Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
8 Dec 2022 · 2 min read

“ हम महान बनबाक लालसा मे सब सँ दूर भेल जा रहल छी ”

डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
================================
महान बनबाक लालसा हमरा हुये अथवा नहि हुये परञ्च हमर विभिन्य भंगिमा एहि फेसबुक पर इ दर्शबैत अछि कि हमहूँ उँच्चतम शिखर पर चढ़ि अपन विजय ध्वजा फहराबि! जन्म दिन ,शादी क सालगिरह ,बच्चा क जन्म दिन ,गृहप्रवेश ,परीक्षा मे सफलता ,सम्मान ,पारितोषिक ,समारोह ,उत्सव ,विदेश यात्रा ,हवाई यात्रा ,नव कार क खरीददारी ,पुस्तक विमोचन ,कविता पाठ आ नहि जानि कतेक विलक्षण क्षणक क प्रदर्शन एहि रंगमंच पर सब गोटे सब करैत छथि ! एतबे नहि प्रोफाइल चित्र केँ यदा -कदा गूगल स्वयं फेसबुक क रंगमंच पर उजागर करैत रहैत अछि !
हमर इच्छा रहैत अछि कि अधिकांशतः फेसबुक सँ जुड़ल लोक एकर अवलोकन करैथ ,लाइक करैथ आ यथोचित बधाई ,शुभकामना ,प्रशंसा ,समीक्षा ,सकारात्मक टिप्पणी ,आभार अभिनंदन ,प्रणाम ,आशीष ,ढाढ़स इत्यादि द क’ अनुगृहीत करैथ ! किछु एहनो लोक होइत छथि जिनका हमलोकनि व्यक्तिगत रूप सँ जानैत छियनि ! अन्यथा अधिकाशतः लोग अपरिचिते आ अनजान रहैत छथि ! हुनकर भंगिमा आ लेखनी सँ हुनकर परिचय मात्र भेटइत अछि !
कियो हमरा बधाई ,शुभकामना ,प्रशंसा ,समीक्षा ,सकारात्मक टिप्पणी ,आभार अभिनंदन ,प्रणाम ,आशीष ,ढाढ़स इत्यादि दैत छथि तखन हमर कंजूसी भरल प्रतिक्रिया हमरा अकर्मण्य बना दैत अछि जे स्वभावतः संदेह क परिसीमा मे आनि ठाड़ क दैत अछि ! कदाचित एहन लोक महान बनबाक क प्रयास मे त नहि छथि ? बधाई ,शुभकामना ,प्रशंसा ,समीक्षा ,सकारात्मक टिप्पणी ,आभार अभिनंदन ,प्रणाम ,आशीष ,ढाढ़स इत्यादि देबयवला पश्चाताप कर’ लगैत छथि आ पुनः आबय वला वर्ष मे बधाई ,शुभकामना ,प्रशंसा ,समीक्षा ,सकारात्मक टिप्पणी ,आभार अभिनंदन ,प्रणाम ,आशीष ,ढाढ़स इत्यादि देबय सँ कनि कन्नी काटय लगैत छथि !
आभार आ धन्यवाद केँ व्यक्त करबा केँ विधा भला के नहि जनैत अछि ? एहि फेसबुक क रंगमंच पर कियो श्रेष्ठ छथि ,कियो समतुल्य आ कियो कनिष्ठ छथि ! बधाई ,शुभकामना ,प्रशंसा ,समीक्षा ,सकारात्मक टिप्पणी ,आभार अभिनंदन ,प्रणाम ,आशीष ,ढाढ़स इत्यादि जखन वो लोकनि दैत छथि तखन हमरा गर्व हेबा क चाहि जे हमरा लोक प्रेम आ सिनेह करैत छथि आ सत्कार आ सम्मान सहो ! श्रेष्ठ लोकनि ढाढ़स आ प्रोत्साहन केलनि आ हम अकर्मण्यता स्वरूप हुनका मात्र “थैंक्स “ कहि कात भ जाइत छी ?
विश्व क कोनो भाषा हो शालीनता ,शिष्टाचार और मृदुलता के शब्द ओहि मे पूर्णतः निहित अछि ! परञ्च हम एहन प्रतिक्रिया सँ कोसो दूर भ जाइत छी ! अपन व्यस्तता ,अकस्मिता आ अकर्मण्यता हमरालोकनि केँ आनक सोझा महान नहि, अभद्र बना दैत अछि !
श्रेष्ठ केँ लिखि केँ प्रणाम करू ! फोटो प्रणाम सँ अपूर्ण शालीनता झलकैत अछि ! इतबे नहि समतुल्य आ कनिष्ठ केँ सहो हृदय सँ प्रतिक्रिया लिखि ! हमरालोकनि अत्यंत भाग्यशाली छी जिनका श्रेष्ठ लोकनि क सानिध्य प्राप्त भेल अछि ! श्रेष्ठ धरि सीमित नहि रहबाक चाहि अपितु हमरालोकनि केँ सबकेँ हृदय मे बसबाक चाहि अन्यथा “ हम महान बनबाक लालसा मे सब सँ दूर भ जायब ! ”
======================
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका
झारखण्ड
भारत
08.12.2022

