Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
13 Nov 2021 · 2 min read

“ आब नहि खाँसय क काज अछि ”

डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
============================
सामाजिक प्रतिबंधक डोर कनि उत्तर भारत आ किछू पूर्वोतर भारतक राज्य मे सशक्त छल तें मिथिला सदेव एहि प्रतिबंधक अनुनायी रहल ! श्रेष्ठ लोकनि सदेव सम्मानित होइत छलाह ! गृहस्थ आश्रम चलबैत छलाह ! पूजा -पाठ ,अध्ययन , अध्यापन ,कीर्तन ,सभा -गोष्ठी आ समाजक उन्नति क लेल सजग रहैत छलाह ! घरक आगू “दलान“ मे हुनका लोकनिक डेरा होइत छलनि ! किछू आवश्यक कार्य वा भोजनक काल अँगना जाइत छलाह ! अँगना प्रवेश करबा सं पूर्व कम सं कम तीन बेर “ खाँसय “ पड़ैत छलनि ! परिणाम स्वरूप समस्त नव कनियाँ ,पोतोहू आ भाभों सब सतर्क भ जेतिह आ सब घोघ खसा कें अपन मुँह झाँपि लेतीह ! कनियाँ अपन पति देवक नाम नहि कहतीह ! लोक गायन मे कदाचित “” राम “” क नाम अछि आ ओ नाम यदि ससुर ,भेसुर वा पति क हेत त तकर उच्चारण अपराध बुझल जाइत छल ! तें राम क स्थान पर वो महिला लोकनि “” श्याम “” उच्चारण करि अपना कें कृतार्थ करैत छलीह ! महान शिष्ठता क इतिहास रचल जा रहल छल !
मुदा समय क परिवर्तन भेल ! शिक्षा क दशा आ दिशा बदलल ! जीवकोपार्यन हेतु मैथिल देश -विदेश भ्रमण करैत रहलाह ! नवीन यंत्रक सृजन भेल ! सबकें हाथ मे मोबाइल आबि गेल ! गाम क दलान पर जे बाबा बैसल छथि हुनका आब “ खाँसय “ नहि पड़ैत छनि ! “ खाँइस “ – “ खाँइस “ कें सम्पूर्ण भोकल कॉर्ड भोमा शंख बनि गेल छलनि ! आब नव कनियाँ ,पोतोहू ,भाभों ,भगिन पोतोहू आ धाख करय बाली कनियाँ सब सं फरिकत भेलहूँ ! बड़ ओकासी करैत रहलहूँ ! आब कोनो चिंता नहि ! सब फेसबुक मित्र जे बनि गेल छथि ! फेसबुक माध्यमे गप्प होइत अछि ! हम प्रशंसा केलहूँ ,वो प्रशंसा केलीह ! विचारक आदान -प्रदान भेल ! विडियो कॉलिंग ,व्हात्सप्प चटिंग आ कॉल क युग मे प्रवेश क लेलहूँ ! स्वतन्त्रता आ अधिकारक ज्ञान शिक्षा सं पल्व्वित आ पुष्पित होइत अछि !
हमरा लोकनि पुरनका परिवेश के करेज मे सटेने छलहूँ आ नवका परिवर्तन कें सेहो हृदय सं स्वागत केलहूँ मुदा एहि चमक -धमक परिवेश मे हम कतो न कतो दृग्भ्रमित भेल जा रहल छी ! शिष्टाचार क मंत्र बिसरि रहल छी ! श्रेष्ठ ,समतुल्य आ कनिष्ठ कें यथोचित सम्मान देबा मे सक्षमता नहि देखबे छी ! हमरा जखन श्रेष्ठ लोकनि क समालोचना ,टीका -टिप्पणी ,शुभकामना ,बधाई आ कोनो संदेश अबैत अछि त निःसंकोच आभार ,अभिनंदन आ प्रणाम शब्द कें लिखी अग्रसारित करि ! मात्र THANK YOU आ प्रणाम क फोटो प्रभावहीन मानल जाइत अछि ! समतुल्य कें आभार आ स्नेह सं सिक्त करक चाहि ! कनिष्ठ हमर प्रेमक आकांक्षी सदेव बनल रहैत छथि ! शिष्टाचार पहिने प्रयोगिक सिखाओल जाइत छल आब नव युग मे शिष्टाचार स्वयं सीख पड़त !
=====================
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका
झारखण्ड
भारत
12 11 2021

