“जूनि करू प्रोफइल लॉक डाउन “
डॉ लक्ष्मण झा”परिमल ”
=================
प्रोफाइल केलहुँ लॉक डाउन
हम केना जानि सकब ?
रिक्वेस्ट आहाँ करितो छी
हम केना पहचानि सकब ?
मित्रता केँ सूत्र मे
बंधबा सँ पहिने हम
केना बुझब
आहाँ केहन योग्य छी ?
विचार क समानता
आपसी निर्भरता
हॉबी क लेल आहाँ लेल
केहन हम योग्य छी ?
अध्ययन- अध्यापन
श्रेष्ठ समतुल्य क
आ कनिष्ठक अनुमान त
हेबाक चाहि !
कतय आहाँ क गाम भेल
काज कोन करैत छी ?
ज्ञान तकर हमरा सब केँ
हेबाक चाहि !!
लॉक डाउन,
लॉक डाउनक रोग
सब तरि बुझू इ
संक्रामक बनि गेल !
फेसबुक क पन्नों मे
कोरोना वायरस जकाँ
प्रोफाइलो मे पसरि गेल !!
आँखि मुनने ,
नहि फोटो देखने ,
हमरा केना स्वीकार करब ?
काल्हि कोनो बात हैत
त हमरा अस्वीकार करब !!
मित्रता मे कोनो
आउट ऑफ़ बाउंडक स्थान
कथमपि नहि होइत छैक !
पारदर्शिता,
स्पष्टता,
सौहाद्रता,
प्रेम क मात्र
सम्मान सर्वथा होइत छैक !!
================
डॉ लक्ष्मण झा”परिमल “