Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
4 Nov 2021 · 2 min read

दोकनदार दलाल के हैप्पी दियावाती (हास्य कटाक्ष)

बाबा बड़बड़ाइत रहै जे हौ दोकनदार दलाल सब हौ तोरो सबहक देकनदारी चलैत रहअ. हे तोरो सबहक पुरूस्कारी भटक्का, छूरछूरी, आयोजनी फूलझड़ी खूब बिकाइत रहअ आ जातिवादी ज्यूरी राॅकेट सब फूट फूटा के छूटैैत रहै जा. हमरा त फटक्का छूरछूरी उधार नकद मे देबह ने आ नै कोनो आयोजन मे फूलझड़ी जड़बै लै बजेबह? हम तैयो तोरा सभके शुभकामना दै छिअ जे तोरा सबहक दोकनदारी चलैत रहअ आ ठीकेदारी स घर परिवार होलसेल गोदाम सन भरल पूरल रहअ?

ताबे बाबा के तकैत तकैत हम पहुँचली बाबा के देखते हम हैप्पी दियावाती कहली. त बाबा हां हां के हँसे लागल फेर बोललक अईं हौ कारीगर भटक्का नेने एलहअ नैहे आ छूछे मंगनीहा शुभकामना स दियावाती मनतै हौ? देखै छहक भागेसरो पंजा के कहलियै जे उधारी मे एक पैकेट आलू बम आनि दै सै किए सुनत. लाथ कए लेलक कहैयै जे हम अकाशदीप बनाएब तै लै सीसी तकै मे लागल छी? अखैन हम चैनगत नै छी. एकटा मैथिली दलाल सेहो भेंट भेल त ओकरो हैप्पी दियावाती कहलियै तऽ किए सुनबाह लेत? कहलक जे अहाँ कोनो साहित्यिक लोक छि जे पुरूस्कारी फटक्का अहाँ के हुअ दियअ? हम बजलहुँ जे हम साहित्यिक पाठक दर्शक त छि आ मैथिली साहित्य के खेलखेली फूलझड़ी दिया जनैत छि हौ.

हम बाबा स पुछली हौ बाबा तोंई कोन दोकनदार के हैप्पी दियावाती कहलहु? किराना दोकान वला की भटक्का फूलझड़ी दोकान वला की मिठाई दोकान वला के जे तोरो बात न मानलकौ? हमे त आई तलिक मुर्गा छाप भटक्का, नागीन छाप छूरछूरी, मस्ताना आलू बम सब त देखले रहली आ किन के फोरलो रहली. बाबा तोंइ कोन दोकनदार के शुभकामना देलहू आ कोन पुरूस्कारी छाप फटक्का के फेर मे बड़बड़ाए रहलू? हमरा बताबू बलू हमहिं तोरो एक पाकिट सूतली बम किन दै रहलीयौ.

बाबा हां हां के हँसैत बोललकै हौ एत्ते खान नै बुझलहक की? हौ हम मिथिला मैथिली के दोकनदारी करनिहार दोकनदार दलाल के हैप्पी दियावाती कहलियै? शुभकामना दैत कहलियै जे हे दोकानदार सब अहूँ के पुरूस्कारी फटक्का अयोजनी छूरछूरी बिकाइत रहै? एकरा सबहक दोकान मे ज्यूरी रौकेट, गिरोहवादी बम, जातिवादी चकरी सब खूब बिकाइत छै. अंगिका बज्जिक्का, ठेठी, राड़ बोली सबटा के मैथिलीए कहतह आ लिखबा काल मानके के मोजर देतह? इहो चलकपनीवला दोकनदारी खूब चलै छै. देखै नै छहक मिथिला मैथिली आब एकटा दोकानदारी बना लेलकै लोक? जहिना गाम घर मे किराना दोकान वला सब मनमाना रेट पर उतारू अछि तहिना ई सब पुरूस्कारी फटक्का बेचबा काल मनमाना करै जाइए? कोनो निष्पक्ष तरीका नै. मैथिली दोकनदार के तैं फेर स की कहियौ? हम आ बाबा एक साथ बोललियै दोकानदार दलाल के हैप्पी दियावाती.