Language: Maithili
Tag: लेख
131 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
जीनगी हो गइल कांट
जीनगी हो गइल कांट
Dhirendra Panchal
कुछ लड़कों का दिल, सच में टूट जाता हैं!
कुछ लड़कों का दिल, सच में टूट जाता हैं!
The_dk_poetry
कहानी घर-घर की
कहानी घर-घर की
Brijpal Singh
चाय सिर्फ चीनी और चायपत्ती का मेल नहीं
चाय सिर्फ चीनी और चायपत्ती का मेल नहीं
Charu Mitra
संकट मोचन हनुमान जी
संकट मोचन हनुमान जी
Neeraj Agarwal
Who is whose best friend
Who is whose best friend
Ankita Patel
सम्बन्ध
सम्बन्ध
Shaily
मेरा अन्तर्मन
मेरा अन्तर्मन
Saraswati Bajpai
आई होली आई होली
आई होली आई होली
VINOD CHAUHAN
■ जीवन दर्शन...
■ जीवन दर्शन...
*Author प्रणय प्रभात*
*वृद्धावस्था : सात दोहे*
*वृद्धावस्था : सात दोहे*
Ravi Prakash
आप सुनो तो तान छेड़ दूं
आप सुनो तो तान छेड़ दूं
Suryakant Dwivedi
दोहा - शीत
दोहा - शीत
sushil sarna
एहसासों से भरे पल
एहसासों से भरे पल
सुशील मिश्रा ' क्षितिज राज '
तुम कहते हो राम काल्पनिक है
तुम कहते हो राम काल्पनिक है
Harinarayan Tanha
उड़ रहा खग पंख फैलाए गगन में।
उड़ रहा खग पंख फैलाए गगन में।
surenderpal vaidya
फनीश्वरनाथ रेणु के जन्म दिवस (4 मार्च) पर विशेष
फनीश्वरनाथ रेणु के जन्म दिवस (4 मार्च) पर विशेष
Paras Nath Jha
हमारे जैसी दुनिया
हमारे जैसी दुनिया
Sangeeta Beniwal
वेद प्रताप वैदिक को शब्द श्रद्धांजलि
वेद प्रताप वैदिक को शब्द श्रद्धांजलि
Dr Manju Saini
मानवता
मानवता
Rahul Singh
मत रो मां
मत रो मां
Shekhar Chandra Mitra
आमावश की रात में उड़ते जुगनू का प्रकाश पूर्णिमा की चाँदनी को
आमावश की रात में उड़ते जुगनू का प्रकाश पूर्णिमा की चाँदनी को
तारकेश्‍वर प्रसाद तरुण
दूसरे का चलता है...अपनों का ख़लता है
दूसरे का चलता है...अपनों का ख़लता है
Mamta Singh Devaa
मस्ती का त्योहार है होली
मस्ती का त्योहार है होली
कवि रमेशराज
ग़ज़ल - ख़्वाब मेरा
ग़ज़ल - ख़्वाब मेरा
Mahendra Narayan
तुम्हें पाने के लिए
तुम्हें पाने के लिए
Surinder blackpen
नील पदम् NEEL PADAM
नील पदम् NEEL PADAM
नील पदम् Deepak Kumar Srivastava (दीपक )(Neel Padam)
शुभ प्रभात मित्रो !
शुभ प्रभात मित्रो !
Mahesh Jain 'Jyoti'
हालात ए वक्त से
हालात ए वक्त से
Dr fauzia Naseem shad
संस्कार संयुक्त परिवार के
संस्कार संयुक्त परिवार के
ओमप्रकाश भारती *ओम्*
Loading...