बाबा भक्त कटाक्ष
भक्त- हो बाबा आई बसहा बरद नै चरबै छहू? कहाँ जाई छहू?
बाबा- हौ भेलेंटाईन पार्क सबहक चक्कर काटि रहल ज गौड़ि दाई परपोज कए दिए?
भक्त- हो बाबा कहले रहलू रोजगार मिलेंगें अच्छे दिन आएगा? से की भेलह?
बाबा- हर हर बाबा घर घर बाबा के जयकार कए बोट दैत रहअ? बेरोजगार लेल टैक्स फ्री त आब की
भक्त-हौ बाबा तोरा कोनो सरकारी नोकरी छहो? जे घटक अउतौ तिलक होतौ?
बाबा- ठीके हौ हम त एड हाॅक बेस पर गेस्ट फैकल्टी रूपे? बसहा बरद चरबै छी की?
बाबा-एँ हौ दारू त ब्लैक मे बिकाइए रहल आ समाज सुधार मिशन यात्रा?
भक्त-सैहे त भागेसर पंडा होम डिलिवरी मंगबैए आ चिलमों सोंटै छहो ?
भक्त- हौ बाबा तोरा धोती के ढेका निखंडे लुज गुज बुझाई छहो?
बाबा- हौ मैथिली पुरूस्कार जेंका नांगट कए देलह? तइओ निरलज्ज भेल हम सुज गुज करबै की?
भक्त- अईं हो बाबा दिन भरि लोग अरू मंदिर पर ढ़ेंगरल रहै छहो आ नाइट कर्फ्यू?
बाबा- हौ इलेक्शन जीतै तक सबटा नटकबाजी करब ने?
भक्त- अंई हो बाबा अंडरजामा नै पहिरले छहू की? उर्स मोमेन्ट नै हुए?
बाबा- हौ निखंडे धोति पहिरलहुँ अछि? की देखार चिन्हार करै पर लागल छह?
बाबा- एं हौ साहित्य महोत्सव बाद मैथिली किताब खूब बिका रहलै की?
भक्त- एह ततेक बिकेलै ग जे प्रकाशक बिक्रेता लक मैथिली किताबक स्टाक खत्म भऽ गेलै ग?
भक्त- चलू बाबा मोजफ्फरपुर मोतियाबीन के अपरेशन करा देब?
बाबा-हौ किए आँखि आनहर बनेबाक फिराक मे छह?