Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
3 May 2022 · 2 min read

“ सतर्कता हटल ,दुर्घटना घटल ”

( यात्रा संस्मरण )
डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल ”
=================
ओना भोजन इत्यादि सँ निवृत भ दरभंगा पहूँचैत – पहूँचैत हम दूनू अपन अपन लोअर बर्थ मे सूति रहलहूँ ! बुझल छल जयनगर -राउरकेला ट्रेन जसीडीह जंक्शन 03.05 भोर मे पहुँचत ! हमर आँखि त जमुईये स्टेशन पर 01.00 बजे खुजि गेल छल ! ट्रेन राइट टाइम पर छल ! हमर आशा सुतल छलीह ! मुदा हमर बर्थ लाइट ऑन देखि हुनको नींद नहि भेलनि ! झाझा स्टेशन आबि गेल छल ! एहिठाम सँ जसीडीह जंक्शन आधा घंटाक सफर ! समान दूनू गोटें घसकेनाय शुरू केलहूँ ! आ गेट धरि आनि के रखलहूँ ! गर्म वसात बहि रहल छल ! ताहि पर सँ बाओ टॉइलेट आ बाथरूमक दुर्गंध ! की कारितहूँ जसीडीह जंक्शन पर 2 मिनट जयनगर -राउरकेला ट्रेन रुकैत अछि ! सामानो कम नहि छल !
1.दूटा व्हील एटेची ,
2.एकटा ब्रीफ़ केस जाहि मे हमर लैपटॉप ,
3.एकटा पीठ मे टाँगय वला बैग ,
4एकटा कपड़ा वला बैग ,
5.एकटा खेनाय वला झोरा आ
6.एकटा हमर जूता -चप्पल वला झोरा !
कतबो कंजूसी करू समान भइये जाइत छैक ! दिल्ली गेलहूँ ,दिल्ली मे 12 दिन रहलहूँ ! ओहिठाम सँ मधुबनी गेलहूँ ! साढ़ू क माँझिल पुत्र सुमन क विवाह छल ! दुरागमन भेल ,भड़फोड़ी देखलहूँ आ सत्यनारायण प्रभु क पूजा सम्पन्न केलहूँ ! एहि सब ल केँ समान त भइये जाइत छैक !
गाड़ी निश्चित समय पर जसीडीह 1 नंबर प्लेटफॉर्म आनि देलक ! आब प्रतीक्षा छल “ राँची -दुमका इनर्सिटी ट्रेन “ क ! संयोगवश इ 1 नंबर प्लेटफॉर्म मे अबैत अछि आ इंजिन पुनः पूर्व दिशा दिश लगि जाइत अछि ! इ ट्रेन हमर गंतव्य स्थान दुमका 07.15 पर पहुँचि जाइत अछि ! जसीडीह एहि ट्रेन केँ 05.40. मे पहुंचक छल !
मुदा 05.00. बजे ट्रेन आबि गेल ! एकरो इंजन बदलल गेल ! बैसि गेलहूँ ! समान रखबा मे कोनो असुबिधा नहि भेल ! पूर्व दिशा मे सहो इ प्रस्थान केलक मुदा इ त पुनः राँची दिश जाय लागल ! बहुत यात्रीगण परेशान भेलाह ! दरअसल इ ट्रेन गोड्डा -दुमका -राँची इनर्सिटी ट्रेन छल जे एक नंबर प्लेटफॉर्म पर आयल इंजन बदलि पूर्व दिशा क लेल प्रस्थान केलक ! मुदा दुमका -राँची इनर्सिटी लिखल देखि बहुत लोक भ्रमित भ गेलाह !
बहुत स्टूडेंट्स ,महिला ,पुरुख ,बच्चा -बूची दू स्टेशन मथुरापुर स्टेशन पर अपन ट्रेन बदलि लेलनि ! आशा हमरो परेशान भेलिह ! मुदा ढाढ़स त हुनका देलियनि ! निर्णय केलहूँ मधुपुर स्टेशन मे एहि ट्रेन केँ छोड़ि देब ! ओहिठाम सँ टैक्सी ल लेब आ दुमका चलि जायब !
इ त बुझु नीक छल दू छात्रा के मदद सँ मधुपुर स्टेशन पर उतरलहूँ ! ट्रेनक स्टापिज कम अछि ! देखैत छी इ त 3 नंबर प्लेटफॉर्म अछि ! चारुकात देखलहूँ ,कतो कुली नहि छल ! हिमालय स्वरूप सीढ़ी ! 1 नंबर प्लेटफॉर्म पहुँचि बाहर निकलि सकैत छी ! आधा -आधा समान दूनू व्हील एटेची मे लोड केलहूँ ! एस्कलैटर क सुविधा छल मुदा तत्काल चलि नहि रहल छल ! सी . आर .पी .एफ .जवान सँ मदद क अपेक्षा व्यर्थ भेल ! तथापि वो जवान एकटा सुगम मार्ग बतेलक ! कनि हटि केँ एकटा स्लोप वे छल !
केहुना 1. नंबर प्लेटफॉर्म मे हकमैत पहुँचलहूँ ! एकटा टैक्सी केलहूँ, टैक्सी वला सहो मद्दत केलक ! आ ए.सी .क आनंद लैत दुमका 08.30. पर पहुँचलहूँ ! जान मे जान आयल ! बच्चा सँ पढ़ि रहल छलहूँ “ सतर्कता हटल ,दुर्घटना घटल ”मुदा अनुभव आइ केलहूँ !
=====================
डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका
झारखंड
भारत
27.04.2022.

