Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
6 Jul 2022 · 3 min read

“ मिलिटरी ट्रैनिंग सभक लेल “

(संस्मरण सीनियर काडर, ऑफिसर ट्रैनिंग कॉलेज, लखनऊ) “
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
=======================================================
आर्म्स सैनिक (लड़ाकू फौज ) इनफेंटरी ,सिग्नलस,आरमैड ,आर्टेलरी और इंजीनियर केँ कहल जाइत अछि जे युद्ध क समय सीमा पर आगू रहैत छथि ! सर्विसेज़ सैनिक सहायक कार्य करैत अछि ! आर्मी सर्विस कॉर्पस ,इलेक्ट्रिकल मेकेनिकल कॉर्पस ,आर्मी पोस्टल कॉर्पस ,आर्मी एजुकेशन कॉर्पस ,आर्मी वेटनरी कॉर्पस ,आर्मी मेडिकल कॉर्पस आ अनेको सपोर्टिंग वा सहायक कॉर्पस भारतीय सेना मे होइत छैक ! आर्म्स सैनिक ( लड़ाकू फौज ) क मिलिट्री ट्रैनिंग बारहो बरख चलैत रहैत अछि ! ओना सर्विसेज़ सैनिक( सपोर्टिंग कॉर्पस ) सेहो मिलिटरी प्रशिक्षण सँ बँचित नहि रहैत छथि ! हिनको लोकनि केँ अपन-अपन स्तर पर मिलिटरी ट्रैनिंग होइत रहैत छनि !
आर्मी मेडिकल कॉर्पस सैनिक मूलतः बेसिक ट्रैनिंग लखनऊ मे छः मास क होइत अछि मुदा किछू बेसि आर समय लागि जाइत अछि ! पुनः तकनीकी ट्रैड ट्रैनिंग आर फेर प्रायोगिक ट्रैनिंग मिलिट्री अस्पताल मे होइत छैक ! प्रत्येक प्रमोशन क लेल स्थानीय ट्रैनिंग प्रक्रिया सँ प्रत्येक सैनिक केँ परिचय कराओल जाइत अछि ! कनिष्ठ पदाधिकारी ( जूनियर कॉमीशनड ऑफिसर ) बनबा क लेल सम्पूर्ण भारत सँ लखनऊ मे आर्मी मेडिकल कॉर्पस सेंटर आ कॉलेज मे एनाय अनिवार्य अछि ! ओहिठाम पुनः मिलिट्री ट्रैनिंग प्रारंभ भ जाइत छैनि ! डेग -डेग पर प्रशिक्षण होइत छैक !
20 वर्षक उपरांत हमरो लखनऊ सेंटर आ कॉलेज मे बजाओल गेल ! एहि समय हम जम्मू सतवारी मिलिटरी अस्पताल केँ कान, नाक और गला विभाग मे कार्यरत रहि ! इ सिनीऑर काडर दिनांक 12 सितंबर 1992 से 21 नवंबर 1992 तक चलबा कार्यक्रम छल ! पूर्ण तैयारी क उपरांत हम 10 सितंबर 1992 केँ लखनऊ रवाना भेलहूँ ! 11 तारीख केँ भारत क विभिन्य मिलिट्री अस्पताल ,फील्ड एंबुलेंस आ छोट- छोट मेडिकल यूनिट सँ लोक सब पहुँचय लगलाह ! आइ इ स्वर्ण अवसर हमरा लोकनि केँ भेटल छल जे पुरान -पुरान मित्र 20 वर्षक बिछुड़ल एतैक अंतरालक बाद मिललहूँ !
दोसर दिन सँ मिलिट्री ट्रैनिंग प्रारंभ भ गेल ! प्रातः 3 बजे उठनाइ ,चाय पीनाइ ,दाढ़ी बनेनाइ ,ब्रश करनाइ आ टॉइलेट क लेल प्रतीक्षा लाइन मे ठाड़ भेनाइ सब दिनक रूटीन भ गेल छल ! अपन – अपन सराउनडींग के झाड़ू सँ साफ केनाई ,अपन ओछाइन आ खाट केँ एक दोसर सँ सजा केँ रखनाइ इ दिनचर्या भ गेल छल ! एककटा लॉकर हमरा सबकें भेटल छल ! ओहि मे सब समान रखल जाइत छल !आ ओहो वो फुजल रहैत छल , कखनो तकर निरक्षण भ सकैत छल ! प्रायः -प्रायः 250 प्रशिक्षणार्थी क ओछाइन आ चारपाई एकटा सोझ लाइन मे लगायल जाइत रहे ! देखबा मे नई दिल्ली राजपथ क परैड हो !
आब शुरू भेल हमरा लोकनिक फाल इन ,ड्रेस क निरीक्षण आ रोल कॉल ! भोरे अंधरिये मार्च क केँ कोत गेनाइ आ ओहिठाम सँ राइफल आननाइ पहिल कार्य छल ! ग्राउन्ड मे राइफल केँ सजा केँ रखनाई बद्द महत्वपूर्ण मानल जाइत छल ! कखनो पी 0 टी 0 ,कखनो डब्लू 0 टी 0 ,कखनो परैड इत्यादि ट्रैनिंग क विषय छल ! सब काज दौड़ चाल मे होइत छल ! ओहि समय मे हमरा लोकनिक क्लास ग्राउन्ड मे होइत रहय ! ठामे -ठामे माटि क थडा बनाओल गेल छल ! वहि पर बैसि केँ हमरा लोकनि क्लास करैत रहि ! मिलिट्री ट्रैनिंग सँ एते थाकि जाइत छलहूँ कि थडा पर बैसैत देरि नींद आबि जाइत छल ! एहि कारणें कखनो -कखनो सजा सहो भेटैत छल !
12 बजे राइफल एकटा टोली मार्च क केँ कोत राइफल जमा करबय क लेल जाइत छल ! भोजन करैत -करैत 2 बाजि जाइत छल ! बस, 2.30 मे फेर फाल इन ! ट्रैनिंग सेंटर के खूबसूरत बनेबा क लेल हमरा लोकनि संध्या 05 बजे धरि काज करय पड़ैत छल ! 2 घंटा हमरा भेटैत छल ! भोजन मेस मे करू आ रोल कॉल क लेल तैयार भ जाऊ ! फेर राति मे इन्डविजुआल प्रैक्टिस ! राति केँ 8 बजे सँ 09 बजे तक जे हमसब ग्राउन्ड मे सीखने छी तकरे अपन आवाज मे प्रैक्टिस करय पड़ैत छल !
दू मास मे हमरा लोकनि स्मार्ट सैनिक पुनः बनि गेलहूँ ! शरीर क बजन आधा भ गेल ! आ हम एक संगे पास क केँ अंतिम दिन सबकेँ साथ बैसि भोजन केलहूँ ! सबसँ बिदा लेलहूँ आ अपन- अपन यूनिट चलि गेलहूँ !
=======================
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
एस ० पी ० कॉलेज रोड
दुमका
झारखण्ड
भारत
06.07.2022.

