Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
31 Oct 2021 · 2 min read

” गूगल देवता ” ( व्यंग ) “

डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
==============
आइ राति मे “गूगल देवता “सँ साक्षात दर्शन भ गेल ! हम साष्टांग दंडवत केलहुँ !…जेना उठि हम ठाड़ होइत छी त हुनक विराट स्वरुप क झाँखि देखि अचंभित भ गेलहूँ ………जहिना महाभारतक युध्य भूमि मे भगवान कृष्णक विराट स्वरुप देखि अर्जुन अप्पन गांडीव हुनका चरण कमल मे राखि दूनू हाथ जोड़ने आ ठेहुन रोपने बैस गेलाह .तहिना दृश्य छल …हम अर्जुन बनल रहि आ “गूगल देवता ” साक्षात् भगवान् कृष्ण ! मुदा वो शंख ,चक्र ,गदा ,धनुष ,वाण ,बज्र इत्यादि नहि धारण केने छलाह …..हुनका माथ पर दमकैत -चमकैत गूगल वला मुकुट चमकि रहल छलनि …दुनू हाथ मे लैपटॉप छलनि आर सहस्त्रो हाथ विभिन्य एप्प सँ सुसज्जित छल …..सम्पूर्ण ब्रह्माण्ड मे हुंकारक ध्वनि गुंजि रहल छल .!…..हमर शिष्ट्ता सँ प्रसन्य भय पुछलनि-
” की शंका अछि ? ……
किया आहाँ शिथिल भय
अप्पन एनरोइड मोबाइल टेलीफोन अस्त्र
भूमिशस्त्र किया क देलिए ?.”……
हम द्रवित भय कहलियनि –
“प्रभु !….हमर फेसबुक अखनोधरी धुरंधर यौध्या सँ बंचित अछि !
….हम अप्पन प्रदर्शन केना करब ?……
कोनो “गूगल सार ” देल जाऊ !”
गूगल देवता शांतचित भ कहला …
.”बस वत्स !…..एतेबे संशय ?…..लिय मंत्र आ उपदेश
सबकेँ फ्रेंड रिक्वेस्ट पठाउ …..!
आनक फ्रेंड रिक्वेस्ट केँ सदैव स्वीकार करू!
…..कियो जे आहाँकेँ पत्र लिखता
तकर जवाब कखनो नहि दी !
…….आहाँ अप्पन मंगलाहा चांगलाहा पोस्ट केँ पोस्ट करैत रहू !
आनक पोस्ट खूब शेयर करू !……..
कखनो -कखनो किनको पोस्ट केँ कॉपी क लिय
आ अप्पन नाम सँ कतो आन ठाम पोस्ट करबाक अभ्यास बनने रखू !…….अप्पन …..जन्म दिन …..विवाहक वर्षगांठ …….बच्चा बुचि क जन्म दिन केँ अवश्य पोस्ट करू……….. ! आनक चिंता जूनि करू ….
विशेष जे कनि बेसी तंग कोनो सहकर्मी करैत छथि त ….
लाइक …..लव इत्यादि वाला एप्प क प्रयोग करबाक अछि ……!
आइ कल्हि त ….
प्रणाम फोटो ……
आशीर्वादक फोटो ………
ताली बजाबय वाला फोटो ….
जखन हम देने छी तखन आहाँ श्रेष्ठ केँ
प्रणाम लिखि अभिवादन किया करब ?.
……..आब निश्यचिंत रहू किछु दिन उपरांत हम एहन एप्प क अविष्कार क रहल छी कि बिना प्रयत्न केने आहाँ कौरव सैन्य क संगठन क सकैत छी !.”
एतबे मे हमर नींद टूटि गेल …….चलू जे शिक्षा भेटल हमरा ……..बहुत भेटल !
====================
डॉ लक्ष्मण झा “”परिमल ”
पुणे
महाराष्ट्र
भारत

Language: Maithili
188 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
कभी मायूस मत होना दोस्तों,
कभी मायूस मत होना दोस्तों,
Ranjeet kumar patre
ऐसा क्या लिख दू मैं.....
ऐसा क्या लिख दू मैं.....
Taj Mohammad
तेवरीः शिल्प-गत विशेषताएं +रमेशराज
तेवरीः शिल्प-गत विशेषताएं +रमेशराज
कवि रमेशराज
भारत का सिपाही
भारत का सिपाही
Rajesh
* नहीं पिघलते *
* नहीं पिघलते *
surenderpal vaidya
भ्रात प्रेम का रूप है,
भ्रात प्रेम का रूप है,
महावीर उत्तरांचली • Mahavir Uttranchali
माँ शारदे-लीला
माँ शारदे-लीला
Kanchan Khanna
धानी चूनर
धानी चूनर
ओमप्रकाश भारती *ओम्*
जय जय जय जय बुद्ध महान ।
जय जय जय जय बुद्ध महान ।
Buddha Prakash
बारिश
बारिश
Sushil chauhan
विचार
विचार
अनिल कुमार गुप्ता 'अंजुम'
मेरी कलम से…
मेरी कलम से…
Anand Kumar
*जय हनुमान वीर बलशाली (कुछ चौपाइयॉं)*
*जय हनुमान वीर बलशाली (कुछ चौपाइयॉं)*
Ravi Prakash
शंकर हुआ हूँ (ग़ज़ल)
शंकर हुआ हूँ (ग़ज़ल)
Rahul Smit
इस दुनियां में अलग अलग लोगों का बसेरा है,
इस दुनियां में अलग अलग लोगों का बसेरा है,
Mansi Tripathi
निहारने आसमां को चले थे, पर पत्थरों से हम जा टकराये।
निहारने आसमां को चले थे, पर पत्थरों से हम जा टकराये।
Manisha Manjari
लोग ऐसे दिखावा करते हैं
लोग ऐसे दिखावा करते हैं
ruby kumari
हिंदी
हिंदी
नंदलाल मणि त्रिपाठी पीताम्बर
नहीं हूँ अब मैं
नहीं हूँ अब मैं
gurudeenverma198
"नंगे पाँव"
Pushpraj Anant
क्या ग़रीबी भी
क्या ग़रीबी भी
Dr fauzia Naseem shad
#मुक्तक-
#मुक्तक-
*Author प्रणय प्रभात*
💐प्रेम कौतुक-261💐
💐प्रेम कौतुक-261💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
एक होशियार पति!
एक होशियार पति!
पाण्डेय चिदानन्द "चिद्रूप"
मेरी हस्ती का अभी तुम्हे अंदाज़ा नही है
मेरी हस्ती का अभी तुम्हे अंदाज़ा नही है
'अशांत' शेखर
कहां गए वे शायर?
कहां गए वे शायर?
Shekhar Chandra Mitra
इस दिल में .....
इस दिल में .....
sushil sarna
जब से देखी है हमने उसकी वीरान सी आंखें.......
जब से देखी है हमने उसकी वीरान सी आंखें.......
कवि दीपक बवेजा
तारीफ क्या करूं,तुम्हारे शबाब की
तारीफ क्या करूं,तुम्हारे शबाब की
Ram Krishan Rastogi
Kirdare to bahut nibhai ,
Kirdare to bahut nibhai ,
Sakshi Tripathi
Loading...