Read/Present your poetry in Sahityapedia Poetry Open Mic on 30 January 2022.

Register Now
· Reading time: 1 minute

मैथिली पुरुस्कार पर कतेक प्रशन अछि? आ रहत?

पुरुस्कार लेल सभके आत्मीय बधाई..आ शुभकामना..
मैथिली पुरुस्कार पर कतेक प्रशन अछि? आ रहत??

1. जे पोथी सब पुरुस्कार लेल चयनित वा लिस्ट मे अछि ओ सब कतेक प्रति बिकायल अछि वा बिक्री भेल आ की पाठक वर्ग ओही पोथी के कहियो देखने पढ़ने अछि??

2. मैथिली ज्यूरी हेबाक योग्यता की छैक? कतेक नाम एहनो जे एक्को आध पोथी नै लिखने आ नै कोनो बेसी सहित्यक योगदान तेहेंन? त फेर मैथिलीक ज्यूरी कोना बना देल गेल?

3. मैथिलिक पुरुस्कार मात्र झा टाइटील देखी देल जा रहल की? मैथिलिक तिनू पुरुस्कार झा केँ?? आ की हीनका सभक पोथी आ साहित्य लोकप्रिय भेल अछि??

4. साहित्य अकादमी मैथिलिक पुरुस्कार गोंधियागिरी खेला मात्र रही गेल अछि की?? ज्यूरी मेम्बर जवाब दैथ आ पब्लिक के जनतब दियौअ जे पुरूस्कार लेल पोथि चयन के की मापदंड अपनाउल गेल??

5. मैथिली किताब पाठक तक नैं पहुँचल मात्र साहित्यकार सबहक गिरोह तक सीमित रहैए, तईयो कोन आधार पर मैथिली पोथी पुरूस्कृत कए देल जाइत छै आ किएक??

मैथिलिक पाठक लोकैन अप्पन प्रतिक्रिया दी आ विमर्ष करै जाऊ.

लेखक© किशन कारीगर
(काॅपीराईट)

2 Likes · 3 Comments · 406 Views
Like
Author
88 Posts · 14.1k Views
कवि परिचय:- किशन कारीगर ( मूल नाम- डाॅ. कृष्ण कुमार राय). जन्म:- 5 मार्च 1983ई.(कलकता मे)। शिक्षाः- पीएच.डी(शिक्षाशात्र), एमएमसी(मास कम्युनिकेशन),एम्.एड,बी.एड, पि.जी.डिप्लोमा(रेडियो प्रसारण) । मैथिली/हिंदी/ बांग्ला मे किशन कारीगर उपनाम से…

Enjoy all the features of Sahityapedia on the latest Android app.

Install App
You may also like:
Loading...