Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
3 Oct 2021 · 2 min read

” अत्याचार अप्पन मातृभाषा सं “

डॉ लक्ष्मण झा”परिमल”
======================

सर्वप्रथम जन्म दिनक आ विवाहक वार्षिकोत्सव क उपलक्ष्य पर अशेष मंगल कामना आ आशीष ….मुदा आहां लोकनि मैथिली सं कात भेल जा रहल छी ! हमरा अनुमाने नहि पूर्ण विश्वास अछि आहां अपना बच्घा लोकनि सं हिंदिये बजैत हेब ! …..” मैथिली भाषा सं विमुख नहि करू अपन बच्चा कें “……हम कखनो -कखनो किनको तर्क सं तिलमिला जाइत छी ,अचंभित भ जाइत ! कखनो माथ कुड़ीयबैत इ अन्वेषण करS लगैत छी कि एहन दिव्य व्यक्तिक प्रकाश मलिन किया भ गेलनि ? हुनका बुझने त ओ ज्ञानक आलोक पासारि रहल छथि ! किछु प्रेमी लोकनि हुनके तबलाक थाप पर मंत्रमुग्ध भेल आंखि बंद केने अप्पन गरदनि हिलेनाइ प्रारंभ कS देत छथि ! परंच जिनका ताल- मात्र ,लय आ संगीतक कनिकबो ज्ञान रहित छैन्हि ओ एकाग्रचित भS सुनैत छथि ! कनिकबो जे सुर सं विचलित भेलहुँ त इंगित केनाय सं परहेज नहि करताह ! ओना सब प्राणीक विचारधारा एक सन नहि भ सकैत अछि ! हम जाहि परिवेश छी , जेना हम सबगोटे रहैत छी ,हमर जे कार्यशैली अछि ओ सब हमर लिखब ,बाजव आ अभिव्यक्ति मे परिलक्षित हैत ! कियो कहैत छथि “बच्चा लोकनि पैघ -पैघ स्कूल मे अंग्रेजी आ हिंदी माध्यम मे शिक्षा ग्रहण करैत छथि ! हुनका लोकनि कें ओहि भाषा मे निपुण केनाय अतिआवश्यक ! मैथिली भाषा त ओहिना ओ सब सीख जेताह तें हमरा लोकनि कें अपना बच्चा सब सं अंग्रेजी आ हिंदीये मे बातचीत करक चाहि ! मैथिली त अप्पन भाषा अछि ताहि लेल चिंता जुनि करू ओ कखनो सीख लेत !” एहि रूपक विचारधारा प्रगट केनाय कोनो अपराध नहि थीक ! विचारक अभिव्यक्तिक अधिकार सबकें भेटल छैक ! आब निर्णय हमरा लोकनि कें करबाक अछि जे इ राग ‘ महेशवाणी ‘ भेल कि ‘नचारी ‘ !
बच्चाक प्रतिभाक रूपक संरचना हम कोनो भाषाक माध्यमे कोनो आकृति प्रदान क सकैत छी इ सत्य थीक ! परंच आन भाषा मे अपना घर मे पढाबि इ हम यथोचित कथमपि नहि बुझब कियाकत ओ मैथिली भाषाक मोह आ बजनाइ सं कतो बंचित नS भ जाथि ! एतबे नहि गाम घरक परिवेश मे ओ अपना कें अनभूआर भ जेबाक शंका रहतनि ! बंगाली ,उडिया ,पंजाबी ,गुजरती ,मराठी ,मलयाली इत्यादि लोकनि घर मे अपन भाषा मे गप्प करैत छथि आ ओहि भाषा माध्यमे अंग्रेजी आ हिंदीक ज्ञान देत छथि ! मिथिलाक माटि-पानि सं यदि बच्चा कें आकर्षित करबाक अछि त अपन तर्कक संगे न्याय करय पडत अन्यथा बरद आहांक…. जकरा सं नाथि लिय तकरे सं नाथू …..कोनो हर्ज नहि !
===========================================
डॉ लक्ष्मण झा”परिमल”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका

