Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
13 Mar 2023 · 2 min read

मैथिली साहित्य मे परिवर्तन से आस जागल।

मैथिली साहित्य मे परिवर्तन से आस जागल।
-आचार्य रामानंद मंडल।
बात शुरू करब ज्योतिश्वर से अजित आजाद तक। ज्योतिश्वर आ महाकवि विद्यापति मैथिली मे साहित्य न रचलन।वो संस्कृत आ अवहट्ट मे साहित्य रचलन। महाकवि त अवहट्ट के देसिल बयना कहलन।वोइ समय मे मैथिली भासा नामो न रहय।बाद मे एकर नाम मैथिली भासा नाम परल। अइमे भासाविद अव्राहम ग्रियर्सन के भासा सर्वे रिपोर्ट के अहम योगदान हय। परन्तु वो मैथिली के विभिन्न बोली दक्षिनी मैथिली, पच्छमी मैथिली आ ठेठी आदि के चर्चा कैलन।बाद में राहुल सांकृत्यायन दक्षिनी मैथिली के अंगिका आ पच्छमी मैथिली के बज्जिका नाम देलन आ मैथिली से अलग मानलन।२००३ मे मैथिली भासा संविधान के अष्टम सूची मे जुड़ल। हांलांकि आइ तक अंगिका-बज्जिका के भासा के दर्जा न मिलल हय। हालांकि भासा के लेल खडयंत्र जारी हय आ मैथिलियो में खडयंत्र जारी हैबे करे।महाकवि संस्कृत आ देसी बयना मे साहित्य रचलन त दूनू के प्रकृति भिन्न रखलन। परंतु बाद मे संपादन मे देसिल बयना के संस्कृतनिस्ठ बना देल गेल।कायथ आ बाभन मिल के मिथिला पर लगभग आठ सौ वर्ष शासन कैलन।बाद के शासक मैथिली आ मैथिल पर अधिपत्य जमैलन।माने कि बाभन आ कायथ के संस्कृतनिस्ठ बोली के मैथिली आ बाभन आ कायथ के मैथिल बनैलन। बाजाप्ता मैथिल महासभा एकर घोसना कैलक।दोसर जाति के मैथिल महासभा मे प्रवेश निसेध क देलक।एकर विरोध यादव महासभा कैलन परंतु अरन्य रोदन रह के रह गेल। सबसे महत्वपूर्न इ बात भेल जे हमर बोली भासा आ तोहर भासा बोली बना देल गेल।बाद मे साहित्य अकादमी मैथिली भासा विभाग अइ सिद्धांत के प्रश्रय देलन। साहित्य अकादमी के निर्मान से २०२२तक संयोजक पद पर गैर बाभन संयोजक न बन पायल आ २०२० तक गैर सवर्न के अकादमी के मूल पुरस्कार न भेंटल।२०२१के मूल अकादमी पुरस्कार पंगु उपन्यास पर जगदीश प्रसाद मंडल गैर सवर्न के काफी विरोध के बाद मिलल। आ २०२२ के मूल अकादमी पुरुस्कार निर्विवाद रुप से बाभन अजित आजाद के कविता संग्रह पेन ड्राइव में पृथ्वी पर मिलल। त २०२३ मे अकादमी के मैथिली भासा के संयोजक पद पर भारी मत से पहिलवार गैर बाभन भासाविद प्रो उदय नारायण सिंह नचिकेता से निर्वाचित भेलन।अब हिनका से मिथिला आ मैथिली भासी के बड आस हय। परंतु इ कांटक ताज हय। केना मैथिली के भासा आ बोली मे सामंजस्य बैठैयतन।कारन दूनू मे साहित्य रचल जा रहल हय। जानकारी के मुताबिक अंग्रेजी के पांच शैली में अंग्रेजी साहित्य रचल जा रहल हय। मैथिली मेयो बोली न कहके शैली कहल वा मानल जाय। अकादमी के सभ कोसांग समावेशी बनाबे के आवश्यकता हय।नचिकेता जी भासाविद हतन परंतु मानक,रार आ ठेठी के मिटाबे मे मैथिली भासाविद कौकस से निपटनाइ कांटा भरल राह हय। अइ के लेल मैथिल-मैथिली भासी के पूरजोर सहयोग के आवश्यकता हय। हालांकि संयोजक पद पर अइ परिवर्तन से मैथिली साहित्य साधक आ मिथिला -मैथिली अभियानी के आस जागल हय।नव संयोजक के बधाई संगे शुभकामना।
-आचार्य रामानंद मंडल सामाजिक चिंतक सह साहित्यकार सीतामढ़ी।

