Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
30 Apr 2022 · 2 min read

” सफल कलाकार आ उत्कृष्ट दर्शक “

डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
=====================
नव -नव परिधान मे ,राशि राशि रूप सजौने ,विभिन्य भंगिमा क प्रदर्शन केने साहित्यक परिचर्चा ,संतुलित राजनीतिक समालोचना ,हास्य -व्यंग ,देश -विदेशक राजनीति आ भौगोलिक परिदृश्य कें यथासंभव प्रदर्शन करैत एहि फेसबुक रंगमंच कें सुशोभित करबाक प्रयत्न मे लागल रहित छी ! आलोचना आ प्रशंसा क प्रतिक्रिया एनाइ स्वाभाविक अछि !
आलोचनात्मक टिप्पणी सदेव मर्माहत करैत अछि मुदा सकारात्मक दृष्टिकोणे इ सुधारक मानल जाइत अछि ! राजनीति ,व्यंग आ गलती क प्रदर्शन मे यदि हमरालोकनि सजग आ सतर्क रहब त आलोचनाक दर्शन कनि कम हैत !
प्रशंसा सुनि ह्रदय प्रफुल्लित भेनाइ स्वाभाविक अछि ! अभिनय मंच पर अभिनय देखि जखन दर्शक बृंद अप्पन करतलध्वनि सं कलाकार कें ढाढस बंधवैत छथि त बुझु “ऑस्कर पुरुष्कार “सं सम्मानित भ गेलहूँ ! आ व्यक्तिगत प्रशंसा ,व्यक्तिगत प्रोत्साहन ,सकारात्मक टिप्पणी ,आशीष आ शुभकामना ह्रदय क रोम – रोम पुलकित क देत अछि !
इ मनोविज्ञानिक अभिलाषा सब मे व्याप्त होइत अछि ! कनियाँ क व्यंजन क प्रशंसा करू दाम्पत्य जीवन सुखमय कटैत अछि ! बच्चो लोकनि नीक कमेंट क अभिलाषा करैत छथि !
आब विचित्र पद्धति फेसबुक क रंगमंच पर भेटि रहल अछि ! अधिकांशतः दर्शक त बुझु ऊँघेले रहित छथि ! नींद जखन खुलैत छनि त कमेंट मे लिखि देताह……
” जय हो ”
“जय श्रीराम ”
चलू इ त भगवान क नाम भेल परन्तु ..
“HELLO”
“HI”
“I LOVE YOU”
एहि तरह भांति -भांति कें कमेंट आयत ! स्वतः इ अनुमान लगा सकैत छी कि हिनका साहित्य सं लगाव कतबा छैनि ! इ नहि पढैत छथि आ नहि देखैत छथि ! बस नींद जखन खुजैत छनि तखन अप्पन उपस्थिति दर्ज करेबा लेल थापडि पिटय लगैत छथि !
हमरालोकनि कें सजग पाठक बनबा क अछि ! हम पढ़ब नहि त समालोचना ,टिप्पणी ,समुचित आलोचना ,अनुराग ,प्रेम,आशीष सं केना अनुगृहित हेब ? हमरा सफल कलाकार क संगे -संगे एकटा उत्कृष्ट दर्शक सेहो बनबाक अछि अन्यथा अप्पन व्यक्तित्व धूमिल भ सकैत अछि !
===========================
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
एस ० पी ० कॉलेज रोड
दुमका

Language: Maithili
156 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
कभी हमको भी याद कर लिया करो
कभी हमको भी याद कर लिया करो
gurudeenverma198
श्रीमद्भगवद्‌गीता का सार
श्रीमद्भगवद्‌गीता का सार
Jyoti Khari
वो परिंदा, है कर रहा देखो
वो परिंदा, है कर रहा देखो
Shweta Soni
मै ज़िन्दगी के उस दौर से गुज़र रहा हूँ जहाँ मेरे हालात और मै
मै ज़िन्दगी के उस दौर से गुज़र रहा हूँ जहाँ मेरे हालात और मै
पूर्वार्थ
Tujhe pane ki jung me khud ko fana kr diya,
Tujhe pane ki jung me khud ko fana kr diya,
Sakshi Tripathi
विष का कलश लिये धन्वन्तरि
विष का कलश लिये धन्वन्तरि
कवि रमेशराज
Thought
Thought
अनिल कुमार गुप्ता 'अंजुम'
आंधियां* / PUSHPA KUMARI
आंधियां* / PUSHPA KUMARI
Dr MusafiR BaithA
वो तेरा है ना तेरा था (सत्य की खोज)
वो तेरा है ना तेरा था (सत्य की खोज)
VINOD CHAUHAN
"सच्चाई की ओर"
Dr. Kishan tandon kranti
सरकारी नौकरी
सरकारी नौकरी
कवि दीपक बवेजा
हवस
हवस
Dr. Pradeep Kumar Sharma
दिल तुम्हारा जो कहे, वैसा करो
दिल तुम्हारा जो कहे, वैसा करो
अरशद रसूल बदायूंनी
सत्य की खोज
सत्य की खोज
Dinesh Yadav (दिनेश यादव)
अभी भी बहुत समय पड़ा है,
अभी भी बहुत समय पड़ा है,
शेखर सिंह
देशभक्ति पर दोहे
देशभक्ति पर दोहे
Dr Archana Gupta
बारिश का मौसम
बारिश का मौसम
ओमप्रकाश भारती *ओम्*
हेेे जो मेरे पास
हेेे जो मेरे पास
Swami Ganganiya
नियति
नियति
Shyam Sundar Subramanian
खूबियाँ और खामियाँ सभी में होती हैं, पर अगर किसी को आपकी खूब
खूबियाँ और खामियाँ सभी में होती हैं, पर अगर किसी को आपकी खूब
Manisha Manjari
मारा जाता सर्वदा, जिसका दुष्ट स्वभाव (कुंडलिया)*
मारा जाता सर्वदा, जिसका दुष्ट स्वभाव (कुंडलिया)*
Ravi Prakash
दोस्त का प्यार जैसे माँ की ममता
दोस्त का प्यार जैसे माँ की ममता
प्रदीप कुमार गुप्ता
****भाई दूज****
****भाई दूज****
Kavita Chouhan
नफ़रत के सौदागर
नफ़रत के सौदागर
Shekhar Chandra Mitra
2705.*पूर्णिका*
2705.*पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
ये तो मुहब्बत में
ये तो मुहब्बत में
Shyamsingh Lodhi (Tejpuriya)
■सत्ता के लिए■
■सत्ता के लिए■
*Author प्रणय प्रभात*
निजी कॉलेज/ विश्वविद्यालय
निजी कॉलेज/ विश्वविद्यालय
Sanjay ' शून्य'
जब ख्वाब भी दर्द देने लगे
जब ख्वाब भी दर्द देने लगे
Pramila sultan
दुनिया में लोग अब कुछ अच्छा नहीं करते
दुनिया में लोग अब कुछ अच्छा नहीं करते
shabina. Naaz
Loading...