Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
10 Feb 2022 · 4 min read

भागेसर भांग भंडार (हास्य कटाक्ष)

बाबा बड़बड़ाइत बजैत रहै जे एहनो कहू जे मोन होय से बजैत रहतै भागेसर? कहअ त साइन बोर्ड पर लिखने छै भांग भंडार आ हमरा पट्टी पढ़बैए दे हमरा देखबा मे दोख यै. अईं हौ भागेसर पंडा एतेक भंगीयाह भऽ गेल? कहअ त मंदिर कात मे भांगक दोकान खोलबाक कोन काज रहै? दोकान खोललक उ आ भागेसर के बौह हमरा दस दस हजार गरिअबैए जे इहे सरधुआ बाबा सीखोने हेतै दोकान करै लै. भने तै तरे बाबो मंगनी मे भांग भोकसत किदैन कहाँ सब?

हम्मे बाबा स पुछलियौ की होलै हौ बाबा? काहे लै एतेक खिसिआएल छहू भागेसर की क देलकौ? की लोक सब आई पूजा करै राल रूप्पा नै चरहेलकौ? की भागेसर तोरा पान मे भांग मिला खुआ देलकौ हौ बाबा? हमर गप सुन के बाबा बोललकै हौ कारीगर तहूं भंगीयाह गप करै छह आईं हौ भागेसर दुआरे हमर जान अवग्रह यै आ तोरा मजाक बुझाई छह? हम्मे बोलली हौ बाबा तोंई एतना बोल्हू ने जे होलौ की? बरगांही के आई भागेसरो पंडा ठीक हो जेतौ की? ब्रेकिंग न्यूज़ बना दै छिहो भागेसर पर तब त ऊ तोरा संगे बदमाशी नै बतिएतौ? भागेसर कोनो रंगदारी हो गेलै जे बाबा संगे उल्टा सीधा बोलतै? बाबा बजलै ई कहअ त तूं मीडिया सब फोटो घिचै छहक आ वीडियो रेकर्ड तेकरा की कहै छहक? हम बजली स्टील फोटोग्राफी आ वीडियो फूटेज? सैह कहअ त उहो फूटेज सब में त भांगे लीखल औतै ने? पान लिखल की अपनेमने गूगल स डाउनलोड भऽ जेतै?

बाबा हां हां के बोलै लगलै हौ कारीगर की फसाद करबह ब्रेकिंग न्यूज आ लोक हित के मुख्य ख़बैर त तूं मीडियावला सब अवोपित कए दै छहक आ सोशल मीडिया पर भ्रामक बना लोक के लड़ा देबाक फिराक मे रहै छह? हम्मे बाबा स फेर पुछली उहे त हम्मे कह रहलियौ जे मुख्य घटना की है से बोल्हू ने. हमर गप सुन बाबा बोललकै अच्छा पहिने तमाकुल खुआबह त कहै छिअह भागेसर के सबटा खेरहा. फेर हम्मे बाबा के खैनी बना के देली औरी कैमरा चालू कर देलियै. तमाकुल खा के बाबा बोले लगलै हौ कारीगर ई कहअ त मीडिया लिखल कहूँ डीबिया देखेतै? हम्मे बोललियै नै हौ बाबा? त फेर भांग लिखलाहा पान केना देखेतै? पिपराघाट चौक सब पर पान दोकान देखबहक जे झकास/बिकास/गूगल पान भंडार? आ ई पान दोकान वला सब चोरा रे भांगक गोली बेचतह आ अपनो खेतह? भागेसर त खुलेआम पर उतारू भऽ गेल भागेसर भांग भंडार? कहअ त मद्य निषेध विभाग के नजैर परतै त भागेसर संगे हमरौ जहल जाइ पड़त?

हम्मे कहलियै बात मे त दम हौ बाबा? उ बोललकै हौ दम फम छोड़ह आ असली मुद्दा पर आबह? हौ की कहिअह अइ हेहरा भागेसर के कतेक बेर बुझौलियौ जे भांग नै खा नै बेचह? तइयो ई नै मानलक आ मंदिर लक भांगक दोकान खोलि लेलक. भैर गिन भांग घोटने रहैए आ गीत गौतह जे हम आनंदे रहबै यौ बमभोला के दरबार मे आनंदे रहबै यौ? कहअ त कमेतै खटेतै नै त कोना आनंदे रहतै? एहेन भ्रम मे रहबाक कोन प्रयोजन? बज्र कोंढ़िया लाथ केहेन करतह जे विद्यापति सेहो भांग पबैत छलाह तैं हमहू पाएब आ ऊगना के आनब. ई भंगखौक भागेसर लक त फूगनो ने आउत.

कैमरा लाइब चालू रहै आ बाबा बोलैत रहै हौ मिथिलाक घरे घर चोरा नुका बहला फुसला भांग खाएल खुआएल जाइ छै. आ यथार्थ बजला पर इ भंगपीबाह सब गलथोथरी चालू कए देतह? अपराध करतह आ किन्नौ ने मानतह? भागेसर पंडा के एतेक मना केलहुँ तइओ ई चोरा के पेरा मे भांग मिला बेचह लागल. जे सब जल चढ़बै लै अबैए भांगक नीशा मे ओघंरा पोंघरा हमरा देह पर खसैए. हइए जै डब्लू डब्लू ई मे रेसलिंग भ रहल जेना? अहिना एक दिन भागेसर बसहो बरद के घास मे भांग मिला कुट्टी काइट खुआ देलकै आ से ओई दिन बसहो बरद ततेक दौगान दौगेलक से की कहिअह. खाली बड़बड़ाइ सबटा मैथिलीए छै? कहअ त अंगिका बज्जिक्का, ठेठी, राड़ बोली, कोसिकन्हा बोली सबटा कै अप्पन मौलिक स्वरूप छै त फेर मैथिली कोना भऽ गेलै? आ ज मैथिलीए छै त लिखबा बजबा काल ओई बोली सबके मोजर किए नै? मानक के बहन्ना कए बहुजन संगे चिटींगबाजी करै जाइ गेलै आ से यथार्थ स्वीकारबो नै करै जेतह? भंगघोटहा मैथिल सब?

