Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
22 Jul 2022 · 3 min read

“ सभक शुभकामना बारी -बारी सँ लिय ,आभार व्यक्त करबा बेर नागड़ि अपन झाड़ि लिय ”

(व्यंग)
डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल ”
==============================================================
कहबा क लेल फेसबूक सँ जुड़ल बालक ,बालिका ,युवा ,युवती ,समतुल्य आ श्रेष्ठ क योगदान त विशेष नहि कहि ,अधिकाशतः लोक अपन प्रदर्शन मे लागल छथि ! सब लोकनि मित्र रहैत मित्र नहि छथि ! यदा -कदा हुनक कोनो पोस्ट यदि कोनो पोस्ट केने छथि त दर्शन भ जाइत अन्यथा हुनकर एलबम आहाँ देखि सकैत छी ! बस फेसबूक क मित्र क सूची बड़बैत रहू ! आ फूसिये प्रदर्शन करैत रहू !
कियो -कियो त आजन्म सुतले रहैत छथि ! नहि एक शब्द लिखताह ,नहि एक शब्द बजताह ! बरख धरि मौनवर्त धारण करैत रहता ! किछु वर्ग सजग छथि ! हुनकर स्टोरी प्रदर्शन देखइत रहू ! छोट सन कविता ,लेख ,साहित्यिक परिचर्या ,संस्मरण ,लघु कथा इत्यादि क दर्शन भ जाइत अछि ! व्यक्तिगत उपलब्धि ,सभा संगोष्ठी ,कवि सम्मेलन ,गायन ,संगीत इत्यादि गतिविधि क प्रस्तुति लोक केँ नीक लगैत छैक !
सक्रिय लोक क संख्या गिनल -चुनल अछि ! अकर्मण्यता क लिस्ट बहुत पैघ भ जायत ! एहि अकर्मण्य लोकक भाग्य सक्रिय लोकक संगे सेहो जागि जाइत अछि ! वरख धरि आहाँ सुतलि रहू मुदा आहाँक जन्म दिन पर गूगल देवता समस्त फेसबूक मित्रक टाइम लाइन पर पहुँचि सबकेँ संदेश प्रसारित क दैत छथि ! “आइ फलाँ लोक केँ फलाँ जन्म दिन अछि ! हुनका किछु अवश्य लिखयनि !”
हे बाबू ! इ संक्रामक रोगक फेर मे नहि पडू ! फेसबूक रंगमंच पर अनेको डिजिटल मित्र छथि ! किनको आइ धरि जिज्ञासा नहि रहलनि दू शब्द लिखी हुनक स्वागत करि ! के कतए छथि ? कोन हाल मे छथि ? परस्पर कोनो विचार विमर्श नहि ! एहन व्यक्ति सँ आपेक्षा की क सकैत छी ? पहिने हिनकर प्रतिक्रिया सँ बँचित रहब ! बहुत लोक त अपन जन्म दिन पर “ प्यादा सँ फर्जी ” भ जाइत छथि ! हुनक चालि टेढ़ भ जाइत छैनि !
एहन व्यक्ति सम्पूर्ण ब्रह्मांडक दिव्य लोक बनि जाइत छथि ! हिनका जन्म दिनक बधाई आ शुभकामना दिओनि त अधिकाशतः इ मौन रहता ! प्रत्युत्तर मे लिखनाई अपन अपमान बुझताह ! हिनका नहि ज्ञान छनि कि एहि अवसर पर श्रेष्ठ के प्रणाम करबा क चाहि आ हुनक आशीर्वाद लेबाक चाहि ! समतुल्य केँ प्रेमपूर्वक आभार व्यक्त करबाक चाहि आ कनिष्ठ केँ स्नेह ! हिनका लग “एक्केटा कोरोना क बूस्टर डोज छनि THANK YOU !”
अपन जन्म दिन थीक- अपन जन्म थीक- खुशी क गप ! सभक जन्म दिनक स्वागत अछि ! सारि ,सरहोज ,ससुर ,सास ,मात -पिता ,पुत्र -पुत्री आ अपन प्रिय लोकक जन्म दिन मनेबा क चाहि ! परंच इ ध्यान रखबाक चाहि जे प्रत्युत्तर मे यथोचित संवाद हेबाक चाहि ! आभार व्यक्त क्रमशः सबकेँ करक चाहि ! किछु संक्रामक श्रेष्ठ लोकनि मे व्याप्त छनि “ सभक शुभकामना बारी -बारी सँ लिय ,आभार व्यक्त करबा बेर नागड़ि अपन झाड़ि लिय ”!
वो लिखताह —
“ सब गोटे हमरा बधाई आ शुभकामना देलहूँ !
हम सबकेँ व्यक्तिगत नहि कहि सकैत छी !
सब लोकनि केँ हमर आभार !!“

