Sahityapedia
Login Create Account
Home
Search
Dashboard
Notifications
Settings
7 Jul 2022 · 5 min read

“ मित्रताक अमिट छाप “

( यात्रा संस्मरण )
डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
=====================
16 सितंबर 1984 पूर्वोत्तर प्रदेश बरखा आ बाढ़क चपेट मे पिसा रहल छल ! गाम घर मालजाल लोकवेद सब तबाह भ गेल छल ! तकर अनुमान हमरा पूना मे नहि छल ! गुवाहाटी स्थित फील्ड एंबुलेंस मे हमर पोस्टिंग भेल छल ! आर्मी पोस्टिंग 60 दिनक भीतर नव स्थान पर जाय पड़ैत छैक ! आर्मी किट ,बेड होल्डर ,आइरॉन बॉक्स और खाना वाला बैग के साथ खड़की पुना सँ कल्याण ,कल्याण सँ इलाहाबाद आ फेर इलाहाबाद सँ गुवाहाटी आबि गेलहूँ ! तखन आरक्षण क सुविधा नहि छल ! परंतु एम 0 सी 0 ओ क पत्राचार सँ तीनू ठामक रेज़र्वैशन भ गेल छल ! इलाहाबाद सँ हमरा तिनसुकिया एक्स्प्रेस ट्रेन भेट गेल ! चार्ट मे हमर नाम छल आ दोसर हमर मित्र नर बहादुर भण्डारी क नाम सेहो छलनि ! ताहि समय आरक्षणक आधुनिक सुविधा नहि छल ! हमरा लोकनिक रेज़र्वैशन भेल , बूझू बड़का लौटरी भेट गेल ! फरक्का आ सिलीगुड़ी पहुँचैत -पहुँचैत ट्रेन 24 घंटा बिलम्ब भ गेल छल ! बरखा रानी झमकि -झमकि बरिसि रहल छलीह ! थमबाक नाम नहि ! सम्पूर्ण धरती जल मग्न भ रहल छल ! ट्रेन धीमी गति सँ बढि रहल छल !
नर बहादुर भण्डारी डिफेन्स सिक्युरिटी कॉर्पस क जवान हमरे सँग रहथि ! ओहो पुणे सँ चढ़ल छलाह ! हुनकर पोस्टिंग गुवाहाटी नारंगी भेल रहनि ! इ कहू, त इ यात्राक मित्र भेलाह ! बर्दी क जेहन एक रंग ,तहिना मित्रता क एक रंग ! हम दूनू मिलि केँ अपन –अपन यात्रा प्रारंभ केलहूँ ! आपसी सहयोग ,विचार क आदान -प्रदान आ ताल- मेल सँ सफ़र नीक कटि रहल छल ! मुदा बाढ़ आ बरखा क तबाही सेकड़ों यात्री केँ असुरक्षा क स्थिति मे आनि ठाड़ केने छल ! गाड़ी चलैत -चलैत कोनो निर्जन स्थान पर रुकि जाइत छल ! खैबा क कमी ,पानि क अभाव पेंट्री कार केँ सहो डामाडोल क देने छल !
टी 0 टी 0 इ 0 आबि कहलनि ,——-
” यात्रीगण ध्यान दें ! यह ट्रेन न्यू- बोगाइगाँव से आगे नहीं जा सकेगी ! न्यू- बोगाइगाँव के बाद गुवाहाटी वाली लाइन निर्मम बाढ़ और बारिश के चपेट में पड़ कर ध्वस्त हो कर सारे के सारे वह गए !”

गाँम क गाँम एहि विकराल बाढ़ क मुँह मे समा गेल ! ट्रेन मे बैसल मुसाफिर लोकनि अपन- अपन इष्ट देवता केँ गुहार लगेनाइ प्रारंभ क देलनि ! भूख -प्यास लोक सब बिसरि रहल छल ! 17 सितम्बर संध्या 4 बजे हमर तिनसुकिया ट्रेन न्यू- बोगाइगाँव स्टेशन पर हकमैत पहुँचल!

मुदा उतरि केँ जायब कत्त ? मूसलाधार बरखा भ रहल छल ! सम्पूर्ण स्टेशन पानि -पानि भेल छल ! पानिक झटक सँ देहक कपड़ा ,पैर क जूता मौजा आ सब समान भीज गेल छल ! कनि काल धरि ठाड़ रहलहूँ ! नरपत सिंह भण्डारी केँ कहलियनि ,——
“ हम समान लग मुस्तैद रहैत छी ! आहाँ कनि पता लगाऊ केना गुवाहाटी जायब ?”

