· Reading time: 1 minute

आब घुरि एलहुँ हम

रहै ओ शोणित सँ सानल माटि
तैं गाछ देखि उङैछ ललकी ओढ़नी
ई गोटक फूलक खेत हमर
फेर वैह अंग करण धरती पर
कोना पायल केर छमकै नय देखाउ
आबि गेलीह ओहि वंसुधरा पर
मोन मोन देखि बड्ड इठलाउ

इजोत शहर मे
आर घर गाम केर चहुँदिस मे
हे यै बहिनपा घुरि एलहुँ हम

धिया पूता रहै सब आँगनमे
परदादीसँ सुनैत रहि ओ खिस्सा
बैसला जामुन गाछ पर जाकऽ
ओ सभ मोन करिते हम
बस ओहिमे डूमि रहल छी
माटि लऽ चुमि रहल छी
कण-कण मे
हाथ माथ पर धऽ सोचि रहल छी
हे यै काकी आब घुरि एलहुँ हम

ओ गोसाउनि घरक पेटी
बड्ड दिन बाद फुजल अछि
अभरि रहल छै माँ केर ममता
बहुत दिवस पर भेटल अछि
हे मिथिले पावन भू हमर
आब घुरि एलहुँ हम

मौलिक एवं स्वरचित
© श्रीहर्ष आचार्य

2 Likes · 2 Comments · 23 Views
Like
Author
विधा नन्द सिंह उपाख्य : श्रीहर्ष आचार्य शिक्षा : एम.एस-सी., एम.बी.ए. जन्म तिथि-1996 मैथिली, हिन्दी,संस्कृत ,खोरठा,अंग्रेजी,अवधी,बंगाली ब्रजभाषा,भोजपुरी,मगही में गजल, दोहा, गीत,कविता ,उपन्यास लेखन सम्मान/पुरस्कार : सरस्वती साहित्य सम्मान, ब्रजभाषा गौरव…

Enjoy all the features of Sahityapedia on the latest Android app.

Install App
You may also like:
Loading...