Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
3 Jul 2022 · 4 min read

” परिवर्तनक बसात “

(एकटा लघु -संस्मरण)
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”

=================

कप्तान राय साहिब क रोव अखनो धरि रोम -रोम मे व्याप्त छलनि ! आर्मी क गतिविधि हुनका एकटा अद्भुत शक्ति प्रदान केने छलनि ! तकरे परिणाम स्वरूप वो कठोर आ सशक्त व्यक्तित्व क श्रेणी मे अबैत छलाह ! ओना उमरि हुनकर 73 भ गेल छलनि मुदा चुस्ती -फुर्ती मे आइयो नवतुरिया युवक केँ कोसो पाछू छोड़ि देबाक सामर्थ रखैत छलाह ! गांव क अंतिम मुहान पर वो एकटा दिव्य आलीशान घर बनेने रहैथि ! ओहि घरक भव्यता आ सजावट क चर्चा आस -पास क गांव धरि पहुँचि गेल छल ! हम जखन अपन ससुर जाइत रहि दुमंठा पर आबि हुनकर कुशल -क्षेम लोक सँ पूँछैत छलियनि ! आइ पुनः अवसर भेटल छल ! चौक पर आबि पान
खेलहूँ आ हुनके सँ पूँछलहूँ ——–

” राय जी गामे मे रहैत छथि? कुशल छथि की नहि ?”

मुदा हुनकर आ ग्रामीण लोकक प्रतिक्रिया सुनि केँ अचंभित भ उठइत छलहूँ !
लोकक उत्तर इएह होइत छल ———

” के राय जी? …. ओझा जी, सत्ते कहू , हमरा नहि पता !
वो कहियो ककरो सँ मेल -जोल रखने नहि छथि !
समाज मे रहि सामाजिकता सँ सदैव काते -काते रहैत छथि ! ”

कियो त एतबा धरि हमरा कहलनि —
” आहाँ हुनकर नाम नहि लिय!”

कियो हुनका अभद्रता क टिप्पणी सँ अलंकृत केलनि ! आर त आर कियो त हमरा देखिते – देखिते हिदायतो द देलनि _____

” एहन लोक सँ आहाँ दोस्ती रखने छी ?”

एकटा विचित्र छवि राय जी क गांव मे बनल जा रहल छल ! हुनकर तीन पुत्र छनि ! दू पुत्र हुनक त सेना मे छथि आ तेसर पुत्र अंतर्जातीय विवाह क केँ पुणे महाराष्ट्र रहि रहल छथि ! हुनका लोकनिक अपन जिंदगी छनि ! पडिबा क चान जंका गाम एला त एला …….नहि एला त बहुत बहाना बना लेत छथि !

हम त राय जी संगे देहू रोड , पुणे मे रहि !…..किछू दिन धरि जम्मू मे , मुदा वो त ऐहन नहि रहैथि ! हमरा लोकनिक आत्मीयता शिखर पर पहुँचि गेल छल ! नहि कहि , संभवतः वो हमर ससुर क जे छलाह तें त नहि ? हुनकर पत्नी सुगौना वाली क आगाध प्रेम देखि केँ हमरा लगैत छल जे हम अपन सासुरे मे छी ! राय जी प्रत्येक रक्षा बंधन मे हमर पत्नी सँ राखी बंधबैत छलाह ! आ एहिना हमरालोकनिक प्रेम परस्पर बढ़ैत चलि गेल !