पता लागल पूर्वोंत्तर रेल्वे 20, 25 टा ट्रकक इंतजाम न्यू- बोगाइगाँव स्टेशन केँ बाहर मे केने अछि ! ककरो मे त्रिपाल छल कोनो नग्न ! इ हमरा लोकनि केँ ब्रह्मपुत्र नदी केँ किनारे योगिघोपा ल जायत ! फेर नाव /फेरी से ब्रह्मपुत्र नदी पार कराओल जायत ! नदी केँ ओहि पार गोआलपाड़ा पहुँचब पुनः ओहिठाम सँ रेल्वे क नियोजित बस सब हमरा सब केँ गुवाहाटी पहुँचा देत !

न्यू- बोगाइगाँव मे बारिश अपन विकराल रूप देखा रहल छलीह ! पहिने नंबर लागल तखन समस्या इ छल जे ट्रक धरि अंततः पहुंचब केना ? नर बहादुर भण्डारी आ हमर सामान प्रायः -प्रायः बराबर छल ! कियो एकटा रिक्शाचालक अपन रिक्शा ल केँ बारिश में भिजैत आयल आ ओहि पर हमरा दूनू केँ सामान लादि पैरे भिंजैत ट्रक लग पहुँचा देलक ! बर्षा, बाढ़ संगे-संगे तूफान क थपेड़ सँ एकटा पैघ समस्या उत्पन्न भ गेल ! केहुना तरहें अपन सामान केँ आपसी सहयोग सँ ट्रक क ऊपर राखि पेलहूँ ! हमर ट्रक क ऊपर त्रिपाल लटकाओल गेल छल मुदा सूनामी क प्रकोप सँ इहो छिंन -विछिंन भ गेल छल !

हम ब्रह्मपुत्र नदी केँ कात योगिघोपा 5 बजे पहुँचि गेल छलहूँ ! ओहूठाम रेल्वे टिकट क चेकिंग भेल ! ओहि मूसलाधार बरखा मे हमरा सबकेँ लाइन लगय पडल ! सम्पूर्ण वातावरण कोलाहलमय छल ! विचित्र दृश्य छल ! पानी क जहाज कनि दूरे ठाड़ छल ! ब्रह्मपुत्र अपन उफान पर छलीह ! नदी क धारा अपना तांडव दिखा रहल छल ! छोट पटरा क ब्रिज जमीन सँ जहाज धरि जयबाक लेल बनाओल गेल छल ! लोक अपन सामान ल केँ चढ़ैत काल खसिओ पड़ैत छल ! नर बहादुर भण्डारी बद्द निपूर्ण सहायक मित्र सिद्ध भेलाह ! हुनके सहयोग सँ हम सुरक्षित जहाज पर चढ़ि पेलहुं ! किछू क्षण क बाद जहाज चलल ! जान मे जान आयल ! जहाज मे चाय आ हल्का जलपान क बंदोबस्त छल ! राति भ रहल छल ! 30 मिनट क बाद हमर जहाज गोआलपाड़ा क छोर केँ छू देलक !

एहिठाम जहाज सँ उतर केँ लेल कोनो पटरा नहि लगाओल गेल छल ! सौंसे थाल -थाल पसरल छल ! अन्हार छल बच्चा आ परिवार क लेल समस्या छल ! आपसी सहयोग सँ पार उतरलहूँ ! सब सामान केँ ल सड़कक कात एलहूँ ! अहूठाम रेल्वे बसक इंतजाम छल ! मुदा कोन बस पर चढ़ब से पता नहि छल ! भीड़ यात्री क उमड़ि रहल छल ! राति अन्हार गुज्ज छल ! बिजली नहि ,पानि नहि ! सब अपन अपन जोगाड़ मे लागल छलाह ! हम नर बहादुर भण्डारी केँ कहलियनि ,—–
“ देखियो ,भण्डारी जी ! कोन बस जायत ? कनि भाँज लगाऊ !“
एहि कठिन परिस्थिति मे ओ सुदामा बनि आयल छलाह !
भण्डारी जी कहलनि ,——
“ सर , आहाँ सामान लग ओरिया केँ बईसू ! हम इंतिज़ाम करैत छी !”

लोक क शोर आवध गति सँ तेज भ रहल छल ! कियो कोनो बस मे त कियो कोनो बस मे ! उदेश्य गुवाहाटी पहुँचबा क छल ! भण्डारीजी आ हमरा बस मे जगह नहि भेटल ! अंततः बस क छत पर सब भिजल सामान ल केँ चढ़य पडल ! आ निर्णय केलहूँ कि आब जे हेत से हेत , छत पर चढ़ि गुवाहाटी जायब !