Language: Maithili
Tag: लेख
1 Like · 135 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
तुम हारिये ना हिम्मत
तुम हारिये ना हिम्मत
gurudeenverma198
*चाटुकार*
*चाटुकार*
Dushyant Kumar
मेरे दिल से उसकी हर गलती माफ़ हो जाती है,
मेरे दिल से उसकी हर गलती माफ़ हो जाती है,
Vishal babu (vishu)
दोहे नौकरशाही
दोहे नौकरशाही
महावीर उत्तरांचली • Mahavir Uttranchali
कराहती धरती (पृथ्वी दिवस पर)
कराहती धरती (पृथ्वी दिवस पर)
डॉ. शिव लहरी
आप सुनो तो तान छेड़ दूं
आप सुनो तो तान छेड़ दूं
Suryakant Dwivedi
अन्न का मान
अन्न का मान
Dr. Pradeep Kumar Sharma
उत्तंग पर्वत , गहरा सागर , समतल मैदान , टेढ़ी-मेढ़ी नदियांँ , घने वन ।
उत्तंग पर्वत , गहरा सागर , समतल मैदान , टेढ़ी-मेढ़ी नदियांँ , घने वन ।
ओमप्रकाश भारती *ओम्*
" चलन "
Dr. Asha Kumar Rastogi M.D.(Medicine),DTCD
"जीवन का संघर्ष"
Dr. Kishan tandon kranti
याद है पास बिठा के कुछ बाते बताई थी तुम्हे
याद है पास बिठा के कुछ बाते बताई थी तुम्हे
Kumar lalit
नयन कुंज में स्वप्न का,
नयन कुंज में स्वप्न का,
sushil sarna
अभी गनीमत है
अभी गनीमत है
शेखर सिंह
आया करवाचौथ, सुहागिन देखो सजती( कुंडलिया )
आया करवाचौथ, सुहागिन देखो सजती( कुंडलिया )
Ravi Prakash
जब तुम्हारे भीतर सुख के लिए जगह नही होती है तो
जब तुम्हारे भीतर सुख के लिए जगह नही होती है तो
Aarti sirsat
#drarunkumarshastri
#drarunkumarshastri
DR ARUN KUMAR SHASTRI
जिंदगी को जीने का तरीका न आया।
जिंदगी को जीने का तरीका न आया।
Taj Mohammad
मातु शारदे वंदना
मातु शारदे वंदना
ओम प्रकाश श्रीवास्तव
ख्वाबो में मेरे इस तरह आया न करो
ख्वाबो में मेरे इस तरह आया न करो
Ram Krishan Rastogi
शुभ रात्रि मित्रों.. ग़ज़ल के तीन शेर
शुभ रात्रि मित्रों.. ग़ज़ल के तीन शेर
आर.एस. 'प्रीतम'
नन्ही मिष्ठी
नन्ही मिष्ठी
Manu Vashistha
तप त्याग समर्पण भाव रखों
तप त्याग समर्पण भाव रखों
Er.Navaneet R Shandily
#कविता
#कविता
*Author प्रणय प्रभात*
लुटा दी सब दौलत, पर मुस्कान बाकी है,
लुटा दी सब दौलत, पर मुस्कान बाकी है,
Rajesh Kumar Arjun
* जन्मभूमि का धाम *
* जन्मभूमि का धाम *
surenderpal vaidya
3122.*पूर्णिका*
3122.*पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
💐अज्ञात के प्रति-134💐
💐अज्ञात के प्रति-134💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
पराठों का स्वर्णिम इतिहास
पराठों का स्वर्णिम इतिहास
हिमांशु बडोनी (दयानिधि)
घबराना हिम्मत को दबाना है।
घबराना हिम्मत को दबाना है।
तारकेश्‍वर प्रसाद तरुण
एक लड़का,
एक लड़का,
हिमांशु Kulshrestha
Loading...