Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
23 Dec 2022 · 2 min read

बेङ्ग आ टिटही (मैथिली लघुकथा)

गामक एकटा ईनारमें बेङ्ग आकाश दिशि टुकुर–टुकुर तकैत रहैक ।
गामके उत्तरबारी काँत धत्ता नजिक अपन खोंता बनाके रहैवाला एक गोट टिटही– टिहिटिहि…. करैत ईनारक नजिक पहुँचैत छैक । बेङ्ग टिटहीके आबाज सुनिते– टर्र–टर्र… करै लागैत छैक ।
लोकसभ ई उभयचर आ पंक्षीके आबाज सुनि बेवास्ता करैत छलैक ।
कारण रहैक जे ई दुनूके भाषा बुझैवाला कियो नै रहैक ।
लोक अपन–अपन दिनयर्चामे व्यस्त रहैक । अगहनुवा ताल जे गामभरि पसरल रहैक ।
अए बीच, छोटसिन एक गोट ननकिरबा सेहो बेङ्ग आ टिटहीके आबाज सुनैत रहैक ।
ओ कखनों बेङ त कखनौ टिटहीके आबाज निकालैत छलयैक ।
एक गोट लालबुझकड ननकिरबाके डप्टैक कहैछ–
‘बौआ , तों कहियो बेङ्ग त कहियो टिटही जका कियैक आबाज निकालै छिहि ?’
ननकिरबा, ‘ बेङ आ टिटही किई बजैत छैक, से बुँझमाक प्रयास हम कए रहलौए ।’
लालबुझकड, ‘आई जन्मल्हा छौडा तों कोना ई दूटाके भाषा बुझबिहि ?’
ननकिरबा, ‘हौ कक्का हम बुझई छियैक ई दूटाके भाषा ।’
लालबुझकड, ‘साँच्चे रौं ? कह त किई बजैत छैक ?
ननकिरबा खिलखिलाइत छैक आ अपन दुनू टाङ्ग हावामे फिँजाके जोर सँ फँनैत छैक ।
कहैछ छैक, ‘नई बुझलह कक्का ?’
लालबुझकड, ‘नई रौ बौआ ?
ननकिरबा, ‘ बेङ कहैत छैक– बेङ्गके ऊपर देखा आकाश ईनारभरि मात्र होएत छैक । संसारों ओतबिएटा होएत छैक….।’
लालबुझकड, ‘ ओंह , आ टिटही किई कहैत छैक ?’
ननकिरबा, ‘कक्का हौं, टिटही कहैत छैक– हम आकाशके ठेकने छियैक । हम छोडि देबै त आकाश खइस पड्तै ….।’
लालबुझकड, ‘हेरौं ननकिरबा, तों त ठिके कहैत छी, ई त हमरा पहिने सँ जनितब रहयैक । ’
ननकिरबा, ‘ कक्का , जौ पहिने बुझैत छलह त हमरा सँ कियैक पुछलह ?’
लालबुझकड, ‘किछु गामक लोकसभ बेङ आ टिटहीके भूमिकामे रहैत छैक । ई बात तोरा सनक ननकिरबा सेहो बुझैत छैक– से जनितब हमरा नए रहैक । ताहिलेल पुइँछ लेलियौंहू । ’
ननकिरबा अपन स्वाभावे जिज्ञासु बनि गेल ।
ओ कहैत छैक, ‘ माने, अपना गामक किछु मनुखों बेङ्ग आ टिटही जँका होएत छैक , सेहा ने ?
‘ह त, ओकर सोच ईनारक बेङ्ग आ आकाशमें उडैयवाला टिटही जँका होइत छैक’ लालबुझकड जबाफ देलक ।
लालबुझक कनिक गम्भिर मुद्रामे पहुँच गेलाह । ओ कहै लागल, ‘शिक्षा संँ मनुखक ज्ञानक ज्योति खुजैत छैक, ओकर मनमस्तिष्क चौरगर भँ जाएत छैक , ओकर दिमाग बेङ्ग आ टिटहीके सोच सँ ऊपर उइठ जाएत छैक ।’
लालबुझक अपन धाराप्रवाह प्रवचन दए रहल छलाह । बीचमे ननकिरबा टोकैत कहलक, ‘गामक किछु मनुख पढललिखल मुर्ख कियैक भँ जाएछ छैक ?’
लालबुझक जबाफ दैत छैक, ‘शिक्षिक मनुखके पवरिस केहेन वातावरणमे भेलैयक अछि, तेहने ओकर सोच आ बिचार भँ जाएत छैक । सही आ गलतमें अई तहरक मनुख फराक नए बुझैछ ।’
ननकिरबाके इस्कुल जेबाक समय भए जाएत छैक । ओ दरबर मारैत घर दिशि परा जाएछ । लालबुझक ओई ननकिरबाक तिक्ष्ण बुद्धि पर अपन जिभ अपने दाँत सँ कटैत गन्तव्य दिशि चल जाएत छैक ।