राति भरि बस क छत पर बैसल हमरालोकनि समय बितलहूँ ! अंत मे भिनसरे 3.30. बजे बस चलल आ 7.30 बजे हमरा लोकनि गुवाहाटी रेल्वे स्टेशन पहुँचलहूँ !
नर बहादुर भण्डारी स्टेशन बस सँ नारंगी छावनी चलि गेलाह ! हुनका धन्यवाद देलियनि आ हुनका बिदा केलहूँ ! एम 0 सी 0 ओ सँ हमहूँ अपन यूनिट मे कॉर्टर मास्टर तत्कालीन कप्तान ( अब रिटाइर कर्नल ) राजेन्द्र प्रसाद नायडू केँ टेलीफोन केलहूँ ! किछू समयक उपरांत हमरा लेल गाड़ी आयल आ हमहूँ अपन गंतव्य स्थान पर पहुँचि गेलहूँ !
इ त मानय पड़त सफ़र किया नहि दुखदायी रहे, परंच सँग यदि नर बहादुर भण्डारी जेहन फौजी मित्र होथि त सफ़र यादगार बनि जाइत अछि !
=====================
डॉ लक्ष्मण झा “ परिमल “
साउंड हेल्थ क्लिनिक
डॉक्टर’स लेन
दुमका
झारखण्ड
भारत
07.07.2022.

270 Views
📢 Stay Updated with Sahityapedia!
Join our official announcements group on WhatsApp to receive all the major updates from Sahityapedia directly on your phone.
You may also like:
दोस्त
दोस्त
Pratibha Pandey
उम्मीदों के आसमान पे बैठे हुए थे जब,
उम्मीदों के आसमान पे बैठे हुए थे जब,
नील पदम् Deepak Kumar Srivastava (दीपक )(Neel Padam)
*एमआरपी (कहानी)*
*एमआरपी (कहानी)*
Ravi Prakash
जिन्दगी
जिन्दगी
Bodhisatva kastooriya
💐प्रेम कौतुक-403💐
💐प्रेम कौतुक-403💐
शिवाभिषेक: 'आनन्द'(अभिषेक पाराशर)
बीते हुए दिनो का भुला न देना
बीते हुए दिनो का भुला न देना
Ram Krishan Rastogi
प्रेम
प्रेम
Ranjana Verma
*जाड़े की भोर*
*जाड़े की भोर*
सुरेन्द्र शर्मा 'शिव'
भाग्य प्रबल हो जायेगा
भाग्य प्रबल हो जायेगा
अनिल कुमार गुप्ता 'अंजुम'
अनेकों ज़ख्म ऐसे हैं कुछ अपने भी पराये भी ।
अनेकों ज़ख्म ऐसे हैं कुछ अपने भी पराये भी ।
DR ARUN KUMAR SHASTRI
!! फिर तात तेरा कहलाऊँगा !!
!! फिर तात तेरा कहलाऊँगा !!
Akash Yadav
प्रथम नमन मात पिता ने, गौरी सुत गजानन काव्य में बैगा पधारजो
प्रथम नमन मात पिता ने, गौरी सुत गजानन काव्य में बैगा पधारजो
Anil chobisa
भ्रम का जाल
भ्रम का जाल
नन्दलाल सुथार "राही"
दूसरों के अधिकारों
दूसरों के अधिकारों
Dr.Rashmi Mishra
मेरा लड्डू गोपाल
मेरा लड्डू गोपाल
MEENU
इतना तो करम है कि मुझे याद नहीं है
इतना तो करम है कि मुझे याद नहीं है
Shweta Soni
इश्क़ में जूतियों का भी रहता है डर
इश्क़ में जूतियों का भी रहता है डर
आकाश महेशपुरी
संविधान ग्रंथ नहीं मां भारती की एक आत्मा🇮🇳
संविधान ग्रंथ नहीं मां भारती की एक आत्मा🇮🇳
तारकेश्‍वर प्रसाद तरुण
शरद
शरद
Tarkeshwari 'sudhi'
अब मै ख़ुद से खफा रहने लगा हूँ
अब मै ख़ुद से खफा रहने लगा हूँ
Bhupendra Rawat
विषय -घर
विषय -घर
rekha mohan
BUTTERFLIES
BUTTERFLIES
Dhriti Mishra
हमे यार देशी पिला दो किसी दिन।
हमे यार देशी पिला दो किसी दिन।
विजय कुमार नामदेव
वर्षा का भेदभाव
वर्षा का भेदभाव
DR. Kaushal Kishor Shrivastava
हासिल नहीं था
हासिल नहीं था
Dr fauzia Naseem shad
■ यक़ीन मानिएगा...
■ यक़ीन मानिएगा...
*Author प्रणय प्रभात*
कुछ यादें जिन्हें हम भूला नहीं सकते,
कुछ यादें जिन्हें हम भूला नहीं सकते,
लक्ष्मी सिंह
हम आगे ही देखते हैं
हम आगे ही देखते हैं
Santosh Shrivastava
🙏*गुरु चरणों की धूल*🙏
🙏*गुरु चरणों की धूल*🙏
जूनियर झनक कैलाश अज्ञानी झाँसी
ग़ज़ल
ग़ज़ल
ईश्वर दयाल गोस्वामी
Loading...