Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
20 Jan 2022 · 3 min read

फूइसबुकिया पहलमान (हास्य कटाक्ष)

बाबा बड़बड़ाइत बजैत रहै जे एहनो कहूं पहलमानी भेलैए? बड्ड पहलमानी दाबी छै त कने अखारा मे जाऊ ने जे असली पहलमान सब सँ भेंट होइत रहतै. अखारा मे नै जाएत आ भैर दिन हमरा संगे बतकुट्टबैल पर उतारू रहत की. अई कुतर्की भागेसर दुआरे आब मंदिरो में रहब परले काल भऽ गेल की. मोन त ततेक रंज भेल अछि जे होइए डमरू डूग डूगा ओकर कान पका दियै आ नै त आई तांडव रूप धारण कए भागेसर के फूइसबुकिया पहलमानी छोड़ा दियै?

हम्मे बाबा से पुछली की हौलै हौ बाबा? भागेसर पंडा संगे पटकम पटकी हो गेलौ की? आई भोरे भोरे कैले एतेक खिसियायैल छहो? भागेसर आई जल चढ़ा पूजा नै केलकौ की? त हे लै हमहीं जल चरहा पूजा कैर दै छियौ. हम्मे बाबा के जल चढ़ा देलियौ त बाबा औरी तमसाईल बोललकै हौ कारीगर तहूं की भागेसर जेंका हमरा संगे पहलमानी करबाक फिराक में छह?
आईं एतेक जाड़ कनकनी मे जल चढ़ा देलह? एक कप चाह त पिऔले ने भेलह आ डंका पीट लेलह जे बाबा के हमहीं सेबने छियैन?
बाबा बोललकै हौ भागेसरो पंडा भैर दिन एहिना भवडाह करतह जे हमही बाबा के माथ पर टेकने छी हुनका कोनो तकलीफ नै हुअए दै छलियै? आई तक कोनो आफत विफैत मे बेगरत पर आएल नै ई हेहरा आ झूठे डंका पीटतह जे ओकरा सन धर्मात्मा तेसर के? मिथिला वला के त बतकुट्टूैल करबाक जन्मौटी गुण मरै बेर तक पछोर धेने रहतह? तई मे त फेसबुक पर एक स एक कुतर्की फूईसबुकिया पहलमान सब सन सन करैत फिरतह? फूइसबुक पर बेमतलबो गाईर गंजन, जयघोष, मिथिला मैथिली के ठीकेदारी होइते रहै छै की? अई सब मे भागेसरो के खूब मोन रमै छै?

हम्मे बाबा से पुछलियै हौ बाबा भागेसर संगे की होलै से कहो नै? बाबा हां हां करके बोललकै एतेक गप हम कहलियै तइओ ने बुझलहक? पहिने एक जुम तमाकुल खुआबह त कहै छियह? हम्मे बाबा के तमाकुल चुना देली तब बाबा खैनी खा बोले लगलै.
हौ कारीगर तहूं मीडिया वला के त सबटा गप बुझले छह जे मैथिली एक न. कुतर्की बतकुटाह होइए? तै मे फूइसबुक पर त एक पर एक कुतर्की फूइसबुकिया पहलमान सब भेटतह की? दिन भैर मिथिला मैथिलीक नाम पर दोकनदारी वला कुतर्क त आरो बेसी करै जेतह. सबटा चोट्टा सब बुझक्करी दाबीए चूर रहतह आ यथार्थ देखैतो सत गप स्वीकारतह ने ई सब? आ यथार्थ के मुँह झाँपै दुआरे फूइसबुकिया पहलमानी टा करतह?

ई भागेसरो पंडा कम गैंरखच्चर थोड़हि अछि इहो दाबीए चूर रहत जे ओ एम. ए (द्वय) हिंदी अंग्रेजीमे अछि आ अबै छै ओकरा ट्रांसलेशनो बनाएल नै? यथार्थ नै स्वीकारतह आ भइर दिन फूइसबुक पर दमसी झारने फिरतह? अकरा संगे सोलकनो शर्मा मानसिक गुलाम जेंका हँ मे हँ मिलेने फिरतह की? यथार्थ कहक त ई दुनू उनटे हमरे कुंठित/ मंचलोभी कहि अपन कुकृत्यक झांपतोप करै मे रहतह? कतेक त गिरोह बना मिथिला मैथिली पर प्रवचन (गाइर गंजन) तक करतह? जेना एकरे सबटा के मिथिला मैथिली के जानकारी टा छै? आ हम तूं सब त घास टा छिलने होई? कोन लाजे छै अई कुतर्क केनिहार सबके? कोनो समाधान पर नै औतह? तर्क दुआरा मिथिला मैथिली के समाधानो देखा दहक त ई सब मानतह नै? की जे मिथिला मैथिली हमरे टा बपौती रहबाक चाही? तैं करैत रहै जा फूइसबुकिया पहलमानी.