हम जाखनो ससुर गेलहूँ एक बेर हुनका सँ भेंट करैत छी, मुदा गामक लोकक विचित्र प्रतिक्रिया हमरा हृदय भेदने जा रहल छल ! हम राय जी क दिश सँ तर्क देलहूँ —–

” देखू ! ताली दूनू हाथ सँ बजैत अछि ! समाज क सहो किछू कर्तव्य होइत छैक ! ”

किछू लोक जे चौक पर ठाढ़ रहैथि हमर गप्प सुनि तमशा त अवश्य गेल हेताह ,कियाक त हम राय जी क पक्षधर छलहूँ ! तें अधिकांश लोक प्रतीकात्मक प्रतिक्रिया केँ शिष्टाचार क परिसीमा मे रहैत बजलाह ——–

“आहाँ की जानय छी, ओझा जी! राय जी त समाज मे रह’ योग्य नहि छथि ! आहाँ केँ नीक लगैत छथि ताहि मे हमरा की ? ”

हमर मित्रता त बड़ पुरान अछि ! कहू त , हम दूर केना रहि सकैत छी ? गाम क चौक सँ १ किलो रसगुल्ला किनलहूँ आ हम दूनू गोटे हुनकर घर पहुँचि गेलहूँ ! हम अपन बाइक क हॉर्न बजैलहूँ …..कते बेर डोर बेल्ल क बटन केँ सहो दबेलहूँ ! बहुत देर क बाद राय जी क धर्मपत्नी निकललिह आ आश्यर्यचकित भ कहलनि ——-

” आउ ….आउ ! केना हम मन पड़लहूँ ?”

आँगन मे प्रवेश करैत- करैत राय जी घर सँ बाहर निकलि अभिवादन केलाह ! उज्जर -उज्जर दाढ़ी बड़ल ….कनि अस्वस्थ्य लागि रहल छलाह …..हम जेना हुनकर बरामदा मे प्रवेश करबाक प्रयत्न केलहूँ ..वो कहलनि ———-

“आहाँ केँ जूता उतारय पड़त ! ”

हम जूता आ मौजा उतारि देलहूँ ! फेर हम अंदर प्रवेश केलहूँ ! एहि बीच मे क्रमशः हमर मोबाइल कॉल कतो सँ आबि रहल छल ! ख़राब नेटवर्क क कारण हमरा बाहर और भीतर करय पड़ल …..वोहो खाली पैरे ! ऐहन शिष्टाचार क बंधन सँ हमर पैर दुखि रहल छल ! …..आर त आर ……. खालि पैरे सम्पूर्ण घर क प्रदिक्षणा सहो करौलनि ! व्यवस्था त इ हेबाक चाहि छल जे घरक लेल अलग चप्पल रखल जाय !

सम्पूर्ण घर क खिड़की केँ जाली सँ ठोकि -ठोकि केँ तिहार जेल बना केँ रखने छलाह !
राय जी केँ ठेहुन मे दर्द होइत छलनि ! हम पूछलियनि ————

” इ दर्द कहिया सँ भ रहल अछि ?”

“ देखियो ना …..इ दू वरख सँ हमरा सता रहल अछि ! “—जबाव देलनि !

मच्छर क प्रवेश द्वार राय जी त बंद क देने छलाह , परंतु फर्श क शीतलता आ ओहि पर खाली पैरे चलनाई हड्डी क रोग केँ आमंत्रण द रहल छलाह !

एहि क्रम मे हम हुनका सँ गामक संबंध मे गप्प पूंछलियनि ————-

“राय जी !…..आहाँ ऐतैक अलग -अलग किया रहैत छी ?
आहाँ क …… कार्य ..आ .आहाँ क ….अदम्य साहस क लेल सरकार आहाँ केँ सम्मानित सहो केने छथि ! मुदा आहाँ सामाजिक परिवेश सँ दूर किया भेल जाइत छी ? “

ऐतबा पूछैत ओ स्तब्ध भ गेलाह ! हुनक मौनता क लेल किछू हद्द तक समाजो केँ जिम्मेबार माननाई अत्यंत आवश्यक अछि ! ….

