Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
4 Jul 2022 · 3 min read

“हिमांचल दर्शन “

(संस्मरण)
डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
=====================
कठोरतम मिलिट्री प्रशिक्षण क पश्चात हम सब बेसि व्यग्रता सँ प्रतीक्षा क रहल छलहूँ जे भाग्य केँ जाहि इच्छा हेतनि भारत केँ कोनो स्थान पर हमरा लोकनि केँ पोस्टिंग भ जायत ! आब हमरा लोकनि केँ ओहि कठोरतम प्रशिक्षण क पुनः सामना नहि हेत ! खुशी क वातावरण चहू दिश पसरल छल ! सब प्रशिक्षणार्थी ,सहपाठी ,मित्र आ किछू ग्रामीण लोकक एक संग रहि आ सँगें -सँगें 3 बरख 4 मास धरि एक संग प्रशिक्षण केनाय ,सुख -दुख मे संग रहनाय ,बुझू एकटा नविन परिवार क सृजन भ गेल छल ! मुदा आब अपन संगी -साथी सँ बिछुड़य क समय आबि गेल छल ! खुशी क आभास होइतो मन मलिन भ रहल छल ! भारत क कोनो कोन मे पठाओल जायत आ ओहो नव परिवेश मे ! कनि मलिन भेनाय त स्वाभाविक छल !

मुदा इ त पूर्णतः मानय पड़त जे इएह विभिन्य प्रशिक्षण समस्त सैनिक केँ “ आत्म निर्भर “,साहसी “आज्ञाकारी ,” अनुशासित आ कर्मठता क पाठ पढ़ोलक ! आगि मे तपा-तपा केँ हमरा लोकनि केँ खाँटी आ शुद्ध स्वर्णक आकृति देलक ! जीवनक उतार- चढाब क सामना कारबा सक्षमता एहि प्रशिक्षणक माध्यम सँ प्राप्त भेल ! के नहि चाहैत अछि एकटा नवीन इतिहासक रचना करि ? इतिहासक अध्याय मे नाम अपन अंकित करि ? एहि भविष्यक परिकल्पना ल केँ सजग प्रहरी बनलहूँ !

12,दिसम्बर 1975 संध्या काल सभक लौटरी खुजल ! भारत क विभिन्य सैनिक अस्पताल आ मेडिकल यूनिट मे सभक पोस्टिंग आयल ! कियो कतो त कियो कतो ! कियो खुश रहैथि , कियो कनि मलिन ! जाहि प्रदेश मे जनिक पोस्टिंग एलनि हुनकर जिज्ञासा ओहि प्रान्तक लोक सँ होमय लगलनि ! हमर पोस्टिंग सैनिक अस्पताल योल कैम्प हिमांचल प्रदेश मे भेल ! उत्सुकता बूझू सब मे व्याप्त छल ,—–
“ कत्त’ अछि ?….. केहन अछि ?
“ जेबा क साधन की अछि ?”
वैह प्रांत के लोक समुचित भौगोलिक ज्ञान दैत छलाह ! हमर साथ मे बिहारी लाल डोगरा और शमशेर सिंह डोगरा कंगड़ा जिला ,हिमांचल प्रदेश क छलाह ! दूनू हमर संगी रहैथि ! पूँछला पर सांत्वना दैत शमशेर हमरा कहलनि ,——

” आहाँ बहुत लक्की छी ,बहुत सुंदर स्थान पर आहाँ क पोस्टिंग आयल अछि ! हम त ओहिठाम क रहय वला छी !“

बिहारी लाल सहो हाँ मे हाँ मिलेलनि ! ओना सब एक दोसर केँ एहिना ढाढ़स दैत अछि ! कियो ककरो सँ पूछि लिय मुदा कियो कोनो प्रान्त क स्थानक आलोचना करैत नहि भेटताह ! सभक सकारात्मक प्रतिक्रिया क आभास होइत छैक !
किछू कहि मन मे त चिंता लगल छल ! कतय दुमका आ कतय योल कैम्प ? घर सँ लगभग 1900 किलोमीटर दूर भ जायब !

18 ,दिसम्बर 1975 केँ लखनऊ सँ पठानकोट क लेल प्रस्थान केलहूँ ! लोक कहने रहैथि पठानकोट बस अड्डा सँ बस योल कैम्प ला भेटत ! दोसर दिन पठानकोट पहुँचलहूँ ! फेर बस यात्रा प्रारंभ भेल ! हमरा खिड़की वला सीट भेटल छल ! प्राकृतिक दृश्य , पर्वत शृंखला और टेढ़ -मेढ़ रास्ता केँ निहारैत चलि रहल छलहूँ ! पहिने नूरपुर मे बस रुकल आ छोट -छोट स्थानो पर बस रुकल ! फेर शाहपुर आ अंत में योल कैम्प !

