Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
19 Sep 2021 · 2 min read

” मैथिली भाषा सं विमुख नहि करू अपन बच्चा कें “

डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
=============================
हम कखनो -कखनो किनको तर्क सं तिलमिला जाइत छी ,अचंभित भ जाइत ! कखनो माथ कुड़ीयबैत इ अन्वेषण करS लगैत छी कि एहन दिव्य व्यक्तिक प्रकाश मलिन किया भ गेलनि ? हुनका बुझने त ओ ज्ञानक आलोक पासारि रहल छथि ! किछु प्रेमी लोकनि हुनके तबलाक थाप पर मंत्रमुग्ध भेल आंखि बंद केने अप्पन गरदनि हिलेनाइ प्रारंभ कS देत छथि ! परंच जिनका ताल- मात्र ,लय आ संगीतक कनिकबो ज्ञान रहित छैन्हि ओ एकाग्रचित भS सुनैत छथि ! कनिकबो जे सुर सं विचलित भेलहुँ त इंगित केनाय सं परहेज नहि करताह ! ओना सब प्राणीक विचारधारा एक सन नहि भ सकैत अछि ! हम जाहि परिवेश छी , जेना हम सबगोटे रहैत छी ,हमर जे कार्यशैली अछि ओ सब हमर लिखब ,बाजव आ अभिव्यक्ति मे परिलक्षित हैत ! कियो कहैत छथि “बच्चा लोकनि पैघ -पैघ स्कूल मे अंग्रेजी आ हिंदी माध्यम मे शिक्षा ग्रहण करैत छथि ! हुनका लोकनि कें ओहि भाषा मे निपुण केनाय अतिआवश्यक ! मैथिली भाषा त ओहिना ओ सब सीख जेताह तें हमरा लोकनि कें अपना बच्चा सब सं अंग्रेजी आ हिंदीये मे बातचीत करक चाहि ! मैथिली त अप्पन भाषा अछि ताहि लेल चिंता जुनि करू ओ कखनो सीख लेत !” एहि रूपक विचारधारा प्रगट केनाय कोनो अपराध नहि थीक ! विचारक अभिव्यक्तिक अधिकार सबकें भेटल छैक ! आब निर्णय हमरा लोकनि कें करबाक अछि जे इ राग ‘ महेशवाणी ‘ भेल कि ‘नचारी ‘ !
बच्चाक प्रतिभाक रूपक संरचना हम कोनो भाषाक माध्यमे कोनो आकृति प्रदान क सकैत छी इ सत्य थीक ! परंच आन भाषा मे अपना घर मे पढ़ाबि इ हम यथोचित कथमपि नहि बुझब कियाकत ओ मैथिली भाषाक मोह आ बजनाइ सं कतो बंचित नS भ जाथि ! एतबे नहि गाम घरक परिवेश मे ओ अपना कें अनभूआर भ जेबाक शंका रहतनि ! बंगाली ,उडिया ,पंजाबी ,गुजरती ,मराठी ,मलयाली इत्यादि लोकनि घर मे अपन भाषा मे गप्प करैत छथि आ ओहि भाषा माध्यमे अंग्रेजी आ हिंदीक ज्ञान देत छथि ! मिथिलाक माटि-पानि सं यदि बच्चा कें आकर्षित करबाक अछि त अपन तर्कक संगे न्याय करय पडत अन्यथा महिष आहांक…. जकरा सं नाथि लिय तकरे सं नाथू …..कोनो हर्ज नहि !
===========================================
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका

Language: Maithili
Tag: लेख
1 Like · 1 Comment · 178 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
ख्वाब नाज़ुक हैं
ख्वाब नाज़ुक हैं
rkchaudhary2012
बेपर्दा लोगों में भी पर्दा होता है बिल्कुल वैसे ही, जैसे हया
बेपर्दा लोगों में भी पर्दा होता है बिल्कुल वैसे ही, जैसे हया
Sanjay ' शून्य'
दो जून की रोटी
दो जून की रोटी
Dr. Ramesh Kumar Nirmesh
इश्क का तोता
इश्क का तोता
Neelam Sharma
चुन्नी सरकी लाज की,
चुन्नी सरकी लाज की,
sushil sarna
धड़कन धड़कन ( गीत )
धड़कन धड़कन ( गीत )
Umesh उमेश शुक्ल Shukla
* तपन *
* तपन *
DR ARUN KUMAR SHASTRI
*हिंदी गजल के क्षेत्र में रघुवीर शरण दिवाकर राही का योगदान*
*हिंदी गजल के क्षेत्र में रघुवीर शरण दिवाकर राही का योगदान*
Ravi Prakash
Love
Love
Abhijeet kumar mandal (saifganj)
9-अधम वह आदमी की शक्ल में शैतान होता है
9-अधम वह आदमी की शक्ल में शैतान होता है
Ajay Kumar Vimal
माॅ प्रकृति
माॅ प्रकृति
Jeewan Singh 'जीवनसवारो'
कविता
कविता
Shiva Awasthi
विचार
विचार
अनिल कुमार गुप्ता 'अंजुम'
ज़िंदगी ने कहां
ज़िंदगी ने कहां
Dr fauzia Naseem shad
लैला लैला
लैला लैला
Satish Srijan
दोहा -
दोहा -
डाॅ. बिपिन पाण्डेय
घर-घर ओमप्रकाश वाल्मीकि (स्मारिका)
घर-घर ओमप्रकाश वाल्मीकि (स्मारिका)
Dr. Narendra Valmiki
*
*"शबरी"*
Shashi kala vyas
प्रकृति को त्यागकर, खंडहरों में खो गए!
प्रकृति को त्यागकर, खंडहरों में खो गए!
विमला महरिया मौज
इश्क
इश्क
नंदलाल मणि त्रिपाठी पीताम्बर
जग-मग करते चाँद सितारे ।
जग-मग करते चाँद सितारे ।
Vedha Singh
एक ही निश्चित समय पर कोई भी प्राणी  किसी के साथ प्रेम ,  किस
एक ही निश्चित समय पर कोई भी प्राणी किसी के साथ प्रेम , किस
Seema Verma
आज फिर दर्द के किस्से
आज फिर दर्द के किस्से
Shailendra Aseem
स्त्री:-
स्त्री:-
Vivek Mishra
चंद दोहे....
चंद दोहे....
डॉ.सीमा अग्रवाल
जो उनसे पूछा कि हम पर यक़ीं नहीं रखते
जो उनसे पूछा कि हम पर यक़ीं नहीं रखते
Anis Shah
Emerging Water Scarcity Problem in Urban Areas
Emerging Water Scarcity Problem in Urban Areas
Shyam Sundar Subramanian
जुल्फें तुम्हारी फ़िर से सवारना चाहता हूँ
जुल्फें तुम्हारी फ़िर से सवारना चाहता हूँ
The_dk_poetry
मैं हु दीवाना तेरा
मैं हु दीवाना तेरा
Basant Bhagawan Roy
■ सपनों में आ कर ■
■ सपनों में आ कर ■
*Author प्रणय प्रभात*
Loading...