लेखक- डाॅ. किशन कारीगर
(©काॅपीराईट)

1 Like · 325 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
Books from Dr. Kishan Karigar
View all
You may also like:
बाधा को 'चल हट' कहता है,
बाधा को 'चल हट' कहता है,
Satish Srijan
.तेरी यादें समेट ली हमने
.तेरी यादें समेट ली हमने
Dr fauzia Naseem shad
नहीं चाहता मैं किसी को साथी अपना बनाना
नहीं चाहता मैं किसी को साथी अपना बनाना
gurudeenverma198
हथिनी की व्यथा
हथिनी की व्यथा
रोहताश वर्मा 'मुसाफिर'
सफर पे निकल गये है उठा कर के बस्ता
सफर पे निकल गये है उठा कर के बस्ता
सुशील मिश्रा ' क्षितिज राज '
#दोहा
#दोहा
*Author प्रणय प्रभात*
राजाधिराज महाकाल......
राजाधिराज महाकाल......
Kavita Chouhan
*गोरे से काले हुए, रोगों का अहसान (दोहे)*
*गोरे से काले हुए, रोगों का अहसान (दोहे)*
Ravi Prakash
जीवन के हर युद्ध को,
जीवन के हर युद्ध को,
महावीर उत्तरांचली • Mahavir Uttranchali
मैं सोचता हूँ आखिर कौन हूॅ॑ मैं
मैं सोचता हूँ आखिर कौन हूॅ॑ मैं
VINOD CHAUHAN
बुंदेली दोहा प्रतियोगिता-152से चुने हुए श्रेष्ठ दोहे
बुंदेली दोहा प्रतियोगिता-152से चुने हुए श्रेष्ठ दोहे
राजीव नामदेव 'राना लिधौरी'
में स्वयं
में स्वयं
PRATIK JANGID
हे माधव
हे माधव
Umesh उमेश शुक्ल Shukla
हो मेहनत सच्चे दिल से,अक्सर परिणाम बदल जाते हैं
हो मेहनत सच्चे दिल से,अक्सर परिणाम बदल जाते हैं
पूर्वार्थ
ये
ये "परवाह" शब्द वो संजीवनी बूटी है
शेखर सिंह
ममतामयी मां
ममतामयी मां
SATPAL CHAUHAN
वोट डालने जाना
वोट डालने जाना
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
लाख कोशिश की थी अपने
लाख कोशिश की थी अपने
'अशांत' शेखर
“मेरी कविता का सफरनामा ”
“मेरी कविता का सफरनामा ”
DrLakshman Jha Parimal
अपराध बोध (लघुकथा)
अपराध बोध (लघुकथा)
दुष्यन्त 'बाबा'
दिल  धड़कने लगा जब तुम्हारे लिए।
दिल धड़कने लगा जब तुम्हारे लिए।
सत्येन्द्र पटेल ‘प्रखर’
एक ज़िद थी
एक ज़िद थी
हिमांशु Kulshrestha
रुख़्सत
रुख़्सत
Shyam Sundar Subramanian
💐कुछ तराने नए सुनाना कभी💐
💐कुछ तराने नए सुनाना कभी💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
23/109.*छत्तीसगढ़ी पूर्णिका*
23/109.*छत्तीसगढ़ी पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
"अक्सर"
Dr. Kishan tandon kranti
अरमानों की भीड़ में,
अरमानों की भीड़ में,
Mahendra Narayan
In the middle of the sunflower farm
In the middle of the sunflower farm
Sidhartha Mishra
अन्न का मान
अन्न का मान
Dr. Pradeep Kumar Sharma
विचार
विचार
अनिल कुमार गुप्ता 'अंजुम'
Loading...