Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
16 Sep 2021 · 2 min read

“ मैथिली क अवहेलना “

डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
==============================

सूचना प्रसारण क क्षेत्र मे हमरा लोकनि अद्भुत प्रगति केने जा रहल छी ! अन्वेषण पर अन्वेषण कयल जा रहल अछि ! आइ कंप्युटर ,मोबाईल आ लैपटॉप वरदान सिद्ध भ रहल अछि ! एक क्षण मे बुझु सम्पूर्ण विश्व सं जूडि जाऊ ! नव -नव लोकनि सं मित्रता बना लिय ! साक्षात वीडियो कॉलिंग करि महाभारतक संजय बनि जाऊ ! टाइप करू ,भाषा सिखू ,अनुवाद करू ,गल्ती सुधारू आ विश्व क समस्त समाचार सं अवगत भ जाऊ ! पुरनका मित्र सं भेंट भ जाइत अछि ! गुरुदेव क सानिध्य पुनः प्राप्त भ जाइत अछि ! आर कतैक गुणक बखान हम करब ? पुरनका लोकनि केँ एकर महत्व बुझि पड़लनि ! आब एकर उपयोग बरिष्ट लोकनि सहो करैत छथि ! आ जे पछुआयल छथि सहो आब व्यग्र छथि !

किछु दिन पहिने हमहूँ सिखलहूँ ! बड़ उपयोगी यंत्र अछि ! आब त बुझु एकरा बिना किछु नहि ! आर त आर इ हमर पथप्रदर्शक बनि गेल ! एतैक कहाँ लिखइत छलहूँ ? आब अंग्रेजी लिखइत छी ,हिन्दी लिखइत छी ,मैथिली लिखइत छी ,मिथिलाक्षर सिखइत छी आ बांग्ला सहो सिखबाक प्रयास करैत छी ! ज्ञानक आलोक एहि यंत्र सं भेटल ! विश्वक समस्त भाषा केँ हम सम्मान दैत छी आ सिखबा क चेष्टा सहो करैत छी ! मुदा मैथिली भाषा सम्पूर्ण देहक रक्त मे प्रवाहित भ रहल अछि ! जतैक सहजता ,आत्मीयता आ आनंद हमरा अप्पन भाषा मैथिली मे भेटैत अछि आन भाषा मे नहि !

मुदा मैथिली भाषा तीव्र गति सं आगु नहि बडि रहल अछि ! अधिकाशतः मैथिल जे प्रवासी भ गेलाह ! हुनकर अवहेलना क शिकार मैथिली भ रहल अछि ! भाषा सं विरक्ति समाज ,सभ्यता आ संस्कृति सं विरक्ति स्वाभाविक छैक ! हमरा लोकनि इ भ्रम पालि लेने छी जे कनियाँ ,बच्चा सब आ स्वयं अप्पन भाषा अपना मे बाजब त लोक मूढ़ बुझत ! नाटकीय रुपेण कोनो मैथिली सुअवसर पर मिथिला परिधान सं अलंकृत भेने सं मैथिली संरक्षक नहि बनि सकैत छी !

बहुतो दशक सं मिथिला राज्य परिकल्पना केल जा रहल अछि ! हम इ कथमपि नहि कहब जे एहि दिशा मे काज नहि भ रहल अछि ! मुदा हमरा लोकनि जड़ि छोड़ने जा रहल छी आ ठारि पर विशेष ध्यान देने जाइत छी ! मिथिला मे प्रायः अनुमानतः 20 % लोकनि मिथिला लिपि लिखइत हेता आ पढ़ि सकैत हेता ! एहि मे मिथिला पछुआयल अछि ! सूचना प्रसारण क क्षेत्र मे एक सं एक मैथिल महारथी छथि ! मुदा आइ धरि गूगल मे मिथिला लिपि केँ स्थान नहि दिया सकलाह ! अकर्मण्य त बुझु हम सब सहो भ गेल छी !

===================
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका
झारखण्ड
भारत

Language: Maithili
Tag: लेख
1 Like · 4 Comments · 279 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
*तंजीम*
*तंजीम*
DR ARUN KUMAR SHASTRI
ए जिंदगी ,,
ए जिंदगी ,,
श्याम सिंह बिष्ट
ऐ सुनो
ऐ सुनो
Anand Kumar
बात शक्सियत की
बात शक्सियत की
Mahender Singh
प्यास बुझाने का यही एक जरिया था
प्यास बुझाने का यही एक जरिया था
Anil Mishra Prahari
दिल लगाएं भगवान में
दिल लगाएं भगवान में
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
बहता पानी
बहता पानी
साहिल
Laghukatha :-Kindness
Laghukatha :-Kindness
राजीव नामदेव 'राना लिधौरी'
*॥ ॐ नमः शिवाय ॥*
*॥ ॐ नमः शिवाय ॥*
Radhakishan R. Mundhra
नहीं हूं...
नहीं हूं...
Srishty Bansal
आवारगी मिली
आवारगी मिली
Satish Srijan
पग न अब पीछे मुड़ेंगे...
पग न अब पीछे मुड़ेंगे...
डॉ.सीमा अग्रवाल
रेल यात्रा संस्मरण
रेल यात्रा संस्मरण
Prakash Chandra
आज के बच्चों की बदलती दुनिया
आज के बच्चों की बदलती दुनिया
अनिल कुमार गुप्ता 'अंजुम'
23/176.*छत्तीसगढ़ी पूर्णिका*
23/176.*छत्तीसगढ़ी पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
अगर मेरे अस्तित्व को कविता का नाम दूँ,  तो इस कविता के भावार
अगर मेरे अस्तित्व को कविता का नाम दूँ, तो इस कविता के भावार
Sukoon
मुक्तक
मुक्तक
डाॅ. बिपिन पाण्डेय
*आस्था*
*आस्था*
Dushyant Kumar
जिन्दगी के हर सफे को ...
जिन्दगी के हर सफे को ...
Bodhisatva kastooriya
वज़ूद
वज़ूद
नील पदम् Deepak Kumar Srivastava (दीपक )(Neel Padam)
'अकेलापन'
'अकेलापन'
Dr. Asha Kumar Rastogi M.D.(Medicine),DTCD
आँसू
आँसू
Dr. Kishan tandon kranti
चप्पलें
चप्पलें
Kanchan Khanna
*खड़ी हूँ अभी उसी की गली*
*खड़ी हूँ अभी उसी की गली*
सुखविंद्र सिंह मनसीरत
ताल्लुक अगर हो तो रूह
ताल्लुक अगर हो तो रूह
Vishal babu (vishu)
■ कोई तो हो...।।
■ कोई तो हो...।।
*Author प्रणय प्रभात*
यह हिन्दुस्तान हमारा है
यह हिन्दुस्तान हमारा है
सुशील मिश्रा ' क्षितिज राज '
*लय में होता है निहित ,जीवन का सब सार (कुंडलिया)*
*लय में होता है निहित ,जीवन का सब सार (कुंडलिया)*
Ravi Prakash
रमेशराज के वर्णिक छंद में मुक्तक
रमेशराज के वर्णिक छंद में मुक्तक
कवि रमेशराज
तुलना से इंकार करना
तुलना से इंकार करना
Dr fauzia Naseem shad
Loading...