Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
15 Aug 2022 · 2 min read

“ प्रतिक्रिया ,समालोचना आ टिप्पणी “

डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
=============================
प्रतिक्रिया सकारात्मक ,विषय संबंधित ,तथ्यपूर्ण ,रोचक ,सुंदर सब केँ नीक लगैत छैनि ! गप्प एहिठाम आबि केँ नहि रुकैत अछि ! कखनो -कखनो समालोचना ,टिप्पणी ,हिदायत आ कटाक्ष केँ प्रतिक्रिया क सामना सेहो करय पड़ैत छैक ,जे स्वभावतः असहज प्रतीत होइत अछि !

प्रायः -प्रायः एहन असहज भंगिमा हमरा लोकनि केँ राजनीति विषय क परिवेश मे विशेषतः भेटत ! सभक क विचारधारा अलग -अलग होइत अछि ! अधिकाशतः कर्कश वातावरण क श्री गणेश भ जाइत अछि ! मित्रता क भित मे दरार पड़’ लगैत छैक ! हम तंग भ केँ हुनका “ ब्लॉक “ क दैत छियनि आ कखनो -कखनो “ अनफ्रेंड “ क दैत छियनि ! आखिर सब काज केँ छोड़ि कहिया धरि विवाद मे फँसल रहब ? डिजिटल मित्रता क युग मे हम नहि छी त कियो आर छथि ! एकटा बात त गिरह बाँधि लिय कि “ समान विचारधारा “ क लोक एक संगे रहि सकैत छथि जे डिजिटल मित्रता क मूल मंत्र अछि !

साहित्यिक परिचर्चा मे समलोचना त होइते अछि आ टीका -टिप्पणी सेहो होइत छैक ! परंच इ समलोचना आ टीका -टिप्पणी शालीनता ,शिष्टाचार आ माधुर्यता पर अधिकांशतः अविलंबित रहबाक चाहि ! किछ हमरा बुझ’ पड़त आ किछ हुनका बुझ’ पड़तनि ! अधिकाशतः लोक त किनको लेखनी केँ पढ़ितो नहि छथि त समालोचना क प्रश्न कतय सँ उत्पन्न हेत ? कते लोक देखि केँ आ पढ़ि केँ अपन मुँह फेरि लैत छथि ! तथापि हम हिनका लोकनि केँ अपना हृदय मे सम्हारि केँ रखैत छी !

तेसर प्रकारक लोक बद्द दिव्य ग्रह क प्राणी लगैत छथि ! हुनकर प्रतिक्रिया सेहो विचित्र होइत छैनि ! आहाँ राजनीति विषय मे लिखु ,साहित्यिक लेख ,कविता ,व्यंग्यात्मक आ विश्व क समस्त विषय मे किया नहि लिखु मुदा इ विचित्र ग्रह क प्राणी क समालोचना सँ आहाँ आहत त भइये टा जायब ! आहाँ किछु लिखु ,कोनो फोटो वा तस्वीर पोस्ट क दिओ ! आहाँ क उपलब्धि हुये वा आहाँ दुख सँ पीड़ित छी तकर कोनो मतलब नहि ! विचित्र ग्रह क प्राणी लोक क कमेन्ट केँ ध्यान सँ देखु आ पढू :–“ जय हो “—-“जय श्री राम “—“जय मिथिला “—-“जय हनुमान “ —इत्यादि -इत्यादि !

यथार्थतः एहन नारा क महत्व धार्मिक अनुष्ठान क लेल अतिउत्तम अछि मुदा एहि सभ क प्रयोग इ विचित्र ग्रह क प्राणी प्रत्येक स्थान पर करैत रहैत छथि ! हिनका कनिकबो नहि आभास होइत छनि जे के -के एहि सँ आहत होइत छथि ?

सब अपन -अपन स्थान पर जे छथि से छथिये परंच एहि बात केँ हम कखनो अस्वीकार नहि क सकैत छी जे हमरा लोकनि जे कोनो अपन प्रतिक्रिया ,समालोचना आ टीका -टिप्पणी सोशल मीडिया पर करि त वो यथायोग्य आ सटीक करि अन्यथा हमरो कियो स्वीकार नहि करताह !
====================
डॉ लक्ष्मण झा ” परिमल ”
साउंड हेल्थ क्लिनिक
एस ० पी ० कॉलेज रोड
दुमका
झारखंड
भारत
15.08.2022

Language: Maithili
Tag: लेख
117 Views
You may also like:
तुम तो हो गई मुझसे दूर
तुम तो हो गई मुझसे दूर
Shakil Alam
गज़ल
गज़ल
Krishna Tripathi
* काल क्रिया *
* काल क्रिया *
DR ARUN KUMAR SHASTRI
सपना देखा है तो
सपना देखा है तो
कवि दीपक बवेजा
कुछ मुक्तक...
कुछ मुक्तक...
डॉ.सीमा अग्रवाल
पिता का आशीष
पिता का आशीष
Prabhudayal Raniwal
नारी और वर्तमान
नारी और वर्तमान
नंदलाल मणि त्रिपाठी पीताम्बर
पहचान
पहचान
Shashi kala vyas
हमें दिल की हर इक धड़कन पे हिन्दुस्तान लिखना है
हमें दिल की हर इक धड़कन पे हिन्दुस्तान लिखना है
Irshad Aatif
ग़ज़ल
ग़ज़ल
प्रीतम श्रावस्तवी
"कुछ लोगों के पाश
*Author प्रणय प्रभात*
#होई_कइसे_छठि_के_बरतिया-----?? (मेलोडी)
#होई_कइसे_छठि_के_बरतिया-----?? (मेलोडी)
संजीव शुक्ल 'सचिन'
अध्यापक क्या है!
अध्यापक क्या है!
Harsh Richhariya
💐प्रेम कौतुक-355💐
💐प्रेम कौतुक-355💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
निरक्षता
निरक्षता
मनमोहन लाल गुप्ता 'अंजुम'
बाबा नीब करौरी
बाबा नीब करौरी
Pravesh Shinde
नादान बनों
नादान बनों
Satish Srijan
ज़िंदगी को पता नहीं होगा
ज़िंदगी को पता नहीं होगा
Dr fauzia Naseem shad
छठ पर्व
छठ पर्व
Varun Singh Gautam
हर तरफ़ आज दंगें लड़ाई हैं बस
हर तरफ़ आज दंगें लड़ाई हैं बस
Abhishek Shrivastava "Shivaji"
किस्मत ने जो कुछ दिया,करो उसे स्वीकार
किस्मत ने जो कुछ दिया,करो उसे स्वीकार
Dr Archana Gupta
Advice
Advice
Shyam Sundar Subramanian
कब किसके पूरे हुए,  बिना संघर्ष ख्वाब।
कब किसके पूरे हुए, बिना संघर्ष ख्वाब।
जगदीश लववंशी
उनसे  बिछड़ कर
उनसे बिछड़ कर
श्याम सिंह बिष्ट
सर्द चांदनी रात
सर्द चांदनी रात
Shriyansh Gupta
ज़ख़्म दिल का
ज़ख़्म दिल का
मनोज कर्ण
*कुछ सजा खुद को सुनाना चाहिए (हिंदी गजल/गीतिका)*
*कुछ सजा खुद को सुनाना चाहिए (हिंदी गजल/गीतिका)*
Ravi Prakash
प्यार के लिए संघर्ष
प्यार के लिए संघर्ष
Shekhar Chandra Mitra
मधुमास
मधुमास
पंकज पाण्डेय सावर्ण्य
बाढ़ और इंसान।
बाढ़ और इंसान।
Buddha Prakash
Loading...