूक रंगमंचक दर्शकक संख्या असीमित अछि ! हिनक उपस्थिति एकटा नवीन ऊर्जा क संचालन करैत अछि ! हिनक उत्साहवर्धक ढ़ाड़स ,प्रोत्साहन ,पीहकारी ,शोर ,वाह -वाह आ ताली क प्रतिध्वनि सं सक्रिय अभिनेता ,चरित्र अभिनेता ,हास्य अभिनेता ,अभिनेत्री ,श्रेष्ठ कलाकार ,दिग्दर्शक ,कैमरमैन ,संगीतज्ञ ,गायक ,नृत्य निर्देशक ,गीतकार इत्यादि संजीवनी क कार्य करैत छथि ! मुदा कखनो-कखनो हमरा लोकनि “ गोनू झा “ बनि जाइत छी ! विषय किछु रहए परंच हुनकर “ ऊँघायल कमेन्ट “ बद्द मर्मभेदी होइत छनि ! आब देखू हम आइ इ विषय “ लूकिंग टू लंदन एण्ड टाकिंग टू टोकियो “ पर गप्प क रहल छी ! बहुतो लोकनि लिखताह —-“ जय मिथिला, “जय भवानी ,” “जय हो “ “ जय संतोषी माता ,”“जय श्री राम “
इत्यादि इत्यादि !
इ उद्घोष आस्था आ विश्वासक परिचायक अछि ! एहि कमेन्ट क सर्वथा सम्मान हेबाक चाहि ! एहि उद्घोषणा क प्रयोग आ उच्चारण उचित स्थान अथवा उचित समय पर हेबाक चाहि ! कते लोक अपन समालोचना सटीक करैत छथि ! मुदा विषय किछु आर रहित छैक आर हुनक समालोचना “ लूकिंग टू लंदन एण्ड टाकिंग टू टोकियो “ पर आधारित रहित छनि ! कियो लिखलखिन कोनो आन विषय आ समालोचना किछु आर भेल ! दर्शकक आसान पर आरूढ़ भय हमरा लोकनि केँ यथार्थ उत्साहवर्धक ढ़ाड़स ,प्रोत्साहन ,पीहकारी ,शोर ,वाह -वाह आ ताली क प्रतिध्वनि सं फेसबूक क कलाकार मनोबल बढेबाक चाहि अन्यथा लोक अवश्य कहताह इ त “ लूकिंग टू लंदन एण्ड टाकिंग टू टोकियो “ वला लोक छथि !
=========================
डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
साउन्ड हेल्थ क्लिनिक
एस 0 पी 0 कॉलेज रोड
दुमका ,
झारखंड
भारत

Language: Maithili
Tag: लेख
386 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
कुंडलिया छंद
कुंडलिया छंद
डाॅ. बिपिन पाण्डेय
22-दुनिया
22-दुनिया
Ajay Kumar Vimal
*चिकने-चुपड़े लिए मुखौटे, छल करने को आते हैं (हिंदी गजल)*
*चिकने-चुपड़े लिए मुखौटे, छल करने को आते हैं (हिंदी गजल)*
Ravi Prakash
जहां पर जन्म पाया है वो मां के गोद जैसा है।
जहां पर जन्म पाया है वो मां के गोद जैसा है।
सत्य कुमार प्रेमी
आज होगा नहीं तो कल होगा
आज होगा नहीं तो कल होगा
Shweta Soni
🌺प्रेम कौतुक-195🌺
🌺प्रेम कौतुक-195🌺
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
हमने भी मौहब्बत में इन्तेक़ाम देखें हैं ।
हमने भी मौहब्बत में इन्तेक़ाम देखें हैं ।
Phool gufran
"याद तुम्हारी आती है"
Dr. Kishan tandon kranti
Mohabbat
Mohabbat
AMBAR KUMAR
ॐ
सोलंकी प्रशांत (An Explorer Of Life)
ایک سفر مجھ میں رواں ہے کب سے
ایک سفر مجھ میں رواں ہے کب سے
Simmy Hasan
संजय सनातन की कविता संग्रह गुल्लक
संजय सनातन की कविता संग्रह गुल्लक
Paras Nath Jha
खून पसीने में हो कर तर बैठ गया
खून पसीने में हो कर तर बैठ गया
अरशद रसूल बदायूंनी
******** प्रेरणा-गीत *******
******** प्रेरणा-गीत *******
सुखविंद्र सिंह मनसीरत
तनख्वाह मिले जितनी,
तनख्वाह मिले जितनी,
Satish Srijan
I Can Cut All The Strings Attached
I Can Cut All The Strings Attached
Manisha Manjari
आज खुश हे तु इतना, तेरी खुशियों में
आज खुश हे तु इतना, तेरी खुशियों में
Swami Ganganiya
अच्छे दामों बिक रहे,
अच्छे दामों बिक रहे,
sushil sarna
“तुम हो तो सब कुछ है”
“तुम हो तो सब कुछ है”
DrLakshman Jha Parimal
खाने पुराने
खाने पुराने
Sanjay ' शून्य'
मैं जी रहीं हूँ, क्योंकि अभी चंद साँसे शेष है।
मैं जी रहीं हूँ, क्योंकि अभी चंद साँसे शेष है।
लक्ष्मी सिंह
पतझड़ से बसंत तक
पतझड़ से बसंत तक
ओमप्रकाश भारती *ओम्*
विश्व पुस्तक मेला, दिल्ली 2023
विश्व पुस्तक मेला, दिल्ली 2023
Shashi Dhar Kumar
फ़कत इसी वजह से पीछे हट जाते हैं कदम
फ़कत इसी वजह से पीछे हट जाते हैं कदम
gurudeenverma198
मांँ ...….....एक सच है
मांँ ...….....एक सच है
Neeraj Agarwal
हजारों लोग मिलेंगे तुम्हें
हजारों लोग मिलेंगे तुम्हें
ruby kumari
प्राचीन दोस्त- निंब
प्राचीन दोस्त- निंब
दिनेश एल० "जैहिंद"
इश्क के चादर में इतना न लपेटिये कि तन्हाई में डूब जाएँ,
इश्क के चादर में इतना न लपेटिये कि तन्हाई में डूब जाएँ,
Sukoon
बसहा चलल आब संसद भवन
बसहा चलल आब संसद भवन
मनोज कर्ण
"जब उड़ी हों धज्जियां
*Author प्रणय प्रभात*
Loading...