लेखक:- डाॅ. किशन कारीगर
(©काॅपीराईट)

1 Like · 345 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
Books from Dr. Kishan Karigar
View all
You may also like:
माँ की दुआ इस जगत में सबसे बड़ी शक्ति है।
माँ की दुआ इस जगत में सबसे बड़ी शक्ति है।
लक्ष्मी सिंह
"गांव की मिट्टी और पगडंडी"
Ekta chitrangini
*प्रीति के जो हैं धागे, न टूटें कभी (मुक्तक)*
*प्रीति के जो हैं धागे, न टूटें कभी (मुक्तक)*
Ravi Prakash
एक अबोध बालक
एक अबोध बालक
DR ARUN KUMAR SHASTRI
साँवलें रंग में सादगी समेटे,
साँवलें रंग में सादगी समेटे,
ओसमणी साहू 'ओश'
मुक्तक
मुक्तक
डाॅ. बिपिन पाण्डेय
मेरी ख़्वाहिशों में बहुत दम है
मेरी ख़्वाहिशों में बहुत दम है
Mamta Singh Devaa
लफ़्ज़ों में ज़िंदगी को
लफ़्ज़ों में ज़िंदगी को
Dr fauzia Naseem shad
मात -पिता पुत्र -पुत्री
मात -पिता पुत्र -पुत्री
DrLakshman Jha Parimal
" बंदिशें ज़ेल की "
Chunnu Lal Gupta
स्मृतियों की चिन्दियाँ
स्मृतियों की चिन्दियाँ
नील पदम् Deepak Kumar Srivastava (दीपक )(Neel Padam)
बुध्द गीत
बुध्द गीत
Buddha Prakash
आसमां में चांद प्यारा देखिए।
आसमां में चांद प्यारा देखिए।
सत्य कुमार प्रेमी
दिनांक:-२३.०२.२३.
दिनांक:-२३.०२.२३.
Pankaj sharma Tarun
इन पैरो तले गुजरता रहा वो रास्ता आहिस्ता आहिस्ता
इन पैरो तले गुजरता रहा वो रास्ता आहिस्ता आहिस्ता
'अशांत' शेखर
कोई शिकवा है हमसे
कोई शिकवा है हमसे
कवि दीपक बवेजा
उनकी मुहब्बत खास है
उनकी मुहब्बत खास है
Dr. Sunita Singh
हैप्पी प्रॉमिस डे
हैप्पी प्रॉमिस डे
gurudeenverma198
तेरा पिता हूँ
तेरा पिता हूँ
Satish Srijan
विचार
विचार
अनिल कुमार गुप्ता 'अंजुम'
संघर्ष
संघर्ष
Sushil chauhan
शहीद की पत्नी
शहीद की पत्नी
नन्दलाल सुथार "राही"
■ ताज़ा शेर ■
■ ताज़ा शेर ■
*Author प्रणय प्रभात*
*Max Towers in Sector 16B, Noida: A Premier Business Hub 9899920149*
*Max Towers in Sector 16B, Noida: A Premier Business Hub 9899920149*
Juhi Sulemani
अच्छे दिन
अच्छे दिन
Shekhar Chandra Mitra
💐प्रेम कौतुक-241💐
💐प्रेम कौतुक-241💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
सामाजिक कविता: बर्फ पिघलती है तो पिघल जाने दो,
सामाजिक कविता: बर्फ पिघलती है तो पिघल जाने दो,
Rajesh Kumar Arjun
गौरैया बोली मुझे बचाओ
गौरैया बोली मुझे बचाओ
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
चिड़िया!
चिड़िया!
सेजल गोस्वामी
अटल
अटल
नंदलाल मणि त्रिपाठी पीताम्बर
Loading...