Read/Present your poetry in Sahityapedia Poetry Open Mic on 30 January 2022.

Register Now
· Reading time: 1 minute

” फेस बुकक ढोलचमकी मे सिसकैत सम्बन्ध “

डॉ लक्ष्मण झा”परिमल ”
========================
इ अद्भूत लोलना
हमरा
भेट गेल
हम संपूर्ण जगत सं जुडी गेलहूँ !
जे हमर क्षितिजक
छोर मे भूतला गेल छलाह
तिनको हम साथ लेलहूँ !!
हम जन्म दिनक
शुभकामना पठा रहल छी !
आहाँके लेखनी आ
कार्यशैली कें लाइक आ कमेंट क रहल छी !!
सदिखन इ जिज्ञाशा होइत
रहैत अछि !
के-के सब दिन हमर प्रसंशा
करैत छथि ?
परन्तु जखन अपन लोक
सोझा मे अबैत छथि !
सत्कारक त बात दूर
चिनभो नहि करैत छथि !!
बुझैत छथि फेसबुक धरि
हम ठीक छी !
अपना कें झेलनाइ त पारे नहि लगैत अछि
दूरे हम नीक छी !!
कहू एहि युग मे ‘वसुधेव कुटुम्बकम’
मंत्र कतय भसिया गेल ?
सम्बन्ध अपन आरि सं
सत्ते कहू डगमगा गेल !!
======================
डॉ लक्ष्मण झा”परिमल ”
एस .पी .कॉलेज रोड
नाग पथ
शिव पहाड़
दुमका
झारखण्ड
इंडिया

23 Views
Like
Author

Enjoy all the features of Sahityapedia on the latest Android app.

Install App
You may also like:
Loading...