Language: Maithili
Tag: लेख
2 Likes · 137 Views
You may also like:
खजुराहो
खजुराहो
Paramita Sarangi
मीलों की नहीं, जन्मों की दूरियां हैं, तेरे मेरे बीच।
मीलों की नहीं, जन्मों की दूरियां हैं, तेरे मेरे बीच।
Manisha Manjari
*भरत चले प्रभु राम मनाने (कुछ चौपाइयॉं)*
*भरत चले प्रभु राम मनाने (कुछ चौपाइयॉं)*
Ravi Prakash
कल भी वही समस्या थी ,
कल भी वही समस्या थी ,
ओनिका सेतिया 'अनु '
हमने माना अभी अंधेरा है
हमने माना अभी अंधेरा है
Dr fauzia Naseem shad
प्रेम की परिभाषा
प्रेम की परिभाषा
Shivkumar Bilagrami
हे काश !!
हे काश !!
Akash Yadav
क्या बात है फौजी
क्या बात है फौजी
Satish Srijan
माँ काली
माँ काली
Sidhartha Mishra
रंगों की दुनिया में सब से
रंगों की दुनिया में सब से
shabina. Naaz
लगाव
लगाव
Rajni kapoor
एक बार बोल क्यों नहीं
एक बार बोल क्यों नहीं
goutam shaw
होली के कुण्डलिया
होली के कुण्डलिया
Vijay kumar Pandey
💐Prodigy Love-21💐
💐Prodigy Love-21💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
“STORY MIRROR AUTHOR OF THE YEAR 2022”
“STORY MIRROR AUTHOR OF THE YEAR 2022”
DrLakshman Jha Parimal
कहार
कहार
Mahendra singh kiroula
जगमगाती चाँदनी है इस शहर में
जगमगाती चाँदनी है इस शहर में
Dr Archana Gupta
मात खा जाएगा बेटा!
मात खा जाएगा बेटा!
*Author प्रणय प्रभात*
आज फिर किसी की बातों ने बहकाया है मुझे,
आज फिर किसी की बातों ने बहकाया है मुझे,
Vishal babu (vishu)
फाइल की व्यथा
फाइल की व्यथा
सुरेश कुमार चतुर्वेदी
* पानी केरा बुदबुदा *
* पानी केरा बुदबुदा *
DR ARUN KUMAR SHASTRI
दुआ
दुआ
Shekhar Chandra Mitra
एक पराई नार को 💃🏻
एक पराई नार को 💃🏻
Yash mehra
बुद्ध रूप ने मोह लिया संसार।
बुद्ध रूप ने मोह लिया संसार।
Buddha Prakash
गीत : मान जा रे मान जा रे…
गीत : मान जा रे मान जा रे…
शांतिलाल सोनी
Chhod aye hum wo galiya,
Chhod aye hum wo galiya,
Sakshi Tripathi
यह धरती भी तो
यह धरती भी तो
gurudeenverma198
कमज़ोर सा एक लम्हा
कमज़ोर सा एक लम्हा
Surinder blackpen
"मन मेँ थोड़ा, गाँव लिए चल"
Dr. Asha Kumar Rastogi M.D.(Medicine),DTCD
प्रेम पथिक
प्रेम पथिक
Aman Kumar Holy
Loading...