Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
23 Sep 2021 · 2 min read

” हम छी फेसबुक “खटरा हजाम “

डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
====================
पहिने घरे -घरे पहुँचैत छलहूँ ..किनको दाढ़ि बनबैत छलहूँ ..किनको केस छांटय पडैत छल …मुंडन ,…..उपनयन आ विवाह इत्यादि मे हमर खोज- पुछारी खूब होइत छल ! …..बारहों मास हम व्यस्त रहित छलहूँ …आइ इ टोल त काल्हि ओ टोल ..आइ हिनका घर त काल्हि हुनका घर केस कतरय
ला जाइत छलहूँ …..!….. इ त गप्प भेल हमर जीविका उपर्जनक बात !..हमरा लोग …..”गामक मीडिया “……कहेत छलाह !….. ओना राष्ट्रीय आ अंतरराष्ट्रीय समाचार त रेडिओ आ अख़बार सं हुनका लोकनि कें ताहि दिन भेटैत रहित छलनि …..मुदा गामक गतिविधि क सुचना हमहीं टा देत छेलियनी !…. भूलन बाबू क पोतोहू केना हुनका तकलीफ दैत छथिन अप्पन सास ससुर कें ?….फिरण बाबू क घर मे बेटा संगें केना झगडा बाझल रहित छनि …गाम मे भोजकभात….नौत -पत्ता की भांज छैक ….इत्यादि -इत्यादि….एहिना हम गामक सुचना मंत्रालय क कार्यभार सम्हारने रहि..!……… किछु दिन ला कलकत्ता की चलि गेलहुं ..लोग क जिज्ञासा पुछू नहि…खटरा हजाम….खटरा हजाम …. कतय चलि गेल ?…….गाम घरक समाचार ,चुगली चपाटी आब के करत ?……..के सुनायत ? ……..आब बिसरि जाऊ हमरा …….आब हमर नमो बदलि गेल अछि …पहिने लोग हमरा ..खटरा ….खटरा …रो !..खटरा कहिकें शोर पाडैत छलाह !…आब हमरा लोग “खगेन्द्र ठाकुर” कहैत अछि ….भेष भूषा हम बदलि लेलहुँ …भाषा कनि हमरो बदलि गेल ….कियो पुछ्लनि त जबाब मे हम कहैत छैलियनी …”मैथिली हम भूल गया …….हमरो कनि-कनि बंगाली आता है “.!…….हाथ मे हम एनरोइड मोवाइल रखने छी …काज त हजाम वाला आ घरे घर चुगली केनाय सं त मुक्ति भेट गेल !… ..सुचना प्रसारणक कार्य मोबाइले सं करय लगलहूँ….”……. रेवती बाबू जे हमर गामक गणमान्य लोक छलाह हुनकर आइ सातम पुण्यतिथि छैनि “………….” ढुल पाठक क महिस आ हुनकर कुकुरक प्रेमक दोसर सालगिरह “………..आब त हम फेसबुक सं जुड़ि गेल छी…..हमरा किछु लिखय नहि अबैत अछि …हम मैथिली बिसरि गेलहुं ..कखनो कखनो फेसबुक मित्र लोकनि हमरा कहैत छथि…”इ .खटरा हजाम बहिर अछि आ अपने तालें नचैत अछि !”
============================
डॉ लक्ष्मण झा “परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
एस ० पी ० कॉलेज रोड
दुमका
झारखण्ड

Language: Maithili
Tag: लेख
174 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
रंगोली
रंगोली
Neelam Sharma
******** रुख्सार से यूँ न खेला करे ***********
******** रुख्सार से यूँ न खेला करे ***********
सुखविंद्र सिंह मनसीरत
छत्रपति वीर शिवाजी जय हो 【गीत】
छत्रपति वीर शिवाजी जय हो 【गीत】
Ravi Prakash
विरक्ती
विरक्ती
Mrs PUSHPA SHARMA {पुष्पा शर्मा अपराजिता}
"वो पूछता है"
Dr. Kishan tandon kranti
मन का द्वंद  कहां तक टालू
मन का द्वंद कहां तक टालू
Shubham Pandey (S P)
संवेदन-शून्य हुआ हर इन्सां...
संवेदन-शून्य हुआ हर इन्सां...
डॉ.सीमा अग्रवाल
मैंने एक चांद को देखा
मैंने एक चांद को देखा
नेताम आर सी
हाइकु- शरद पूर्णिमा
हाइकु- शरद पूर्णिमा
राजीव नामदेव 'राना लिधौरी'
//सुविचार//
//सुविचार//
विनोद कृष्ण सक्सेना, पटवारी
बरसात आने से पहले
बरसात आने से पहले
Dr. Ramesh Kumar Nirmesh
यह गलतफहमी कभी नहीं पालता कि,
यह गलतफहमी कभी नहीं पालता कि,
Jogendar singh
अपनेपन की आढ़ में,
अपनेपन की आढ़ में,
sushil sarna
करवां उसका आगे ही बढ़ता रहा।
करवां उसका आगे ही बढ़ता रहा।
सत्य कुमार प्रेमी
मनुष्य को
मनुष्य को
ओंकार मिश्र
2577.पूर्णिका
2577.पूर्णिका
Dr.Khedu Bharti
*लोकमैथिली_हाइकु*
*लोकमैथिली_हाइकु*
Dinesh Yadav (दिनेश यादव)
कविता
कविता
Shiva Awasthi
दुकान वाली बुढ़िया
दुकान वाली बुढ़िया
अभिषेक पाण्डेय 'अभि ’
सफर है! रात आएगी
सफर है! रात आएगी
Saransh Singh 'Priyam'
केशव
केशव
Shashi Mahajan
*** मां की यादें ***
*** मां की यादें ***
Chunnu Lal Gupta
ह
*प्रणय प्रभात*
गुज़रे वक़्त ने छीन लिया था सब कुछ,
गुज़रे वक़्त ने छीन लिया था सब कुछ,
डॉ. शशांक शर्मा "रईस"
ज़िंदगी को
ज़िंदगी को
Sangeeta Beniwal
उस देश के वासी है 🙏
उस देश के वासी है 🙏
तारकेश्‍वर प्रसाद तरुण
मै ही रहा मन से दग्ध
मै ही रहा मन से दग्ध
हिमांशु Kulshrestha
ଅନୁଶାସନ
ଅନୁଶାସନ
Bidyadhar Mantry
बदलाव
बदलाव
Dr. Rajeev Jain
कहानियां उनकी भी होती है, जो कभी सफल नहीं हुए हर बार मेहनत क
कहानियां उनकी भी होती है, जो कभी सफल नहीं हुए हर बार मेहनत क
पूर्वार्थ
Loading...