” बूढ़ छी त बूढ़ छी “
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
==============
बूढ़ छी त बूढ़ छी जा धरि जिनगीअछि
किछु न किछु निरंतर करैत रहैत छी !!
समय सकाल खराब छैक ,
कोरोना क प्रभाव छैक ,
घर मे दुबकल छी ,
घरो मे बहुत काज छैक !!
इमहर सं उमहर काज
कोनो ना कोनो करैत छी !
बूढ़ छी त बूढ़ छी जा धरि जिनगीअछि
किछु न किछु निरंतर करैत रहैत छी !
देहो जे झाडबत
हड्डी नहि टूटि जाय ,
देहो जे फुलायब
तमांस -पेशी नऽ लटकि जाय !
आन के बुझत हमर
दर्द हम जनैत छी !
बूढ़ छी त बूढ़ छी जा धरि जिनगीअछि
किछु न किछु निरंतर करैत रहैत छी !!
काज जे कोनो करब
परिहास आलोचना होइत रहत ,
बुढ्बा सठिया गेल
खिध्यांस भला के सुनत ?
हम त दलाने पर गबदी
मारने बैसैत छी !
बूढ़ छी त बूढ़ छी जा धरि जिनगीअछि
किछु न किछु निरंतर करैत रहैत छी !!
लोक डाउन क चपेट मे
गाड़ी घोडा बंद भऽ गेल ,
कतो जे घुमितहूँ आ बुलितहूँ
सेहो बड़का आफत भेल !
घर मे बैसल- बैसल
मन ऑल -बॉल करैत अछि !
बूढ़ छी त बूढ़ छी जा धरि जिनगीअछि
किछु न किछु निरंतर करैत रहैत छी !!
आब घरे बैसि किछू हृदय क
उद्गार हम लिखैत छी ,
बच्चा आबि-आबि पुछैत अछि
” बाबा ” आहाँ की करैत छी ?”
बूढ़ छी त बूढ़ छी जा धरि जिनगीअछि
किछु न किछु निरंतर करैत रहैत छी !
================
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
एस .पी .कॉलेज रोड
नाग पथ शिव पहाड़
दुमका
झारखंड
भारत