एहन दिव्य पुरुष वस्तुतः दिव्य नहि छथि! दिव्य बनबाक ढोंग करैत छथि ! विश्व विजेता नेपोलियन बोनापार्ट अपन समस्त सैनिक केँ नाम सँ सम्बोधन करैत छलाह ! हृदय मे राज करबा क अछि त दिव्य ज्योति बनि सभक हृदय मे रहय पड़त तें “ सभक शुभकामना बारी -बारी सँ लिय ,आभार व्यक्त करबा बेर नागड़ि अपन नहि झाड़ि लिय ”!!
======================
डॉ लक्ष्मण झा”परिमल ”
साउन्ड हेल्थ क्लिनिक
एस 0 पी 0 कॉलेज रोड
दुमका
झारखंड
भारत

180 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
पैसा
पैसा
Sanjay ' शून्य'
युवा दिवस विवेकानंद जयंती
युवा दिवस विवेकानंद जयंती
डॉ सगीर अहमद सिद्दीकी Dr SAGHEER AHMAD
धड़कन से धड़कन मिली,
धड़कन से धड़कन मिली,
sushil sarna
वेलेंटाइन डे
वेलेंटाइन डे
Surinder blackpen
न्योता ठुकराने से पहले यदि थोड़ा ध्यान दिया होता।
न्योता ठुकराने से पहले यदि थोड़ा ध्यान दिया होता।
Prabhu Nath Chaturvedi "कश्यप"
फ़ितरत-ए-दिल की मेहरबानी है ।
फ़ितरत-ए-दिल की मेहरबानी है ।
Neelam Sharma
रुके ज़माना अगर यहां तो सच छुपना होगा।
रुके ज़माना अगर यहां तो सच छुपना होगा।
Phool gufran
उसके किरदार की खुशबू की महक ज्यादा है
उसके किरदार की खुशबू की महक ज्यादा है
कवि दीपक बवेजा
धर्म ज्योतिष वास्तु अंतराष्ट्रीय सम्मेलन
धर्म ज्योतिष वास्तु अंतराष्ट्रीय सम्मेलन
नंदलाल मणि त्रिपाठी पीताम्बर
चल सजना प्रेम की नगरी
चल सजना प्रेम की नगरी
Sunita jauhari
खंजर
खंजर
AJAY AMITABH SUMAN
ना चाहते हुए भी रोज,वहाँ जाना पड़ता है,
ना चाहते हुए भी रोज,वहाँ जाना पड़ता है,
Suraj kushwaha
🙏 *गुरु चरणों की धूल*🙏
🙏 *गुरु चरणों की धूल*🙏
जूनियर झनक कैलाश अज्ञानी झाँसी
Finding alternative  is not as difficult as becoming alterna
Finding alternative is not as difficult as becoming alterna
Sakshi Tripathi
Image at Hajipur
Image at Hajipur
Hajipur
पितर पाख
पितर पाख
Mukesh Kumar Sonkar
सब्र रखो सच्च है क्या तुम जान जाओगे
सब्र रखो सच्च है क्या तुम जान जाओगे
VINOD CHAUHAN
*बनाता स्वर्ग में जोड़ी, सुना है यह विधाता है (मुक्तक)*
*बनाता स्वर्ग में जोड़ी, सुना है यह विधाता है (मुक्तक)*
Ravi Prakash
उड़ चल रे परिंदे....
उड़ चल रे परिंदे....
जगदीश लववंशी
पानी  के छींटें में भी  दम बहुत है
पानी के छींटें में भी दम बहुत है
Paras Nath Jha
खुद पर भी यकीं,हम पर थोड़ा एतबार रख।
खुद पर भी यकीं,हम पर थोड़ा एतबार रख।
पूर्वार्थ
बुद्ध भक्त सुदत्त
बुद्ध भक्त सुदत्त
Buddha Prakash
" तुम्हारे संग रहना है "
DrLakshman Jha Parimal
*काल क्रिया*
*काल क्रिया*
DR ARUN KUMAR SHASTRI
तुमसे ही दिन मेरा तुम्ही से होती रात है,
तुमसे ही दिन मेरा तुम्ही से होती रात है,
AVINASH (Avi...) MEHRA
ये भावनाओं का भंवर है डुबो देंगी
ये भावनाओं का भंवर है डुबो देंगी
ruby kumari
ग़ज़ल
ग़ज़ल
Mahendra Narayan
कितना खाली खालीपन है !
कितना खाली खालीपन है !
Saraswati Bajpai
संवेदनहीन
संवेदनहीन
अखिलेश 'अखिल'
■आज का #दोहा।।
■आज का #दोहा।।
*Author प्रणय प्रभात*
Loading...