1 Like · 168 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
*आओ खेलें खेल को, खेल-भावना संग (कुंडलिया)*
*आओ खेलें खेल को, खेल-भावना संग (कुंडलिया)*
Ravi Prakash
अफसोस मुझको भी बदलना पड़ा जमाने के साथ
अफसोस मुझको भी बदलना पड़ा जमाने के साथ
gurudeenverma198
𝕾...✍🏻
𝕾...✍🏻
पूर्वार्थ
त्योहार
त्योहार
Dr. Pradeep Kumar Sharma
“मेरे जीवन साथी”
“मेरे जीवन साथी”
DrLakshman Jha Parimal
विलीन
विलीन
sushil sarna
2396.पूर्णिका
2396.पूर्णिका
Dr.Khedu Bharti
"द्रोह और विद्रोह"
*Author प्रणय प्रभात*
मसला ये नहीं की उसने आज हमसे हिज्र माँगा,
मसला ये नहीं की उसने आज हमसे हिज्र माँगा,
Vishal babu (vishu)
अयाग हूँ मैं
अयाग हूँ मैं
Mamta Rani
जो चीजे शांत होती हैं
जो चीजे शांत होती हैं
ruby kumari
विवशता
विवशता
आशा शैली
एक आंसू
एक आंसू
Surinder blackpen
मैं भविष्य की चिंता में अपना वर्तमान नष्ट नहीं करता क्योंकि
मैं भविष्य की चिंता में अपना वर्तमान नष्ट नहीं करता क्योंकि
Rj Anand Prajapati
जाने बचपन
जाने बचपन
Punam Pande
होली और रंग
होली और रंग
Arti Bhadauria
पिता
पिता
विजय कुमार अग्रवाल
"संविधान"
Slok maurya "umang"
हर शय¹ की अहमियत होती है अपनी-अपनी जगह
हर शय¹ की अहमियत होती है अपनी-अपनी जगह
_सुलेखा.
चलो माना तुम्हें कष्ट है, वो मस्त है ।
चलो माना तुम्हें कष्ट है, वो मस्त है ।
Dr. Man Mohan Krishna
Dard-e-madhushala
Dard-e-madhushala
Tushar Jagawat
नैतिकता की नींव पर प्रारंभ किये गये किसी भी व्यवसाय की सफलता
नैतिकता की नींव पर प्रारंभ किये गये किसी भी व्यवसाय की सफलता
Paras Nath Jha
कोई यहां अब कुछ नहीं किसी को बताता है,
कोई यहां अब कुछ नहीं किसी को बताता है,
manjula chauhan
Raat gai..
Raat gai..
Vandana maurya
ये हवाएँ
ये हवाएँ
VINOD CHAUHAN
सच बोलने की हिम्मत
सच बोलने की हिम्मत
Shekhar Chandra Mitra
मधुमास
मधुमास
पंकज पाण्डेय सावर्ण्य
सधे कदम
सधे कदम
Umesh उमेश शुक्ल Shukla
इत्तिहाद
इत्तिहाद
Shyam Sundar Subramanian
सुस्ता लीजिये थोड़ा
सुस्ता लीजिये थोड़ा
नील पदम् Deepak Kumar Srivastava (दीपक )(Neel Padam)
Loading...