Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
24 Jul 2022 · 2 min read

“ स्वप्न मे भेंट भेलीह “ मिथिला माय “

डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
=====================
चिंतन, मनन आ स्मरण जे हम यदा -कदा दिन -प्रति -दिन करैत रहैत छी तकरे प्रतिबिंब मानस पटल पर घूडियात रहैत अछि ! आइ स्वप्न मे साक्षात अप्पन “ मिथिला माय “ क दर्शन भ गेल !
हम प्रणाम केलियनि ! हृदय हुनक द्रवित रहैनि ! आँखि सं नोर झहरैत छलनि ! तथापि हुनक आशीर्वाद हमरा भेटल !
हम पुछलियनि , —
” माय ! की भ गेल ? किया आहाँक आँखि सं नोर झहरैत अछि ? कहू न की भ गेल ?”
वो बजलीह ,—
“ बाउआ ! आहाँ की पूछइत छी ? सब त आहाँ केँ बुझले अछि !”
– मिथिला माय मौनता केँ तोडैत बजलीह ,—–
“ हमर पुत्र लोकनि हमर देखभाल करबा मे असमर्थ छथि ! हमर प्राण हमर मैथिली भाषा ,मिथिला संस्कृति आ यज्ञ परोजन मे समाहित अछि ! जखन एहि पर कुठाराघात होइत अछि त बुझू हमर अस्तित्व पर प्रश्न चिन्ह लागि जाइत अछि ! “
हम कहलियनि , —
“ हे माते ! भाषा ,संस्कृति आ रीति -रिवाज त अखनोधरि जीवित अछि ! भाषा क विकास भ रहल अछि ! “
“ अधिकाशतः लोग जे जीविकोपार्जन हेतू शहर गेलाह ओ अपने ,कनियाँ ,बच्चा सब मैथिली भाषा सं विमुख भ गेल छथि ! कनि -मनि जे गाम क संसर्ग मे छथि ओ बजैत छथि अन्यथा हुनको अबुह बुझाइत छनि ! इ संक्रामक व्याधि गामो मे सनिहा गेल अछि ! “
“ हे माते ! शहर मे हिन्दी आ अंग्रेजी क प्रचालन छैक !”
इ गप्प सुनि मिथिला माय उदास भ गेलीह आ कहलनि ,——
“ अप्पन भाषा घर मे बजने सं ओहि भाषा सं प्रेम भ जाइत छैक ! अप्पन भाषाक पाठशाला अप्पन घर आ समाज होइत छैक ! अन्य भाषा स्कूल आ बाहरी परिवेश मे बच्चा सिखैत अछि ! मातृभाषा समाज ,संस्कृति आ रीति -रिवाज के सुदृढ़ बनबैत अछि ! सबसं पेघ गप्प ओ गाम सं जुडल रहत ! “
“ इ गप्प त सरिपहुँ कहलहूँ , माते “ !
पुनः हम अप्पन तर्क दैत देलियनि ,–
“ मैथिली लेखक कथाकार आ रंगकर्मी क योगदान त बद्द छैनि ! क्रांति पुरुख भरल छथि ! विभिन्य मंच ,ग्रुप , कमिटी आहाँक सेवा मे तत्पर छथि ! हमरा लोकनिक मिथिला राज्य सेहो बनि रहल अछि ! मैथिली भाषा मे पढ़ाई- लिखाई प्रारंभ भ गेल !”
“ बत्स ! आहाँ कहि रहल छी सत्य !” मैथिली माय बजलिह ,—-
” हिनका लोकनिक योगदान अपूर्व छनि ! मुदा कनि हिनका लोकनि सँ पुछल जाऊ त अधिकांशतः हिनकर पुत्र ,पुत्री ,पौत्र आ पौत्री क शिक्षा अन्य भाषा मे भ रहल छैनि ! कतेक लोक त मैथिली आ मिथिला सँ कोसों दूर छथि ! विभिन्य मंच ,ग्रुप , कमिटी कखनों कखनों दिग्भ्रमित भ जाइत छथि अन्यथा आइ मिथिलाक्षर क प्रचारक लेल अभियान नहि करय पड़ैत ! “
इ कहि “ माते “ अन्तर्धान भ गेलीह ! नहि कहि हुनकर नोर केँ के पोंछतनि ?
हमर स्वप्न टूटि गेल !
===============
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल “
साउन्ड हेल्थ क्लिनिक
एस 0 पी 0 कॉलेज रोड
दुमका