अद्भुत दिव्य प्राकृतिक सौदर्य दृश्य चारु कात पर्वत शृंखला ,पसरल जंगल ,संकीर्ण मार्ग हिमालय क पर्वत मे बसल योल कैम्प क मनोरम छटा मन मोहि लेलक ! सीढ़ी क ढंग विभिन्य सैनिक यूनिट अवस्थित छल ! मनोरम ठंढ बसात बद्द सुंदर लागि रहल छल ! ऊँच्च पर्वत पर बर्फ देखि रहल छलहूँ ! समुद्रतल सँ एकर ऊँचाई 1,221 m (4,006 ft) छल ! एहि शहर क नाम YOL (Young Officers Living) सँ लेल गेल छल जकर 1849 क आसपास ब्रिटिश भारतीय सेना द्वारा स्थापित एकटा छोटा सन शहर अछि —– योल कैंट । (छावनी) क निर्माण 1942 मे केल गेल छल ! पहिने इ “मझैथा” गांव क रूप मे जानल जाइत छल !

बस हमरा मैन रोड पर उतारि देलक ! ऊपर पहाड़ी 2 किलोमीटर पर हमर अस्पताल छल ! रोडक कात मे एकटा चेकपोस्ट छल ! ओहिठाम सँ फोन केलहूँ आ किछूये क्षण मे हमर गाड़ी आबि गेल आ हम सैनिक अस्पताल योल मे पहुँचि गेलहूँ ! ओहिठामक लोक हमर स्वागत केलनि ! सभक संग घुलि -मिलि गेलहूँ ! चमुड़ा देवी क मंदिर अद्भुत लागल ! धर्मशाला ,ब्रिगैड बाज़ार आ दाह पिक्चर हॉल क याद अखनो हम योगा केँ रखने छी ! ओना बहुत दिन भ गेल मुदा ओ बितल क्षण केँ आइ धरि अपन मनोमस्तिष्क मे कैद क केँ रखने छी !

==================
डॉ लक्ष्मण झा”परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका
झारखण्ड
भारत
04.07.2022

289 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
सज़ल
सज़ल
Mahendra Narayan
बहरों तक के कान खड़े हैं,
बहरों तक के कान खड़े हैं,
*Author प्रणय प्रभात*
जय मां शारदे
जय मां शारदे
Mukesh Kumar Sonkar
*** हम दो राही....!!! ***
*** हम दो राही....!!! ***
VEDANTA PATEL
पूनम का चांद
पूनम का चांद
डॉ प्रवीण कुमार श्रीवास्तव, प्रेम
रिश्ते
रिश्ते
पूर्वार्थ
कोई तो कोहरा हटा दे मेरे रास्ते का,
कोई तो कोहरा हटा दे मेरे रास्ते का,
Vaishnavi Gupta (Vaishu)
ऐसा नहीं है कि मैं तुम को भूल जाती हूँ
ऐसा नहीं है कि मैं तुम को भूल जाती हूँ
Faza Saaz
तुमसे ही दिन मेरा तुम्ही से होती रात है,
तुमसे ही दिन मेरा तुम्ही से होती रात है,
AVINASH (Avi...) MEHRA
जन कल्याण कारिणी
जन कल्याण कारिणी
डॉ विजय कुमार कन्नौजे
दोहा
दोहा
दुष्यन्त 'बाबा'
3085.*पूर्णिका*
3085.*पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
आलता महावर
आलता महावर
Pakhi Jain
!! दर्द भरी ख़बरें !!
!! दर्द भरी ख़बरें !!
Chunnu Lal Gupta
गरिमामय प्रतिफल
गरिमामय प्रतिफल
Shyam Sundar Subramanian
जन्नत
जन्नत
जय लगन कुमार हैप्पी
तमन्ना है तू।
तमन्ना है तू।
Taj Mohammad
दूरियां ये जन्मों की, क्षण में पलकें मिटातीं है।
दूरियां ये जन्मों की, क्षण में पलकें मिटातीं है।
Manisha Manjari
मतलबी किरदार
मतलबी किरदार
Aman Kumar Holy
*सड़क बढ़ती ही जाती है 【हिंदी गजल/गीतिका】*
*सड़क बढ़ती ही जाती है 【हिंदी गजल/गीतिका】*
Ravi Prakash
हमने उनकी मुस्कुराहटों की खातिर
हमने उनकी मुस्कुराहटों की खातिर
Harminder Kaur
उधार ....
उधार ....
sushil sarna
दोहा -
दोहा -
डाॅ. बिपिन पाण्डेय
कुदरत है बड़ी कारसाज
कुदरत है बड़ी कारसाज
अनिल कुमार गुप्ता 'अंजुम'
कम आ रहे हो ख़़्वाबों में आजकल,
कम आ रहे हो ख़़्वाबों में आजकल,
Shreedhar
आँखें
आँखें
Neeraj Agarwal
रैन बसेरा
रैन बसेरा
Shekhar Chandra Mitra
'बुद्ध' ने दिया आम्रपाली को ज्ञान ।
'बुद्ध' ने दिया आम्रपाली को ज्ञान ।
Buddha Prakash
आज भी मुझे मेरा गांव याद आता है
आज भी मुझे मेरा गांव याद आता है
Praveen Sain
शातिरपने की गुत्थियां
शातिरपने की गुत्थियां
Umesh उमेश शुक्ल Shukla
Loading...