#दिनेश यादव
काठमाडौं (नेपाल)

Language: Maithili
4 Likes · 332 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
श्री कृष्ण अवतार
श्री कृष्ण अवतार
डॉ विजय कुमार कन्नौजे
#हाँसो_र_मुस्कान
#हाँसो_र_मुस्कान
Dinesh Yadav (दिनेश यादव)
"चालाकी"
Ekta chitrangini
आसमाँ मेें तारे, कितने हैं प्यारे
आसमाँ मेें तारे, कितने हैं प्यारे
The_dk_poetry
आओ कभी स्वप्न में मेरे ,मां मैं दर्शन कर लूं तेरे।।
आओ कभी स्वप्न में मेरे ,मां मैं दर्शन कर लूं तेरे।।
SATPAL CHAUHAN
Quote...
Quote...
सोलंकी प्रशांत (An Explorer Of Life)
जिंदगी तेरी हर अदा कातिलाना है।
जिंदगी तेरी हर अदा कातिलाना है।
Surinder blackpen
पवित्र होली का पर्व अपने अद्भुत रंगों से
पवित्र होली का पर्व अपने अद्भुत रंगों से
डा. सूर्यनारायण पाण्डेय
कुछ पंक्तियाँ
कुछ पंक्तियाँ
आकांक्षा राय
माँ का निश्छल प्यार
माँ का निश्छल प्यार
Soni Gupta
समाज सुधारक
समाज सुधारक
Dr. Pradeep Kumar Sharma
जय मां शारदे
जय मां शारदे
Harminder Kaur
"विजेता"
Dr. Kishan tandon kranti
मुक्तक
मुक्तक
पंकज कुमार कर्ण
लिखें और लोगों से जुड़ना सीखें
लिखें और लोगों से जुड़ना सीखें
DrLakshman Jha Parimal
जीवन एक मकान किराए को,
जीवन एक मकान किराए को,
Bodhisatva kastooriya
* चांद के उस पार *
* चांद के उस पार *
surenderpal vaidya
■ खरी-खरी / प्रसंगवश
■ खरी-खरी / प्रसंगवश
*Author प्रणय प्रभात*
******आधे - अधूरे ख्वाब*****
******आधे - अधूरे ख्वाब*****
सुखविंद्र सिंह मनसीरत
2256.
2256.
Dr.Khedu Bharti
चाँदी की चादर तनी, हुआ शीत का अंत।
चाँदी की चादर तनी, हुआ शीत का अंत।
डॉ.सीमा अग्रवाल
"पसंद और प्रेम"
पूर्वार्थ
आदिपुरुष आ बिरोध
आदिपुरुष आ बिरोध
Acharya Rama Nand Mandal
ना जाने क्यों तुम,
ना जाने क्यों तुम,
Dr. Man Mohan Krishna
क़दर करना क़दर होगी क़दर से शूल फूलों में
क़दर करना क़दर होगी क़दर से शूल फूलों में
आर.एस. 'प्रीतम'
राधा की भक्ति
राधा की भक्ति
Dr. Upasana Pandey
बारह ज्योतिर्लिंग
बारह ज्योतिर्लिंग
सत्य कुमार प्रेमी
मारे ऊँची धाक,कहे मैं पंडित ऊँँचा
मारे ऊँची धाक,कहे मैं पंडित ऊँँचा
Pt. Brajesh Kumar Nayak
💐अज्ञात के प्रति-140💐
💐अज्ञात के प्रति-140💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
डर कर लक्ष्य कोई पाता नहीं है ।
डर कर लक्ष्य कोई पाता नहीं है ।
Buddha Prakash
Loading...