बाबा स हम प्रशन केली हो बाबा अंत मे तोंई मिथिला समाज के की कहबहू? बाबा बोललकै हम मिथिला लोक के यैह कहबै जे इ सब बाकुट के बाकुट भांग नै खाइ जाए. भंगपनी छोड़ि यथार्थ के स्वीकारैत मिथिला के लोकहितकारी बनबै जाउ? साहित्यिक गप नाद आयोजन सब के छापि मैथिली वला पत्रकारिता कहि पुरूस्कारो बांटी लेतह? कहअ त एहनो बुढ़िया फूइस पत्रकारिता भेलैए? कहला पर मैथिल होहकारी सब हमरे कुंठित मंचलोभी कहि भंगियाह भेल गलथोथरी करै जेतह? कहअ एना मे मिथिला मैथिली केना विकास करतै? आईं मैथिली साहित्यक नाम पर गोंधियागिरी चालबाजी? लोक हितक गप कतौह छै मैथिली साहित्य मे? नै ने? भांगक निशा मे मिथिला मातल यै लेकिन स्वीकारह बेर गलबज्जी दाबी? भोजकाज मे त एतुका लोक भांग खा दू दू सै पीस रसगुल्ला खा जेतह? पूजा पाठक नाम पर भइर भइर दिन लाउडिस्पीकर घनघनौने रहतह की?

लेखक- डाॅ. किशन कारीगर
(©काॅपीराईट)

393 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
Books from Dr. Kishan Karigar
View all
You may also like:
3000.*पूर्णिका*
3000.*पूर्णिका*
Dr.Khedu Bharti
#विभाजन_विभीषिका_स्मृति_दिवस
#विभाजन_विभीषिका_स्मृति_दिवस
Ravi Prakash
बेचैन थी लहरें समंदर की अभी तूफ़ान से - मीनाक्षी मासूम
बेचैन थी लहरें समंदर की अभी तूफ़ान से - मीनाक्षी मासूम
Meenakshi Masoom
फूल ही फूल संग
फूल ही फूल संग
Neeraj Agarwal
" यादों की शमा"
Pushpraj Anant
*
*"नमामि देवी नर्मदे"*
Shashi kala vyas
खिलखिलाते हैं उसे देखकर बहुत से लोग,
खिलखिलाते हैं उसे देखकर बहुत से लोग,
Anand Kumar
कलाकारी में भी यूं चार चांद लगाते हैं,
कलाकारी में भी यूं चार चांद लगाते हैं,
डॉ. शशांक शर्मा "रईस"
एक अबोध बालक
एक अबोध बालक
DR ARUN KUMAR SHASTRI
मॉं जय जयकार तुम्हारी
मॉं जय जयकार तुम्हारी
श्रीकृष्ण शुक्ल
निश्छल प्रेम
निश्छल प्रेम
डॉ विजय कुमार कन्नौजे
मैं अपने बारे में क्या सोचता हूँ ये मायने नहीं रखता,मायने ये
मैं अपने बारे में क्या सोचता हूँ ये मायने नहीं रखता,मायने ये
Piyush Goel
*हनुमान के राम*
*हनुमान के राम*
Kavita Chouhan
तुम ऐसे उम्मीद किसी से, कभी नहीं किया करो
तुम ऐसे उम्मीद किसी से, कभी नहीं किया करो
gurudeenverma198
मन के सवालों का जवाब नाही
मन के सवालों का जवाब नाही
भरत कुमार सोलंकी
कभी कभी युही मुस्कुराया करो,
कभी कभी युही मुस्कुराया करो,
Manisha Wandhare
गरीबी
गरीबी
नंदलाल मणि त्रिपाठी पीताम्बर
चाय की चमक, मिठास से भरी,
चाय की चमक, मिठास से भरी,
Kanchan Alok Malu
स्वर्ग से सुंदर समाज की कल्पना
स्वर्ग से सुंदर समाज की कल्पना
Ritu Asooja
नेता जी
नेता जी
surenderpal vaidya
।। लक्ष्य ।।
।। लक्ष्य ।।
विनोद कृष्ण सक्सेना, पटवारी
हुईं क्रांति
हुईं क्रांति
krishna waghmare , कवि,लेखक,पेंटर
..
..
*प्रणय प्रभात*
अपराध छोटा हो या बड़ा
अपराध छोटा हो या बड़ा
Sonam Puneet Dubey
क्षणिका ...
क्षणिका ...
sushil sarna
Learn the difference.
Learn the difference.
पूर्वार्थ
ये मेरा स्वयं का विवेक है
ये मेरा स्वयं का विवेक है
शेखर सिंह
"मत पूछो"
Dr. Kishan tandon kranti
मुझे इश्क़ है
मुझे इश्क़ है
हिमांशु Kulshrestha
सब धरा का धरा रह जायेगा
सब धरा का धरा रह जायेगा
Pratibha Pandey
Loading...