परंच अंततः राय जी आश्वाशन देलनि जे “परिवर्तनक बसात ” हुनका दिश सँ अवश्य प्रवाहित हैत ! एहि परिवर्तनक बसात क प्रतीक्षा मे हम हुनका सँ विदा लेलहूँ आ पुनः
ऐबाक लेल हुनका अश्वासन देलियनि !
====================
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
एस ० पी ० कॉलेज रोड
दुमका
झारखंड
08.06 2022

1 Like · 2 Comments · 352 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
शब्द
शब्द
Neeraj Agarwal
कहाँ-कहाँ नहीं ढूंढ़ा तुमको
कहाँ-कहाँ नहीं ढूंढ़ा तुमको
Ranjana Verma
जहरीले धूप में (कविता )
जहरीले धूप में (कविता )
Ghanshyam Poddar
सदा प्रसन्न रहें जीवन में, ईश्वर का हो साथ।
सदा प्रसन्न रहें जीवन में, ईश्वर का हो साथ।
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
पीर
पीर
विनोद वर्मा ‘दुर्गेश’
2656.*पूर्णिका*
2656.*पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
हर शख्स माहिर है.
हर शख्स माहिर है.
Radhakishan R. Mundhra
खंड 8
खंड 8
Rambali Mishra
जीवन में कोई भी फैसला लें
जीवन में कोई भी फैसला लें
Dr fauzia Naseem shad
उनसे बिछड़ कर ना जाने फिर कहां मिले
उनसे बिछड़ कर ना जाने फिर कहां मिले
श्याम सिंह बिष्ट
जाते हैं संसार से, जब सब मानव छोड़ (कुंडलिया)
जाते हैं संसार से, जब सब मानव छोड़ (कुंडलिया)
Ravi Prakash
🌷 चंद अश'आर 🌷
🌷 चंद अश'आर 🌷
डॉक्टर वासिफ़ काज़ी
■ आज की सोच...
■ आज की सोच...
*Author प्रणय प्रभात*
विचार
विचार
अनिल कुमार गुप्ता 'अंजुम'
आखिर मैंने भी कवि बनने की ठानी
आखिर मैंने भी कवि बनने की ठानी
Dr MusafiR BaithA
ऐ दिल तु ही बता दे
ऐ दिल तु ही बता दे
Ram Krishan Rastogi
जब जब तुम्हे भुलाया
जब जब तुम्हे भुलाया
Bodhisatva kastooriya
क्रोध
क्रोध
लक्ष्मी सिंह
गौमाता की व्यथा
गौमाता की व्यथा
Shyam Sundar Subramanian
You relax on a plane, even though you don't know the pilot.
You relax on a plane, even though you don't know the pilot.
पूर्वार्थ
विध्न विनाशक नाथ सुनो, भय से भयभीत हुआ जग सारा।
विध्न विनाशक नाथ सुनो, भय से भयभीत हुआ जग सारा।
संजीव शुक्ल 'सचिन'
हवन - दीपक नीलपदम्
हवन - दीपक नीलपदम्
नील पदम् Deepak Kumar Srivastava (दीपक )(Neel Padam)
छत्तीसगढ़ रत्न (जीवनी पुस्तक)
छत्तीसगढ़ रत्न (जीवनी पुस्तक)
Dr. Pradeep Kumar Sharma
पूर्ण-अपूर्ण
पूर्ण-अपूर्ण
Srishty Bansal
भाषा और बोली में वहीं अंतर है जितना कि समन्दर और तालाब में ह
भाषा और बोली में वहीं अंतर है जितना कि समन्दर और तालाब में ह
Rj Anand Prajapati
मैं पतंग, तु डोर मेरे जीवन की
मैं पतंग, तु डोर मेरे जीवन की
Swami Ganganiya
तेवरी का सौन्दर्य-बोध +रमेशराज
तेवरी का सौन्दर्य-बोध +रमेशराज
कवि रमेशराज
महादेवी वर्मा जी की पुण्यतिथि पर श्रद्धांजलि
महादेवी वर्मा जी की पुण्यतिथि पर श्रद्धांजलि
Harminder Kaur
दूर देदो पास मत दो
दूर देदो पास मत दो
Ajad Mandori
गलतियां सुधारी जा सकती है,
गलतियां सुधारी जा सकती है,
Tarun Singh Pawar
Loading...