Read/Present your poetry in Sahityapedia Poetry Open Mic on 30 January 2022.

Register Now
· Reading time: 1 minute

न रहै झूठा

हिअ गेल चएन गेल
दऽ गेला झुनझुना
हे सखि पिया नैय ऐला
न रहै झूठा

सिंगापुर गेला विलायती भेला
कलुआ बरद जेना फुला
हे सखि पिया नैय ऐला
ना रहै झूठा

रात गेल दिन गेल
टुगर अध्यज्ञानी हइ मुल्ला
हे सखि पिया नैय ऐला
ना रहै झूठा

नाप गेल ताक गेल
पाँब माटि तअर छाप गेल
हे सखि पिया नैय ऐला
ना रहै झूठा

लाज गेल ताज गेल
जीबैत जिनगी मारि गेल
हे सखि पिया नैय ऐला
ना रहै झूठा

जप गेल तप गेल
डायैन कहै लोक मारे कुल्हा
हे सखि पिया नैय ऐला
ना रहै झूठा

सिंघेस्वर गेलौं हलेश्वर गेलौँ
राधा रानी बनल होइ जेना गुड्डा
हे सखि पिया नैय ऐला
ना रहै झूठा

मौलिक एवं स्वरचित
© श्रीहर्ष आचार्य

40 Views
Like
Author
विधा नन्द सिंह उपाख्य : श्रीहर्ष आचार्य शिक्षा : एम.एस-सी., एम.बी.ए. जन्म तिथि-1996 मैथिली, हिन्दी,संस्कृत ,खोरठा,अंग्रेजी,अवधी,बंगाली ब्रजभाषा,मगही में गजल, दोहा, गीत,कविता ,उपन्यास लेखन सम्मान/पुरस्कार : सरस्वती साहित्य सम्मान, ब्रजभाषा गौरव…

Enjoy all the features of Sahityapedia on the latest Android app.

Install App
You may also like:
Loading...