Language: Maithili
172 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
वह सिर्फ पिता होता है
वह सिर्फ पिता होता है
Dinesh Gupta
रंगों  की  बरसात की होली
रंगों की बरसात की होली
Vijay kumar Pandey
तबकी  बात  और है,
तबकी बात और है,
नील पदम् Deepak Kumar Srivastava (दीपक )(Neel Padam)
प्रार्थना के स्वर
प्रार्थना के स्वर
Suryakant Dwivedi
2964.*पूर्णिका*
2964.*पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
माना तुम्हारे मुक़ाबिल नहीं मैं।
माना तुम्हारे मुक़ाबिल नहीं मैं।
डॉ.सीमा अग्रवाल
वो सोचते हैं कि उनकी मतलबी दोस्ती के बिना,
वो सोचते हैं कि उनकी मतलबी दोस्ती के बिना,
manjula chauhan
!! ये सच है कि !!
!! ये सच है कि !!
Chunnu Lal Gupta
जीवन के पल दो चार
जीवन के पल दो चार
Bodhisatva kastooriya
पल भर की खुशी में गम
पल भर की खुशी में गम
नंदलाल मणि त्रिपाठी पीताम्बर
जगत कंटक बिच भी अपनी वाह है |
जगत कंटक बिच भी अपनी वाह है |
Pt. Brajesh Kumar Nayak
* माई गंगा *
* माई गंगा *
DR ARUN KUMAR SHASTRI
सपना है आँखों में मगर नीद कही और है
सपना है आँखों में मगर नीद कही और है
Rituraj shivem verma
#विश्वेश्वरैया, बोलना बड़ा मुश्किल है भैया।।😊
#विश्वेश्वरैया, बोलना बड़ा मुश्किल है भैया।।😊
*Author प्रणय प्रभात*
उधार वो किसी का रखते नहीं,
उधार वो किसी का रखते नहीं,
Vishal babu (vishu)
सुनों....
सुनों....
Aarti sirsat
देखा तुम्हें सामने
देखा तुम्हें सामने
Harminder Kaur
बड़ी मादक होती है ब्रज की होली
बड़ी मादक होती है ब्रज की होली
कवि रमेशराज
तेरे संग ये जिंदगी बिताने का इरादा था।
तेरे संग ये जिंदगी बिताने का इरादा था।
Surinder blackpen
तुम अपना भी  जरा ढंग देखो
तुम अपना भी जरा ढंग देखो
सुखविंद्र सिंह मनसीरत
जल से सीखें
जल से सीखें
Saraswati Bajpai
*सेब का बंटवारा*
*सेब का बंटवारा*
Dushyant Kumar
देह धरे का दण्ड यह,
देह धरे का दण्ड यह,
महेश चन्द्र त्रिपाठी
प्रेम
प्रेम
Sushmita Singh
भगवन नाम
भगवन नाम
लक्ष्मी सिंह
जिंदगी की फितरत
जिंदगी की फितरत
Amit Pathak
चाँद से मुलाकात
चाँद से मुलाकात
Kanchan Khanna
*चंद्रयान ने छू लिया, दक्षिण ध्रुव में चॉंद*
*चंद्रयान ने छू लिया, दक्षिण ध्रुव में चॉंद*
Ravi Prakash
जिसमें हर सांस
जिसमें हर सांस
Dr fauzia Naseem shad
सबला नारी
सबला नारी
आनन्द मिश्र
Loading...