Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
19 Sep 2021 · 1 min read

” ननदि आ भाउज “

डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
==============
कोना कहू हम
बड़की भौजी
आब नऽ रहब कुमारि !
भरल आजु
मधुमासक यौवन
मधुप करैत अछि मारि !!

यौवन जल
भरि गेल आजु
उद्वेलित
होइछ
लहर जकर !
उत्पात मचौने
अछि इ मन
वर्णन जूनि नहि
करब तकर !!

आब नऽ आशा
किरण देखाऊ
भने दिए
किछू हमरा गारि !
भरल आजु
मधुमासक यौवन
मधुप करैत अछि मारि !!

संगी हमर
चलि गेल
पतिक घर
फूल फुलायल
आ भरि गेल !
जे आशा
देने रहि हमरा
ओ सब
आइ हमर
जरि गेल !!

आर कतेक
दिन करब
तपस्या
हमहूँ त छी
एक सुंदर नारि !
भरल आजु
मधुमासक यौवन
मधुप करैत अछि मारि !!

जीवन -पथ
सुंदर
होइत छैक
जखन संग
कियो संगी !
बिना संग केर
किछु नहि जीवन
तार रहित सारंगी !!

शेष भेल
इ उक्ति हमर इ
लदल वृक्ष
केँ लिय सम्हारि !
भरल आजु
मधुमासक यौवन
मधुप करैत अछि मारि !!

कोना कहू हम
बड़की भौजी
आब नऽ रहब कुमारि !
भरल आजु
मधुमासक यौवन
मधुप करैत अछि मारि !!

=================

डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
एस ० पी ० कॉलेज रोड
दुमका
झारखंड
भारत

Language: Maithili
1 Like · 1 Comment · 244 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
💐प्रेम कौतुक-453💐
💐प्रेम कौतुक-453💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
तू मेरा मैं  तेरी हो जाऊं
तू मेरा मैं तेरी हो जाऊं
Ananya Sahu
*मेरी इच्छा*
*मेरी इच्छा*
Dushyant Kumar
थोड़ी कोशिश,थोड़ी जरूरत
थोड़ी कोशिश,थोड़ी जरूरत
Vaishaligoel
'सफलता' वह मुकाम है, जहाँ अपने गुनाहगारों को भी गले लगाने से
'सफलता' वह मुकाम है, जहाँ अपने गुनाहगारों को भी गले लगाने से
satish rathore
लोग कहते हैं खास ,क्या बुढों में भी जवानी होता है।
लोग कहते हैं खास ,क्या बुढों में भी जवानी होता है।
डॉ विजय कुमार कन्नौजे
"साम","दाम","दंड" व् “भेद" की व्यथा
Dr. Harvinder Singh Bakshi
*साहित्यिक बाज़ार*
*साहित्यिक बाज़ार*
Lokesh Singh
24/230. *छत्तीसगढ़ी पूर्णिका*
24/230. *छत्तीसगढ़ी पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
* जिसने किए प्रयास *
* जिसने किए प्रयास *
surenderpal vaidya
प्रभु श्री राम
प्रभु श्री राम
Mamta Singh Devaa
विचार
विचार
अनिल कुमार गुप्ता 'अंजुम'
आवाजें
आवाजें
सुशील मिश्रा ' क्षितिज राज '
आंसुओं के समंदर
आंसुओं के समंदर
अरशद रसूल बदायूंनी
स्वच्छंद प्रेम
स्वच्छंद प्रेम
Dr Parveen Thakur
आसान नहीं होता
आसान नहीं होता
डॉ० रोहित कौशिक
हम साथ साथ चलेंगे
हम साथ साथ चलेंगे
Kavita Chouhan
Birthday wish
Birthday wish
Ankita Patel
■ एक आलेख : भर्राशाही के खिलाफ
■ एक आलेख : भर्राशाही के खिलाफ
*Author प्रणय प्रभात*
*बाण जरूरी है 【मुक्तक】*
*बाण जरूरी है 【मुक्तक】*
Ravi Prakash
नमस्कार मित्रो !
नमस्कार मित्रो !
Mahesh Jain 'Jyoti'
आखिरी वक्त में
आखिरी वक्त में
Harminder Kaur
इक ग़ज़ल जैसा गुनगुनाते हैं
इक ग़ज़ल जैसा गुनगुनाते हैं
Shweta Soni
We Mature With
We Mature With
पूर्वार्थ
हम करें तो...
हम करें तो...
डॉ.सीमा अग्रवाल
जाति  धर्म  के नाम  पर, चुनने होगे  शूल ।
जाति धर्म के नाम पर, चुनने होगे शूल ।
sushil sarna
कभी हुनर नहीं खिलता
कभी हुनर नहीं खिलता
नील पदम् Deepak Kumar Srivastava (दीपक )(Neel Padam)
"मेरी बेटी है नंदिनी"
Ekta chitrangini
मेरी कलम से…
मेरी कलम से…
Anand Kumar
शिव स्तुति
शिव स्तुति
ओम प्रकाश श्रीवास्तव
Loading...