126 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
*कार्यक्रमों में श्रोता का महत्व【हास्य व्यंग्य】*
*कार्यक्रमों में श्रोता का महत्व【हास्य व्यंग्य】*
Ravi Prakash
इंसान भी तेरा है
इंसान भी तेरा है
Dr fauzia Naseem shad
dream of change in society
dream of change in society
Desert fellow Rakesh
सुकून
सुकून
अखिलेश 'अखिल'
जगमगाती चाँदनी है इस शहर में
जगमगाती चाँदनी है इस शहर में
Dr Archana Gupta
अपना बिहार
अपना बिहार
AMRESH KUMAR VERMA
दो शे'र
दो शे'र
डॉक्टर वासिफ़ काज़ी
गुरु से बडा न कोय🌿🙏🙏
गुरु से बडा न कोय🌿🙏🙏
तारकेश्‍वर प्रसाद तरुण
ये धोखेबाज लोग
ये धोखेबाज लोग
gurudeenverma198
याद अमानत बन गयी, लफ्ज़  हुए  लाचार ।
याद अमानत बन गयी, लफ्ज़ हुए लाचार ।
sushil sarna
मौसम का मिजाज़ अलबेला
मौसम का मिजाज़ अलबेला
Buddha Prakash
गूढ़ बात~
गूढ़ बात~
दिनेश एल० "जैहिंद"
।। आरती श्री सत्यनारायण जी की।।
।। आरती श्री सत्यनारायण जी की।।
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
जीवन में सही सलाहकार का होना बहुत जरूरी है
जीवन में सही सलाहकार का होना बहुत जरूरी है
Rekha khichi
عيشُ عشرت کے مکاں
عيشُ عشرت کے مکاں
अरशद रसूल बदायूंनी
"निखार" - ग़ज़ल
Dr. Asha Kumar Rastogi M.D.(Medicine),DTCD
शिष्टाचार के दीवारों को जब लांघने की चेष्टा करते हैं ..तो दू
शिष्टाचार के दीवारों को जब लांघने की चेष्टा करते हैं ..तो दू
DrLakshman Jha Parimal
#ऐसे_समझिए...
#ऐसे_समझिए...
*Author प्रणय प्रभात*
तन्हाई
तन्हाई
Sidhartha Mishra
"भीमसार"
Dushyant Kumar
भौतिकवादी
भौतिकवादी
लक्ष्मी सिंह
"याद"
Dr. Kishan tandon kranti
वक्त के हाथों मजबूर सभी होते है
वक्त के हाथों मजबूर सभी होते है
ठाकुर प्रतापसिंह "राणाजी"
मुश्किलें जरूर हैं, मगर ठहरा नहीं हूँ मैं ।
मुश्किलें जरूर हैं, मगर ठहरा नहीं हूँ मैं ।
पूर्वार्थ
गरीबों की शिकायत लाजमी है। अभी भी दूर उनसे रोशनी है। ❤️ अपना अपना सिर्फ करना। बताओ यह भी कोई जिंदगी है। ❤️
गरीबों की शिकायत लाजमी है। अभी भी दूर उनसे रोशनी है। ❤️ अपना अपना सिर्फ करना। बताओ यह भी कोई जिंदगी है। ❤️
डॉ सगीर अहमद सिद्दीकी Dr SAGHEER AHMAD
दलित साहित्यकार कैलाश चंद चौहान की साहित्यिक यात्रा : एक वर्णन
दलित साहित्यकार कैलाश चंद चौहान की साहित्यिक यात्रा : एक वर्णन
Dr. Narendra Valmiki
*****आज़ादी*****
*****आज़ादी*****
Kavita Chouhan
2608.पूर्णिका
2608.पूर्णिका
Dr.Khedu Bharti
अमीर-गरीब के दरमियाॅ॑ ये खाई क्यों है
अमीर-गरीब के दरमियाॅ॑ ये खाई क्यों है
VINOD CHAUHAN
शिद्दत से की गई मोहब्बत
शिद्दत से की गई मोहब्बत
Harminder Kaur
Loading...