· Reading time: 1 minute

रुपवती

रुपवती
रुपवती तोहर रुप
बेमिसाल छौ।

रुपवती तोहर मुखरा
पूनम चान छौ।

रुपवती तोहर केश
कारी नागिन छौ।

रुपवती तोहर भौं
तीर कमान छौ।

रुपवती तोहर आंख
खंजनक आंख छौ।

रुपवती तोहर नाक
सुग्गाक चोंच छौ।

रुपवती तोहर दांत
अनारक दाना छौ।

रुपवती तोहर यौवन
इलाहाबादी लताम छौ।

रुपवती तोहर मेरू
सिंह समान छौ।

रुपवती तोहर पांव
गुलाबक पंखुरी छौ।

रुपवती तोहर चाल
हिरणीक चाल छौ।

रुपवतीक रुप पर
रामा निहाल छौ।

स्वरचित © सर्वाधिकार रचनाकाराधीन।

-आचार्य रामानंद मंडल सामाजिक चिंतक सीतामढ़ी।

16 Views
Like
Author
41 Posts · 2.3k Views
मैथिली और हिन्दी कविता कहानी लेखन

Enjoy all the features of Sahityapedia on the latest Android app.

Install App
You may also like:
Loading...