Language: Maithili
Tag: लेख
1 Like · 189 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
जो ना होना था
जो ना होना था
shabina. Naaz
प्रभु शुभ कीजिए परिवेश
प्रभु शुभ कीजिए परिवेश
Umesh उमेश शुक्ल Shukla
Ye din to beet jata hai tumhare bina,
Ye din to beet jata hai tumhare bina,
Sakshi Tripathi
मेरी हर सोच से आगे कदम तुम्हारे पड़े ।
मेरी हर सोच से आगे कदम तुम्हारे पड़े ।
Phool gufran
💐अज्ञात के प्रति-126💐
💐अज्ञात के प्रति-126💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
*जनता को कर नमस्कार, जेलों में जाते नेताजी(हिंदी गजल/ गीतिका
*जनता को कर नमस्कार, जेलों में जाते नेताजी(हिंदी गजल/ गीतिका
Ravi Prakash
फितरत
फितरत
Sidhartha Mishra
चांदनी रातों में
चांदनी रातों में
Surinder blackpen
ज़िंदगी का सवाल
ज़िंदगी का सवाल
Dr fauzia Naseem shad
जब आपके आस पास सच बोलने वाले न बचे हों, तो समझिए आस पास जो भ
जब आपके आस पास सच बोलने वाले न बचे हों, तो समझिए आस पास जो भ
Sanjay ' शून्य'
दादी की कहानी (कविता)
दादी की कहानी (कविता)
दुष्यन्त 'बाबा'
🙏श्याम 🙏
🙏श्याम 🙏
Vandna thakur
ज्ञानवान  दुर्जन  लगे, करो  न सङ्ग निवास।
ज्ञानवान दुर्जन लगे, करो न सङ्ग निवास।
संजीव शुक्ल 'सचिन'
ना जाने कौन सी डिग्रियाँ है तुम्हारे पास
ना जाने कौन सी डिग्रियाँ है तुम्हारे पास
Gouri tiwari
नफ़रत के सौदागर
नफ़रत के सौदागर
Shekhar Chandra Mitra
इस दुनिया के रंगमंच का परदा आखिर कब गिरेगा ,
इस दुनिया के रंगमंच का परदा आखिर कब गिरेगा ,
ओनिका सेतिया 'अनु '
हरषे धरती बरसे मेघा...
हरषे धरती बरसे मेघा...
Harminder Kaur
,,
,,
Sonit Parjapati
हम बात अपनी सादगी से ही रखें ,शालीनता और शिष्टता कलम में हम
हम बात अपनी सादगी से ही रखें ,शालीनता और शिष्टता कलम में हम
DrLakshman Jha Parimal
कलाकृति बनाम अश्लीलता।
कलाकृति बनाम अश्लीलता।
Acharya Rama Nand Mandal
किसी एक के पीछे भागना यूं मुनासिब नहीं
किसी एक के पीछे भागना यूं मुनासिब नहीं
Dushyant Kumar Patel
गजब है सादगी उनकी
गजब है सादगी उनकी
sushil sarna
"आँख और नींद"
Dr. Kishan tandon kranti
डॉ अरूण कुमार शास्त्री
डॉ अरूण कुमार शास्त्री
DR ARUN KUMAR SHASTRI
निज धर्म सदा चलते रहना
निज धर्म सदा चलते रहना
सुशील मिश्रा ' क्षितिज राज '
■ नज़रिया बदले तो नज़ारे भी बदल जाते हैं।
■ नज़रिया बदले तो नज़ारे भी बदल जाते हैं।
*Author प्रणय प्रभात*
चली गई ‌अब ऋतु बसंती, लगी ग़ीष्म अब तपने
चली गई ‌अब ऋतु बसंती, लगी ग़ीष्म अब तपने
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
12. घर का दरवाज़ा
12. घर का दरवाज़ा
Rajeev Dutta
रोम-रोम में राम....
रोम-रोम में राम....
डॉ.सीमा अग्रवाल
पुलवामा अटैक
पुलवामा अटैक
लक्ष्मी सिंह
Loading...